पवित्र बाईबिल
बाईबल इसाई सभक पोथी या ग्रन्थ के बाइबल[१] कहैत छैक। बाइबल पहिले हिब्रु आरमेइक आ ग्रीक भाषा मे लिखल छल । अखन यी २२०० स अधिक भाषा मे उल्था भेल छैक। ताहिं मे पूर्ण रूपेण ६७० भाषा मे , अर्ध रूपेण १५२१ भाषा मे आ ११२१ भाषा मे लिख लेल प्रारम्भ भेल यैछ । संसार मे सब स बेसी भाषा मे उल्था होमे बला आ बिक्री वितरण होम बला पोथी बाइबल यैछ जेकर मैथिली भाषा मे भी अर्ध रूपेण उल्था भ चुकल छैन।

'''बाइबल''' शब्द यूनानी भाषाक “बिब्लोस” शब्द सँ आयल अछि, जकर अर्थ अछि “पुस्तक”। बाइबल वास्तव मे एके पुस्तक नहि, बल्कि ६६ पुस्तकक एक संग्रह अछि, जे दू भाग मे बाँटल[२] गेल अछि। पहिल भाग अछि पुरान नियम, जे प्रभु यीशु मसीहक संसार मे अयबाक समय सँ पहिने लिखल गेल, जाहि मे ३९टा पुस्तक अछि। दोसर भाग अछि नया नियम, जे यीशुक स्वर्ग लौटबाक समयक बाद लिखल गेल, जाहि मे २७टा पुस्तक अछि। बाइबलक पहिल पुस्तक सँ लऽ कऽ ओकर अन्तिम पुस्तक लिखब धरि बीच मे लगभग १५०० वर्ष बितल। बाइबल मेहक पुस्तक सभ करीब चालिस अलग-अलग लेखक[३]द्वारा और अलग-अलग समय मे लिखल गेल, मुदा सभ लेखक परमेश्वरक आत्माक प्रेरणा सँ लिखलनि, आ तेँ बाइबल “परमेश्वरक वचन” सेहो कहबैत अछि। परमेश्वर बाइबलक लेखक सभ केँ कोन तरहेँ प्रेरणा प्रदान कयलनि, जाहि सँ लेखकक अपन व्यक्तिगत शैली रहितो वैह बात लिखायल जे बात परमेश्वर चाहैत छलाह, से मनुष्यक बुद्धि सँ पूर्ण रूप सँ नहि बुझल जा सकैत अछि। तैयो पाठक जँ ध्यान सँ बाइबल धर्मशास्त्र केँ पढ़ताह, तँ अवश्य अनुभव करताह जे ई कोनो साधारण पुस्तक नहि, बल्कि परमेश्वरक अनमोल आ शक्तिशाली वचन अछि। बाईबल मे एकटा शब्द कम आ बेसी लिख लेल ककरो कोनो अधिकार नै अछि । मूल लिपि के भाषा के अपन अपन सरल भाषा, व्याकरण मे स ठीक सुधार करअ सकैत अछि । ताहि सँ हर भाषा के बाईबल मे समान शब्द क अर्थ अछि सिर्फ भाषा फरक । बाईबल मे जम्मा २ खण्ड अछि। पहिल खण्ड आ दोसर खण्ड[४]
पुरान नियम[सम्पादन करी]
पहिल खण्ड के पूरान नियम कहैत छैक। पुरान नियम मे परमेश्वर कोना संसारक रचना कयलनि आ मनुष्य केँ कोना अपन स्वरूप मे बनौलनि, तकर वृत्तान्त अछि। ईहो लिखल अछि जे पहिल पुरुष और स्त्री परमेश्वरक आज्ञाक उल्लंघन कऽ कऽ पाप मे पड़ि गेल, जकर परिणाम ई भेल जे हुनका सभक बाद मे आबऽ वला सभ मनुष्य, अर्थात् सम्पूर्ण मानव-जाति, पापी स्वभावक अछि, परमेश्वर सँ दूर अछि, आ मृत्युक अधीन मे अछि। बाइबल धर्मशास्त्र ई बात स्पष्ट करैत अछि जे कोनो मनुष्य अपन कर्म द्वारा अपन पापक प्रयाश्चित कऽ कऽ मोक्ष वा उद्धार प्राप्त नहि कऽ सकैत अछि, बल्कि उद्धार परमेश्वरक दिस सँ एक दान अछि जे मनुष्य केँ स्वीकार करबाक अछि।
पुरान नियम मे अलग-अलग पुस्तक मे परमेश्वर संसार मे एक उद्धारकर्ता केँ पठयबाक वचन दैत छथि। मनुष्यक उद्धारक लेल जे परमेश्वरक योजना छलनि, तकरा पूरा करबाक क्रम मे ओ एक आदमी केँ चुनलनि, जिनका संग ओ ई वचन दऽ कऽ एक विशेष सम्बन्ध स्थापित कयलनि जे, “तोरा वंश द्वारा पृथ्वीक सभ जातिक लोक आशीष पाओत।” ओहि आदमीक नाम अब्राहम छलनि।
अब्राहमक बेटा इसहाक, तिनकर बेटा याकूब, आ तिनकर बारहटा पुत्र द्वारा परमेश्वर कोना अब्राहमक वंशक वृद्धि कयलनि, से पुरान नियम मे भेटैत अछि। “उत्पत्ति” नामक पुस्तक मे (अध्याय ३५, पद १० मे) पढ़ैत छी जे परमेश्वर याकूब केँ एकटा नव नाम देलथिन, अर्थात्, “इस्राएल”। ओहि नाम पर हुनकर पूरा वंश “इस्राएली” कहल जाइत अछि। ओहि वंशक लोक केँ “यहूदी” नाम सँ सेहो सम्बोधित कयल जाइत अछि। इस्राएली, वा यहूदी, सभक इतिहासक अनेको बातक वर्णन पुरान नियम मे कयल गेल अछि। परमेश्वर मूसा नामक व्यक्ति द्वारा इस्राएली सभ केँ मिस्र देशक दासत्वक जीवन सँ कोना मुक्त करौलनि, आ परमेश्वर कोना मूसा केँ “धर्म-नियम” दऽ कऽ इस्राएली सभक संग विशेष सम्बन्ध स्थापित कयलनि, से सभ हुनका सभक इतिहासक महत्वपूर्ण भाग सभ मे अछि। मूसाक माध्यम सँ देल धर्म-नियम द्वारा परमेश्वर स्पष्ट रूप सँ आराधना, बलि-प्रदान, पुरोहित, आराधनाक लेल “मिलाप-मण्डप”, पाबनि, इत्यादि बात सभक सम्बन्ध मे आज्ञा सभ देलनि। ई बात सभ ओहि आबऽ वला उद्धारकर्ताक बाटक तैयारी करैत छल, जिनका बारे मे परमेश्वर कतेको शताब्दी धरि वचन दैत रहलाह। मूसाक समयक करीब १४०० वर्षक बाद जखन इस्राएली सभक वंश मे परमेश्वर अपन एकलौता पुत्र प्रभु यीशु मसीह केँ पठौलनि, तँ ओ कोना सम्पूर्ण मनुष्य जातिक लेल पापक प्रयाश्चित करऽ वला बलिक रूप मे अपन प्राण देलनि, से बाइबलक नया नियम पोथी मे पाओल जाइत अछि। आब आराधना और बलिक ओहि “पुरान” वला व्यवस्थाक स्थान मे एक “नया” वला व्यवस्था अछि जे प्रभु यीशु मसीहक मृत्यु और जीबि उठनाइ द्वारा एक नव सम्बन्ध पर आधारित अछि जे परमेश्वर मनुष्यक संग स्थापति कयलनि। ई खण्ड मे जम्मा ३९ पुस्तक सभ अछि । जाहि में ९२९ अध्याय २३,१४५ पद आ ६,०२,५४५ शब्द अछि[५]
पूरान नियम के "पुस्तक" सभ कऽ लिस्ट निम्न प्रकार[६] कऽ अछि :-[सम्पादन करी]
क्र.सं. | पुस्तक के नाम | अध्याय संख्या | जम्मा पद संख्या | टिप्पणी |
---|---|---|---|---|
१ | उत्पत्ति | ५० | ||
२ | प्रस्थान | ४० | ||
३ | लेवी | २७ | ||
४ | गन्ती | ३६ | ||
५ | व्यवस्था | ३४ | ||
६ | यहोशू | २४ | ||
७ | न्यायकर्ता | २१ | ||
८ | रुथ | ४ | ||
९ | पहिल शमूएल | ३१ | ||
१० | दोसर शमूएल | २४ | ||
११ | पहिल राजा | २२ | ||
१२ | दोसर राजा | २५ | ||
१३ | पहिल इतिहास | २९ | ||
१४ | दोसर इतिहास | ३६ | ||
१५ | एज्रा | १० | ||
१६ | न्हेम्याह | १३ | ||
१७ | एस्तर | १० | ||
१८ | अय्यूब | ४२ | ||
१९ | भजन संहिता | १५० | ||
२० | हितोपदेश | ३१ | ||
२१ | उपदेशक | १२ | ||
२२ | श्रेष्ठगीत | ८ | ||
२३ | यशैया | ६६ | ||
२४ | यर्मिया | ५२ | ||
२५ | विलाप | ५ | ||
२६ | इजकिएल | ४८ | ||
२७ | दानिएल | १२ | ||
२८ | होशे | १४ | ||
२९ | योएल | ३ | ||
३० | आमोस | ९ | ||
३१ | ओबदिया | १ | ||
३२ | योना | ४ | ||
३३ | मीका | ७ | ||
३४ | नहूम | ३ | ||
३५ | हबकूक | ३ | ||
३६ | सपन्याह | ३ | ||
३७ | हाग्गै | २ | ||
३८ | जकरिया | १४ | ||
३९ | मलाकी | ४ | ||
जम्मा | ९२९ | .…..... |
नया नियम[सम्पादन करी]
दोसर खण्ड के नया नियम कहैत छैक। मुदा नया नियम के मैथिल विद्वान सभ एकटा नाम देने अछि जीवन सन्देश ।
दोसर खण्ड' के नया नियम कहैत छैक। मुदा नया नियम के मैथिल विद्वान सभ एकटा नाम देने अछि जीवन सन्देश । ई खण्ड मे जम्मा २७ पुस्तक सभ अछि । जाहि में २६० अध्याय ७,९५७ पद आ १,८०,५५२ शब्द अछि । कूल मिलाके बाईबल में जम्मा[७] ११८९ अध्याय ३१,१०२ पद आ ७,८३,१३७ शब्द अछि ।
नया नियम कब आ कोना लिखल गेल[सम्पादन करी]
जब नया नियम लिखल गेल ते, प्रारंभिक चर्च (गिरजाघर) नया नियम स्वीकार केलैन। किए त कुछ लेखक गण सभ यीशु मसीह के मित्र छेलैन वा नजदीकी अनुयायी छल। हुनका सभके यीशु मसीह प्रारम्भिक चर्च कऽ नेतृत्व के भार सौंपने छल। सुसमाचारक दु लेखक, मत्ती आर यूहन्ना, यीशु मसीह के सबस घनिष्ट अनुयायी में से छल। मरकुस और लुका, प्रेरित सभक साथी थे छल, ताहि स लेखक गण सभके यीशु मसीह के जीवन के बारे में प्रत्यक्ष ज्ञान छेलनि।
नया नियम के अन्य लेखक अन्य लेखक गण सभ के भी यीशु मसीह तक पहुंच छल । जेना याकूब आर यहूदा, यीशु के सौतेला भाई छल जे आरम्भ में मसीह पर विश्वास नै करैत छल। पतरस, १२ प्रेरित में से एक छल। शुरू में पौलुस ईसाई धर्म के हिंसक प्रतिद्वंदी छल आर धार्मिक सत्तारूढ़ के एक सदस्य छल मुदा जल्दीए वो यीशु मसीह के एक उत्साही अनुयायी बनल इ बात स आश्वस्त भेल कि यीशु मसीह मइर क पुनर्जीवित भेलैन।
नया नियम के पुस्तक में लिखल गेल रिपोर्ट उ बात स मेल खाइत छल जेकर हजारों आदमी चश्मदीप गवाह छल।
नक़ली पुस्तक स प्रहार[सम्पादन करी]
कुछ सौ साल बाद जब दोसर पुस्तक लिखल गेल तब चर्च के लेल उ जालसाज़ी/नक़ली पुस्तक के रूप में पकरै में कोनो मुश्किल नाहि भेल। उदाहरण स्वरूप, ‘यहूदा द्वारा रचित सुसमाचार’ ‘नोस्टिक (रहस्यवादी) संप्रदाय’ के द्वारा, करीब १३०-१७० ए.डी में, यहूदा के मरला के बहुत समय बाद लिखल गेल छल। ‘थॉमस द्वारा रचित सुसमाचार’, करीब १४० ए.डी. में लिखल गेल, जे कि एक जाली/नक़ली लेख के एक और उदाहरण छल, जे इ प्रेरित के नाम में करल गेल छल । आ अन्य ‘नोस्टिक’ ग्रंथ में यीशु मसीह और पुरान नियम के ज्ञात शिक्षा सभके बीच विरोधाभास यैछ आर अक्सर अनेक ऐतिहासिक आर भौगोलिक गलति सेहो मिलल छल ।
नया नियम के सूची बद्ध[सम्पादन करी]
३६७ ए.डी. में, सिकंदरिया के अथेन्सियस नामक आदमी औपचारिक रूप स, नया नियम (दोसर भागक २७ पुस्तक सभके सूची बद्ध करलैन (वही सूची जे अभी भी मान्य यैछ)। येकर तुरंत बाद, जेरोम आ संत ऑगस्टीन सेहो इ सूची परिचालित केलैन। हालांकि यि सूचि,वो समयके अधिकांश ईसाइ के लेल आवश्यक नहीं छल। कुल मिलाके, मसीह के बाद पहिल सदी के पूरा चर्च सभ इ पुस्तक (नया नियम) के इ सूची के स्वीकार केलैन और येकर प्रयोग सेहो केलैन।
जेना-जेना चर्च, यूनानी भाषा बोलैबाला प्रांत स बाहर बढ़ैत गेल आ पवित्र शास्त्र के अनुवादक आवश्यकता महसूस होमे लागल तऽ अलग अलग भके छोट दल अपन प्रतिस्पर्धात्मक पवित्र ग्रंथ लके उभरैलेल जारी रखलैन। तब यी आवश्यक है गेल कि पुस्तक के एक निश्चित सूची होनाई जरुरी अछि ।
नया नियम के "पुस्तक" सभ कऽ लिस्ट निम्न प्रकार कऽ अछि :-[सम्पादन करी]
क्र.सं. | पुस्तक के नाम | अध्याय संख्या | जम्मा पद संख्या | टिप्पणी |
---|---|---|---|---|
१ | मत्ती | २८ | ||
२ | मरकुस | १६ | ||
३ | लूका | २४ | ||
४ | यूहन्ना | २१ | ||
५ | मसीह-दूत | २८ | ||
६ | रोमी | १६ | ||
७ | पहिल कोरिन्थी | १६ | ||
८ | दोसर कोरिन्थी | १३ | ||
९ | गलाती | ६ | ||
१० | इफिसी | ६ | ||
११ | फिलिप्पी | ४ | ||
१२ | कुलुस्सी | ४ | ||
१३ | पहिल थिसलुनिकी | ५ | ||
१४ | दोसर थिसलुनिकी | ३ | ||
१५ | पहिल तिमुथियुस | ६ | ||
१६ | दोसर तिमुथियुस | ४ | ||
१७ | तीतुस | ३ | ||
१८ | फिलेमोन | १ | २५ | |
१९ | इब्रानी | १३ | ||
२० | याकूब | ५ | ||
२१ | पहिल पत्रुस | ५ | ||
२२ | दोसर पत्रुस | ३ | ||
२३ | पहिल यूहन्ना | ५ | ||
२४ | दोसर यूहन्ना | १ | १३ | |
२५ | तेसर यूहन्ना | १ | १४ | |
२६ | यहूदा | १ | २५ | |
२७ | प्रकाश | २२ | ||
जम्मा | २६० | ........ |
तस्वीर ग्यालरी[सम्पादन करी]
- बाईबल सभ
-
ग्रीक सभ्यता के पूरनका बाईबल
-
१५००इपू के अष्ट्रिया के शाही बाईबल
-
१४७६ के बेन्जामिन केन्नीकोट बाईबल
-
बारोक बाईबल
-
लिंकन बाईबल (१८६१ अब्राहाम लिंकन के कार्यालय में प्रयोग भेल बाईबल)
-
कुंजी बाला एक लघु बाईबल
-
१८६६ भिक्टोरीयन सहशताब्दी के बाईबल
-
ब्राजिल के संग्रहालय में राखल ब्राजिलियन बाईबल
-
१४७२ स १४७५ धरि लिओ नार्दो दा भिन्ची द्वारा बनावल तस्वीर जाहि में कुमारी मरियम बाईबल पैढ रहल अछि.
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ https://www.bible.com/en-GB
- ↑ https://www.bbc.co.uk/religion/religions/christianity/texts/bible.shtml
- ↑ https://allthatsinteresting.com/who-wrote-the-bible
- ↑ http://khabar.ndtv.com/news/faith/researchers-argue-on-biblical-creation-date-composition-of-this-treatise-was-started-before-known-ti-1394989
- ↑ https://bibleask.org/hi/
- ↑ https://www.studyblue.com/notes/note/n/39-books-of-the-old-testament/deck/2093575
- ↑ https://bibleask.org/hi/%E0%A4%AC%E0%A4%BE%E0%A4%87%E0%A4%AC%E0%A4%B2-%E0%A4%AE%E0%A5%87%E0%A4%82-%E0%A4%95%E0%A4%BF%E0%A4%A4%E0%A4%A8%E0%A5%87-%E0%A4%85%E0%A4%A7%E0%A5%8D%E0%A4%AF%E0%A4%BE%E0%A4%AF-%E0%A4%AA%E0%A4%A6/