पीतल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

पीतल (brass) एक प्रमुख मिश्रातु छी। इ तांबा एवं जस्ता धातुसभके मिश्रणसँ बनाओल जाइत अछि। संस्कृतमे 'पीत' कऽ अर्थ 'पीला' होइत अछि। इ एकर रङ्ग (पीलापन लेल सफेद)क द्योतक छी।

पीतलसँ बनल कुण्डा

परिचय[सम्पादन करी]

पीतल मिश्र धातु छी, जे ताँबा आर जस्ताके संयोगसँ बनैत अछि। ताँबामे जस्ता देला पर ताँबा कऽ सामर्थ्य, चौमड़पन आर कठोरता बढैत अछि। इ वृद्धि ३६ प्रतिशत जस्ता धरि नियमित रूपसँ होइत अछि, लेकिन बादमे केवल सामर्थ्यमे वृद्धि अधिक स्पष्ट देखल जाइत अछि। पीतलमे २ सँ लऽक ३६ प्रतिशत धरि जस्ता रहैत अछि। ताँबा जस्ताके साथ दु निश्चित यौगिक Cu2 Zn3) आर Cu Zn बनाबैत अछि आर दु किस्मके ठोस विलयन बनैत अछि, जहीसँ ऐल्फा-विलयन आर बीटा-विलयन कहल जाइत अछि।[१]


पीतल प्रधानतया दु किस्मके होइत अछि। एकमे ताँबा ६४ प्रतिशतसँ अधिक रहैत अछि। इ समावयव ऐल्फाविलयन होइत छै। दोसरमे ताँबा ५५.६४ प्रतिशत रहैत अछि। अहीमे ऐल्फा-आर बीटा-दुनु विलयन रहैत अछि साधारणतया पहिले किस्मक पीतलमे ७० प्रतिशत ताँबा आर ३० प्रतिशत जस्ता आर दोसर किस्मके पीतलमे ६० प्रतिशत ताँबा आर ४० प्रतिशत जस्ता रहैत अछि।[२]

गुणधर्म[सम्पादन करी]

पीतलके बर्तन एवं सजावटि समान

ताँबा कऽ अपेक्षा पीतल अधिक मजबूत होइत अछि। पीतलक रङ्ग सहो अधिक आकर्षक होइत अछि। किछ पीतल सफेद लेल पीला रङ्गके आर किछ लाली लेल पीला रङ्गके होइत अछि। अन्य धातुसभके रहलासँ रङ्ग आर चीमड़पन बहुत किछ बदल जाइत अछि। पीतल तन्य होइत अछि आर आसानीसँ पीटल आर खरादल जा सकैत अछि। पीतल पर कलई सहो बढिया चढ़ैत अछि ।


उपयोग[सम्पादन करी]

पीतलक व्यवहार थाली, कटोरा, गिलास, लोटा, गागर, हण्डी, देवतासभक मूर्तिसभ, ओकर सिंहासन, घन्टी, अनेक प्रकारके वाद्ययन्त्र, ताला, पानिक नलसभ, मकानसभमे लागैवला समान आर गरीबसभके लेल गहना बनाबमे होइत अछि। लोहासँ पीतलक चीजसभ अधिक टिकाऊ आर आकर्षक होइत अछि।


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Stagnation Time, Composition, pH, and Orthophosphate Effects on Metal Leaching from Brass. Washington DC: United States Environmental Protection Agency. September 1996. प॰ 7. EPA/600/R-96/103. 
  2. Copper Development Association। "Pub 117 The Brasses – Properties & Applications" (PDF)मूल (PDF)सँ 30 October 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2012-05-09 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]