प्रयोगकर्ता:Biplab Anand/विकिमेनिया २०१५ प्रतिवेदन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विकिमेनिया २०१५ - मेक्सिको सिटी

विकिमेनिया २०१५ एकटा वार्षिक सम्मेलन छी जे विकिपिडिया आर एकर भातृयोजनासभक स्वयंसेवकसभके सम्मेलन, वार्तालाप, भेटघाट तथा ह्याकाथन कैर मनाएल जाएत अछि । ऐ वर्षक विकिमेनियामें ४० राष्ट्रक विकिमिडियनसभक सहभागिता रहल छल ।

नेपाली समुदायसँ सहभागी विकिमिडियनसभ:


उपलब्धि[सम्पादन करी]

  • नेपाली विकिपिडिया आ ऐ में भ रहल विविध आयोजनासभ के बारे में जानकारी देवाक लेल पहिल बेर विकिमेनियामें कम्युनिटी भिलेज (सामाजिक केन्द्र)में एकटा स्टल सञ्चालन केल गेल । (https://wikimania2015.wikimedia.org/wiki/Community_Village)
  • स्टल मार्फत बहुत रास मुलुकके विकिमिडियनसभके नेपाली आ मैथिली विकिपिडिया प्रयोगकर्ता समूहद्वारा नेपालमें सञ्चालन केल क्रियाकलापसभके जानकारी देवा में सफलता प्राप्त भेल ।
  • डिजिटल राइट, विकिडेटा, कमन्स, विकि लभ्स अर्थ आर विकि लभ्स मोन्युमेन्ट्स, कन्टेन्ट ट्रान्सलेसन, विकी शिक्षा कार्यक्रम, विकिमेड, विकिलाइब्रेरीसम्बन्धि विभिन्न वार्तालापमें तथा भेटघाटमने भाग लेल गेल ।
  • एसियाके भाषासभक विकिपिडियामा भ रहल गतिविधिसभ के बारे में जानकारी देवाक लेल भेटघाट कार्यक्रममें भाग लेल गेल ।
  • किविक्सके विकासकर्ता रसिक अहमदसँ किविक्सके बारेमें विस्तारसँ जानकारी प्राप्त केल गेल ।
  • कार्यक्रमके अन्तिम चरणमें विकिपिडियाके सहसंस्थापक जिमी वेल्सके नेपाली टोपी लगा सम्मान केल गेल ।

चुनौती[सम्पादन करी]

  • अध्यागमनद्वारा सताबै वाला समस्या समस्या विकी स्वयंसेवकसभ के नै छोडलक ।
  • विकिमेनियामें कि सभ केल जाएत अछि जानकारी नै भेला कारने बहुत रास चुनौती के सामना कर पडल ।

सिकाइ[सम्पादन करी]

  • मैथिली विकिपिडिया भितर आ बाहर भ रहल गतिविधिसभ के मेटामें राख्बै जे सँ से बात के जानकारी आन विकिके प्रयोगकर्ता आ सङ्गठनके होए सकत ।
  • विकिमिडिया नेपालके सपना जल्दीए साकार करवाक लेल बहुत रास वाह्य विकी गतिविधिसभ के द्रुत गतिमें अगाडि बढाएल जा सकएत अछि ।
  • विकिमेनियामें मैथिल समुदायसँ भैरगर सहभागिताके लेल विकिमेनियामे पहिनेओ छात्रवृति पाबनिहार विकिमिडियनसभके समूहद्वारा आबए वाला विकिमेनियामें छात्रवृति फारम समिक्षा कराएल जा सकएत अछि ।
  • नेपालका सम्पूर्ण भाषाका विकिपिडियन आर विकिमिडियनसभके एक ठाम जम्मा करि नयाँ विचार आर भेटघाट कराबैक लेल विकिपिडिया राष्ट्रिय सम्मेलन (विकी कन्फ्रेन्स नेपाल) केल जा सकएत अछि ।

विकिमेनियासँ तस्बिरसभ[सम्पादन करी]