प्रिया तेन्दुलकर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
प्रिया तेन्दुलकर
फाइल:PriyaTendulkar.jpg
जन्म(१९५४-१०-१९)१९ अक्टुबर १९५४
मृत्यु१९ सितम्बर २००२(२००२-०९-१९) (४७ वर्ष)
मुम्बई, भारत


भारतक पहिल टिभी स्टार[१] प्रिया तेन्दुलकर अनेक चलचित्र आर टिभी धारावाहिसभमे भूमिका निभेलक मुदा सम्भवतः ओ सम्पूर्ण जीवन अपन सबसँ पहिल टिभी अवतार "रजनी" क नाम सँ ओ प्रशिद्ध भेल । सन् १९८५मे निर्मित आर बासू चटर्जीद्वारा निर्देशित ई धारावाहिकमे ओ भ्रष्टाचार आर सामाजिक कुरीतिक खिलाफ बुलन्द आवाज उठावबाला एक साधारण गृहणीक किरदार निभेने छल । ओ लेखिका सहो छल ।

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

प्रिया प्रसिद्ध नाटककार विजय तेन्दुलकर क सुपुत्री छल । हुनकर जन्म १९ अक्टोबर, १९५४ मे भेल छल, हुनकर दु बहिन आर एक भाई छल । प्रियाक विवाह अभिनेता तथा लेखक करण राजदान सँ १९८८ मे भेल । मुदा ई बिवाह सात साल धैर मात्र चलल आर ओकर बाद हुन्कर सम्बन्ध विच्छेद भेल । करण आर प्रियालर "रजनी" आर "किस्से मिया बीवी के" धारावाहिकमे श्रीमान श्रीमतीक वास्तविक जीवनक किरदार सहो निर्वाह करने छल । १९७४ मे श्याम बेनेगल क चलचित्र अंकुर मे निभाएल भूमिकाक कारण प्रियाक अभिनेता अनंत नाग सँ सहो सम्बन्ध जोडल गेल छल ।[२]

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

  • १९७४ - अंकुर
  • १९७८ - देवता
  • १९८३ - माहेरची मानसे, रानीने दाव जिंकाला
  • १९८४ - गोंघळत गोंधळ
  • १९८५ - मुम्बईचा फौजदार, रजनी (टीवी धारावाहिक)
  • १९८७ - कालचक्र
  • १९८८ - किस्से मिया बीवी के (टीवी धारावाहिक)
  • १९८९ - एक शून्य (टीवी धारावाहिक)
  • १९९० - घर (टीवी धारावाहिक)
  • १९९४ - मोहरा
  • १९९५ - त्रिमूर्ति
  • १९९६ - द प्रिया तेंदुलकर शो (टीवी टॉक शो)
  • १९९७ - और प्यार हो गया, ज़िम्मेदार कौन (टीवी टक शो), गुप्त, हम पाँच (टीवी धारावाहिक)
  • २००० - राजा को रानी से प्यार हो गया
  • २००१ - प्यार इश्क और मुहब्बत

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]