बहु-खेल प्रतियोगिता
दिखावट

बहु-खेल प्रतियोगिता एक सङ्गठित खेल स्पर्धा छी, जे प्रायः एकाधिक दिनधरि चलैत अछि, जहिमे प्राय राष्ट्र-राज्यसभक सङ्गठित टिमसभक यथलिटसभक बीच विभिन्न खेलसभमे प्रतिस्पर्धा आयोजित होएत अछि। पहिल प्रमुख, आधुनिक, अन्तर्राष्ट्रिय महत्वक बहु-खेल प्रतियोगिता ओलम्पिक खेल छल। ओलम्पिक खेलक पश्चात बहुतेक प्रादेशिक बहु-खेल प्रतियोगितासभ स्थापित भऽ गेल अछि। अधिकतम प्रतियोगितासभक मूल संरचना समरूप अछि। खेल बहुतेक दिनक अवधिमे मेजबान शहर मे वा ओकर आसपास आयोजित होएत अछि, जे प्रत्येक प्रतियोगिताक लेल परिवर्तित होएत अछि। एक देश प्रत्येक प्रतियोगिताक लेल राष्ट्रिय टिमसभकें पठावैत अछि, जहिमे विविध प्रकारक खेलसभमे भाग लेनिहार व्यक्तिगत एथलिट आ टिमसभ शामिल होएत अछि।[१]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Information about sports events, Multi-Sport Event" (अङ्ग्रेजीमे), sports-online.biz, मूलसँ २०१४-०१-०६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच नवम्बर २३, २०११।