बोनिता शर्मा

बोनिता शर्मा एक गोटे नेपाली स्वास्थ्य आ पोषण कार्यकर्ता छि। ओ सोशल चेन्जमेकर्स आ इनोभेटर्स (SOCHAI) नामक दुईटा संस्था चलावैत अछि आओर सन् २०१९ में बीबीसी कऽ १०० महिलासभ में सँ एक के रूप में सूचीबद्ध भेल छल।
प्रारम्भिक जीवन
[सम्पादन करी]शर्मा कऽ जन्म नेपाल में भेल छल। ओ पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय सँ सार्वजनिक स्वास्थ्य में बी.ए. के पढाई केनए अछि आ त्रिभुवन विश्वविद्यालयसँ पोषण में मास्टर डिग्री सेहो प्राप्त केनए अछि।[१]
करियर
[सम्पादन करी]बोनिता शर्मा, सन् २०१७ में सोशल चेन्जमेकर्स आओर इनोभेटर्स (SOCHAI) कऽ स्थापना केनए छल।[२]ई एकटा गैर-लाभकारी संगठन छि जेकर उद्देश्य कुपोषण के खत्म केनाए अछि आ विशेष रूप सँ महिलासभ आ बच्चासभक लेल बढियाँ स्वास्थ्य के प्रोत्साहित केनाए अछि। कुपोषण सँ होए वाला बच्चा के मृत्यु के कम करवाक लेल,[३]ओ न्यूट्रिबिड्स (पोषण माला) नामक एकटा ब्रेसलेट पेश केनए छल, जे मातासभक लेल अपन बच्चा के लेल भोजन के योजना बनावे में सहयोग करैत अछि। सन् २०१६ में, न्यूट्रिबिड्स एसिया प्यासिफिक यूथ इनोभेशन च्यालेन्ज के विजेता भेल छल। ब्रेसलेट बेचए सँ भेल लाभ रकम सँ, SOCHAI पूर्वी नेपाल के मोरङ जिला में आपातकालीन सँ प्रभावित मातासभ आ बच्चा के सहायता प्रदान करवाक में सक्षम रहल छल।[४][५][१][१]
SOCHAI, २८ मोतिसभक साथ रेड साइकल ब्रेसलेट सेहो बना रहल अछि ताकि महिलासभ विभिन्न रंगसभ के उपयोग करि के अपन मासिक धर्म चक्र (महिनावारी) के योजना बना सकए। शर्मा, महिलासभ कऽ पोषण, गर्भपात आ COVID-19 जेहन मुद्दासभ पर लिखैत अछि।[६][५][७][८][४][२]सन् २०१९ में बीबीसी के १०० महिलासभक सूची में शर्मा के नाम के घोषणा कएल गेल छल आ ओ बालिकासभक शिक्षा के अधिकार के लेल मलाला फण्ड के हिस्सा के रूप में एकटा यूनेस्को महिला च्याम्पियन अछि। ओ वन यङ वर्ल्ड द्वारा प्रस्तुत लिड २०३० च्यालेन्ज के जीरो हङ्गर श्रेणी के पुरस्कार सेहो जीतने अछि, जाहि में कि हुनका $५०,००० देनए छल। बोनिता के बिल एण्ड मेलिन्डा गेट्स फाउन्डेशन द्वारा गोलकिपर ग्लोबल गोल्स प्रोग्रेस अवार्ड २०२० सँ सेहो सम्मानित कएल गेल अछि।[९][१०]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ १.२ Rijal, Ajita, "The Rising Nepal: Bonita, latest inspiration to Nepali youth", The Rising Nepal, मूलसँ ८ सितम्बर २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ २.० २.१ "Bonita, a young change-maker inspires girls and women in Nepal through education", UNESCO (अङ्ग्रेजीमे), २३ जनवरी २०१९, मूलसँ ११ जून २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ "Bonita Sharma in 'BBC 100 women 2019' list", My City (अङ्ग्रेजीमे), १६ अक्टुबर २०१९, मूलसँ ९ दिसम्बर २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ ४.० ४.१ "BBC 100 Women 2019: Who is on the list?", BBC News, १६ अक्टुबर २०१९, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०, "In a bid to tackle child deaths to malnutrition, she designed Nutribeads, a bracelet for new mums with different coloured beads to remind them what to feed their babies."
- ↑ ५.० ५.१ "Bonita Sharma : BBC's Top 100 Women From Nepal", Nepali Trends, १८ अक्टुबर २०१९, मूलसँ ८ सितम्बर २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ "Accelerating mission nutrition, Bonita Sharma", TNM, मूलसँ ७ जून २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ Sharma, Bonita, "How about stepping into our shoes? – September 28 Campaign", September 28, मूलसँ २८ दिसम्बर २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ Sharma, Bonita (१८ मार्च २०२०), "Stop the spread of fake news", Kathmandu Post (Englishमे), मूलसँ ९ अगस्त २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२०।
- ↑ "We Are Goalkeepers", www.gatesfoundation.org, अन्तिम पहुँच २०२०-१०-०५।
- ↑ "2 OYW Ambassadors named Goalkeepers Award Winners", www.oneyoungworld.com (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२०-१०-०५।