ब्रायन क्रान्सटन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ब्रायन क्रान्सटन
ब्रायन क्रान्सटन २०१० मा
जन्म (१९५६-०३-०७) मार्च ७, १९५६ (उमर ६८)
व्यवसायकलाकार, निर्देशक, कथाकार, निर्माता
सक्रिय वर्ष१९८०-वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)माइकी मिडल्टन
(वि. १९७७; विच्छेद. १९८२)

रोबिन डियरडेन
(वि. १९८९)
बालबच्चाटेलर डियरडेन क्रान्सटन


ब्रायन ली क्रान्सटन (जन्म मार्च ७, १९५६)[१] एक अमेरिकी कलाकार, पट्कथाकार, निर्देशक तथा निर्माता eछथि । ओ वाल्टर ह्वाइटक चरित्रमे ब्रेकिङ ब्याड, ह्यालक चरित्रमे म्यालकम इन द मिडल तथा डा. टिम वाट्लीक रुपमे साइन्फेल्ड सँ लोकप्रिय बनल छल । ब्रेकिङ ब्याडक निम्ति ओ ४ पटक (२००८, २००९, २०१० र २०१४) ड्रामा सिरिजमे उत्कृष्ट मुख्य अभिनेताक प्राइम टाइम एमी अवार्ड समेत प्राप्त करैल सफल भेल छल । सन् २०११ पछा ब्रेकिङ ब्याडक निर्माताक रुपमे ओ दुई बेरउत्कृष्ट ड्रामा सिरिजल उपाधि प्राप्त केने छल । ब्रेकिङ ब्याड अभिनयसँ ओ सन् २०१४ मे गोल्डेन ग्लोब अवार्ड समेत जितने छल , ओही चरित्रक निम्ति ओ पाँच बेर गोल्डेन ग्लोबक निम्ति मनोनित भेल छल ।[२]

म्यालकोम इन द मिडल मेl हिनकर भुमिकाक निम्ति ओ ३ बेर प्राइम टाइम एमीमा उत्कृष्ट चरित्र अभिनेताक रुपमे मनोनित भेल छल । सन् २०१४ जुनमे ब्रोड्वे नाटक अल द वेमे अपन अभिनयक निम्ति ओ टोनी अवार्ड प्राप्त केने छल । अल द वे सँ बनल टेलिभिजन फिल्ममे ओ अभिनय केने अछि जे २०१६ मे प्रदर्शित भेल छल । सन् २०१५ मे निर्मित ट्रम्बो चलचित्रक लेल क्रान्सटन एकेडेमी अवार्ड उत्कृष्ट अभिनेताक मनोनयनमे छानिएल छल ।

कलाकारिताक यात्रा ओ अपन कलेज सकलावाद प्रारम्भ केने छल । सन् १९८० पुर्वार्द्धमे ओ निरन्तर रुपमे छोट भुमिकासभ तथा विज्ञापनसभमे काम करैल मौका पावने छल । सन् १९९८ मे ओ स्टिभन स्पीलबर्गक सेभिङ प्राइभेट रायन मे अभिनय केने छल ।

सन् १९७७ सँ १९८२ धरी ओ लेखिका मिकी मिडलटन सँग विवाहित छल। सन् १९८९ मे ओ रोबिन डियेरडेनसँग पुन: विवाह केलक। ओसभक बेटी टेलर डियरडेन क्रान्सटनक जन्म सन् १९९४ मे भेल छल ।

करियर[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Monitor"। Entertainment Weekly। अङ्क 1249। Mar 8, 2013। p. 20।
  2. "Bryan Cranston"Primetime Emmy Award। Academy of Television Arts & Sciences। अन्तिम पहुँच February 10, 2014

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]