ब्रिसबेन (/ˈbrɪzbən/)[४]अस्ट्रेलियाकक्वीन्सल्यान्ड राज्यक राजधानी आ सभसँ बड्का शहर छी ।[५] ब्रिसबेन अस्ट्रेलियाक तेसर सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहर छी । ब्रिसबेन महानगरीय क्षेत्रक जनसङ्ख्या लगभग २.२४ करोड अछि । [१] ब्रिसबेन नदीक किनार में रहल ई शहर क्वीन्सल्यान्डक दक्षिण-पूर्वमें मारेटान खाडी आर ग्रेट डिवाइडिङ्ग रेन्जक बीचमें रहल कम उचाईं भेल समथल भूभागमा स्थित अछि । अस्ट्रेलियाक मूल निवासी एकरा 'मियान-जिन' कहैत अछि, जेकर अर्थ 'शूलक आकार भेल स्थान' होइत अछि । ई शहरक नामकरण सन् १८२१ सँ सन् १८२५ के बीच न्यू साउथ वेल्सक राज्यपाल सर थोमस ब्रिसबेनक नाममे कएल गेल छल । ब्रिसबेनक निवासीके ब्रिसबेनाइट कहल जाइत अछि ।