भानु अथैय्या
भानु अथैय्या Bhanu Athaiya | |
---|---|
![]() | |
जन्म | भानुमती अन्नासाहेब राजोपाध्याय २८ अप्रैल १९२९ कोल्हापुर, कोल्हापुर स्टेट, ब्रिटिश इण्डिया ( एखन महाराष्ट्र, भारत) |
रोजगार | कस्ट्युम डिजाइनर |
कार्यकाल | १९५६-२००४ |
जिवनसाथी | सत्येन्द्र अथैय्या (तलाकसुद्दा, एखन विधवा) |
सन्तान | बेटी |
पुरस्कार | १९८२: बेस्ट कस्ट्युम डिजाइन: गान्धी
बेस्ट कस्ट्युम डिजाइन १९९१: लेकिन... २००२: लगान |
भानुमती अन्नासाहेब राजोपाध्याय, बादमे भानु अथैया (मराठी: भानु अथैय्या; जन्म २८ अप्रिल १९२९), एकटा भारतीय पोशाक डिजाइनर छी, जे १०० सँ अधिक चलचित्रसभमे काम केनए अछि, १९५० के दशक सँ, चलचित्र निर्मातासभ जेना की गुरुदत्त, यश चोपड़ा, राज कपूर, आशुतोष गोवारिकर आओर अन्तर्राष्ट्रीय निर्देशकसभ जेना की कोनोरोईड रूक्स आओर रिचर्ड एटनबरो के सँगे काम केनए अछि।
जीवनी[सम्पादन करी]
अथैय्या कऽ जन्म महाराष्ट्र के कोल्हापुर मे भेल छल। ओ अन्नसाहेब आओर शान्ताबाई राजोपाध्याय सँ जन्म भेल सातटा बच्चासभमे सँ तेसर छल। अथैय्या के पिता, अन्नासाहेब एकटा चित्रकार छल। जबकी अथैय्या नौ साल कऽ छल, तखन हुनकर पिता के मृत्यु भऽ गेल छल।
करियर[सम्पादन करी]
अथैय्या अपन करियरक शुरुवात बम्बई के विभिन्न महिला पत्रिकासभक लेल 'इभ्स विकली' सहित एक फ्रीलांस फ्याशन इलुस्ट्रेटर के रूपमे केनए छल। बादमे जखन एकर सम्पादक एकटा बुटीक खोलने छल, तखन ओ अथैय्या के कपडा डिजाइन करए के प्रयास करवाक लेल कहलैन, ओकर बाद ओ कपडा डिजाइन करवाक लेल अपन स्वभाव के खोज केलक। एकटा डिजाइनर के रूप मे हुनकर सफलता बहुत जल्द ही हुनकर करियर के बाट बदलि देलक। हुनकर करियर गुरु दत्तक चलचित्रसभक लेल कपडा डिजाइन करए सँ शुरू भेल, जेकर शुरुवात सी.आई.डी. (१९५६) छल आओर ओ बहुत जल्द ही गुरुदत्त टीमक हिस्सा बनि गेल।
ओ चलचित्र सी. आई. डी. के साथ चलचित्र कस्ट्यूम डिजाइनर के रूपमे अपन शुरुवात केलक। १९५६ मे, आओर एकर बाद अन्य गुरु दत्त चलचित्रसभ जेना कि प्यासा (१९५७), चौधवी का चान्द (१९६०) आओर साहिब बीबी और गुलाम (१९६२) आएल। ५० साल के अपन करियर मे हुनका अनेकौं पुरस्कार मिलल अछि। ओ १९८२ कऽ चलचित्र, गान्धी मे अपन काम के लेल सर्वश्रेष्ठ कस्ट्यूम डिजाइन (जोन मोल्लो के साथ साझा) के लेल एकेडेमी पुरस्कार विजेता भेल छल। ओ एकेडेमी पुरस्कार जीतए वाली पहिल भारतीय बनल छल। ओ १९९१ मे आओर २००२ मे दुईटा राष्ट्रीय चलचित्र पुरस्कार सेहो जीतने छल।
मार्च २०१० मे, अथैय्या हार्पर कलिन्सद्वारा प्रकाशित अपन पुस्तक द आर्ट अफ कस्ट्यूम डिजाइन जारी केलक। १३ जनवरी २०१३ मे, अथैय्या दलाई लामाक पुस्तक के एक प्रति उपहारमे देनए छल।
२३ फरवरी २०१२ मे, ई बताओल गेल जे अथैय्या एकेडमी अवार्ड के द एकेडमी अफ मोशन पिक्चर आर्ट्स एण्ड साइन्सेज मे फिर्ता करवाक चाहए छल कियाकी हुनका लगए छल जे हुनकर निधन के बाद हुनकर परिवार ट्रफी नै ठिकसँ सम्भारि के राखि पावत। १५ दिसम्बर २०१२ मे, ई पुष्टि कएल गेल जे कि ट्रफी एकेडेमी मे फिर्ता आवि गेल छल।
पुरस्कार आओर नामाङ्कन[सम्पादन करी]
वर्ष | अवार्ड | चलचित्र | परिणाम | Ref. |
---|---|---|---|---|
१९८३ (५५हम) |
एकेडेमी अवार्ड फोर बेस्ट कस्ट्युम डिजाइन | गान्धी | विजयी | [१] |
१९८३ (३६हम) |
बाफ्टा अवार्ड फोर बेस्ट कस्ट्युम डिजाइन | गान्धी | नामाङ्कित | [२] |
१९९१ (३८हम) |
नेशनल फिल्म अवार्ड फोर बेस्ट कस्ट्युम डिजाइन | लेकिन... | विजयी | [३] |
२००२ (१९हम) |
नेशनल फिल्म अवार्ड फोर बेस्ट कस्ट्युम डिजाइन | लगान | विजयी | [४] |
२००९ (५४हम) |
फिल्मफेयर लाइफटाइम अचिभमेन्ट अवार्ड | विजयी | [५] | |
२०१३ (४हम) |
लाडली लाइफटाइम अचिभमेन्ट अवार्ड | विजयी | [६] |
फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "The 55th Academy Awards (1983) Nominees and Winners", Academy of Motion Picture Arts and Sciences, अभिगमन तिथि २०१३-०५-०२।
- ↑ "Film in 1983 - BAFTA Awards", British Academy of Film and Television Arts, अभिगमन तिथि २०१३-०५-०२।
- ↑ "38th National Film Awards", Directorate of Film Festivals, मूलसँ २०१३-११-०५-के सङ्ग्रहित, अभिगमन तिथि २०१३-०५-०३।
|url-status=
प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता) - ↑ "49th National Film Awards", Directorate of Film Festivals, मूलसँ २०१३-१२-२४-के सङ्ग्रहित, अभिगमन तिथि २०१३-०५-०३।
|url-status=
प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता) - ↑ "Filmfare: 'Jodha...' bags 5, Priyanka, Hrithik shine", The Times of India (The Times Group), १ मार्च २००९, अभिगमन तिथि ११ जुलाई २०१३।
- ↑ "NGO to honour Bhanu Athaiya with Lifetime Achievement award", The Times of India (The Times Group), २१ जनवरी २०१३, अभिगमन तिथि ११ जुलाई २०१३।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास Bhanu Athaiyaसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |
- Filmography at The New York Times
- इन्टरनेट चलचित्र भण्डारणमे भानु अथैय्या
- Holding her Best Costume Oscar[permanent dead link]
आकृति:AcademyAwardBestCostumeDesign 1981–2000 आकृति:FilmfareLifetimeAchievementAward