भालसरिक गाछ
भालसरिक गाछक इतिहास
[सम्पादन करी]गजेन्द्र ठाकुर जीक ब्लाग "भालसरिक गाछ" जे सन २००० सँ याहूसिटीजपर छल। एकर लिंक http://www.geocities.com/bhalsarik-gachh/ अछि। याहूसिटीज बंद भेलाक बाद ५ जुलाई २००५केँ एही नामसँ ब्लागरपर सेहो गजेन्द्र ठाकुर द्वारा ब्लाग बनाएल आ जनवरी २००९मे एकरा विदेह (पत्रिका)क संग जोड़ि देल गेलै आ आब ई http://www.videha.com/2004/07/bhalsarik-gachh.html सङ्ग्रहित २०१७-१०-२३ वेब्याक मेसिन लिंकपर अछि। "भालसरिक गाछ" मैथिलीक पहिल इंटरनेट पत्रिका थिक आ ई गजेन्द्र ठाकुर द्वारा शुरू कएल गेल छल।[१] एहिठाम ई मोन राखब जरूरी जे मैथिलीक पहिल इंटरनेटक उपस्थिति बला पत्रिका कोन अछि ताहि संबंधमे अनको तथ्यहीन विवाद ठाढ़ कएल अछि। कियो कहै छथि जे हम १९९९सँ इंटरनेटपर पत्रिका शुरू केने रही तँ कियो कहै छथि हम २००० सालसँ शुरू केने रही मुदा ई सभ कोनो लिंक नै दऽ सकल छथि। ई कहै छथि जे ओ लिंक सभ हटि गेल। जँ एहने बात तखन तँ कियो दाबी कऽ सकैए जे फल्लाँ सालसँ इंटरनेटपर पत्रिका शुरू केने रही। एहि विवादक अंतर्गत "भालसरिक गाछ" केर लिंक महत्वपूर्ण अछि आ एखनो उपस्थित अछि तँइ ई निश्चित रूपेण कहल जा सकैए जे "भालसरिक गाछ" इंटरनेटपर मैथिलीक पहिल उपस्थिति अछि। आ एहि तरहें इंटरनेटक संसारमे मैथिलीकेँ स्थापित करबामे भालसरिक गाछ नामक ब्लाग केर महत्वपूर्ण स्थान अछि।[२]
संदर्भ ओ स्रोत
[सम्पादन करी]- ↑ http://mithila-maithil-maithili-sites.blogspot.in/2008/06/blog-post.html
- ↑ "Archive copy", मूलसँ २०१६-११-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०५-२८।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)