मनमाउथ रेजिमेन्टल सङ्ग्रहालय
मोनमाउथ रेजिमेन्टल म्यूजियम (बाँया) आ ग्रयान्ड क्यासटल हाउस (दाँया) क्यासटल हिल पर मोनमाउथ मे | |
| स्थापना | १९८९ |
|---|---|
| स्थान | मोनमाउथ, मोनमाउथशायर, वेल्स, यूके |
| निर्देशाङ्क | ५१°४८′४६″N २°४३′०१″W / ५१.८१२६८८°N २.७१६८२८°W |
| प्रकार | मिलिटरी |
| वेबसाइट | monmouthcastlemuseum.org.uk |
मोनमाउथ रेजिमेन्टल सङ्ग्रहालय (औपचारिक नाम: क्यासटल आ रेजिमेन्टल सङ्ग्रहालय मोनमाउथ) (अङ्ग्रेजी: Monmouth Regimental Museum) क्यासटल हिल, मोनमाउथ, मोनमाउथशायर, वेल्स मे स्थित एक सैन्य सङ्ग्रहालय छी। सङ्ग्रहालय ग्रेट क्यासटल हाउसक एक शाखा छी, जे ग्रेड प्रथम इमारत होए के साथ-साथ मोनमाउथ हेरिटेज ट्रेल के चौबीस स्थलसभमे सँ सेहो एक छी। सङ्ग्रहालयमे प्रदर्शित वस्तुसभ ब्रिटिश प्रादेशिक सेनामे सभसँ अधिक एवम् सभसँ वरिष्ठ रेजिमेन्ट रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स (मिलिशिया) पर केन्द्रित अछि। ग्रेट क्यास्टल हाउस रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्सक कार्यालय छी आ सङ्ग्रहालय रेजिमेन्ट के अभिलेखागारक कार्य करैत अछि। सङ्ग्रहालय १९८९ मे राजकुमार रिचर्ड, ग्लौस्टर के ड्यूक, द्वारा स्थापित कएल गेल छल। मोनमाउथ शहरक अपन योगदान के लेल सङ्ग्रहालय प्रिन्स अफ वेल्स पुरस्कारसँ सम्मानित कएल जा चुकल अछि। सङ्ग्रहालयमे विभन्न प्रकारक कलाकृतिसभ उपस्थित अछि जेकर ध्यान रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स पर मुख्य रुपसँ छी। एतय मोनमाउथ क्यासटल के खन्डहरसभक अवशेषसभसँ लके १९हम शताब्दी आ द्वितीय विश्व युद्ध धरि के अनेकौं वस्तुसभ अछि। ऐतिहासिक वस्तुसभ के प्रदर्शित करै के साथ-साथ सङ्ग्रहालय मिलिशिया के रेकर्ड के लेल एक भण्डार के रूपमे सेहो कार्य करैत अछि। एहीमे मिलल पुरालेखसभसँ ई स्पष्ट होइत अछि कि कोना रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स के नाममे अनोखा रुपसँ दुई "रोयल" छी। सङ्ग्रहालय अपन किछ रेकर्ड इन्टरनेट पर खोजि डेटाबेस के रूपमे सेहो उपलब्ध करवैत अछि।
इतिहास
[सम्पादन करी]अधिक औपचारिक रूप सँ सङ्ग्रहालय क्यास्टल एण्ड रेजिमेन्टल म्यूजियम, मोनमाउथ के नाम सँ जानल जाइत अछि। सङ्ग्रहालय क्यास्टल हिल पर स्थित अछि, जे शहरक केन्द्रक सभसँ अधिक ऊचाई वाला हिस्सा छी। ई १९हम शताब्दीक शाखामे स्थित अछि जे १७हम शताब्दीक इमारत ग्रेट क्यास्टल हाउसक हिस्सा छी।[१][२][३] एजिन्कोर्ट स्क्वायर के एकदम उत्तर-पश्चिममे स्थित ग्रेट क्यास्टल हाउस संयुक्त राजशाही के ग्रेड प्रथम इमारत छी।[४][५] ई मोनमाउथ हेरिटेज ट्रेल के चौबीस स्थलसभमे सँ एक छी जतय ई सम्मानक दर्शावैत एक नीला पट्टिका लगल गेल अछि।[६][७] हाउसक निर्माण हेनरी सोमरसेट, ब्यूफोर्ट के प्रथम ड्यूक, जे ओ समय वुस्टर के तेसर मार्क्विस छल, के द्वारा सन् १६७३ मे मोनमाउथ किल्ला के खन्डहरसभ सँ कएल गेल छल, जखन ओ ब्याटमिन्टन आ ट्रय हाउसक पुनर्निर्माण करि रहल छल।[५][८] एकर निर्माण टाउन हाउस के रुपसँ कएल गेल छल। तीन मञ्जिला ई इमारत निवर्तमान समयमे ब्रिटिश प्रादेशिक सेनामे सभसँ वरिष्ठ रेजिमेन्ट रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्सक मुख्यालय छी।[५][९]
बीबीसी वर्ल्डवाइड के स्वामित्व वाला मार्गदर्शिका किताब लोनली प्लानेट सङ्ग्रहालय के ई प्रकार वर्णित करैत अछि: "अ लेबर अफ लव स्क्वीज्ड इनटू अ कपबोर्ड-साइज्ड स्पेस"। क्यास्टल आ रेजिमेन्टल सङ्ग्रहालय (क्यास्टल एण्ड रेजिमेन्टल म्यूजियम) १९८९ मे राजकुमार रिचर्ड, ग्लौस्टर के ड्यूक, द्वारा स्थापित कएल गेल छल।[४][१०] ई अन्तिम बेर, अखन निष्क्रिय भऽ चुकल अछि, सङ्ग्रहालय, पुस्तकालय आ अभिलेखागार परिषद (म्यूजियम, लायब्रेरीज एण्ड आर्काइव्स काउन्सिल) द्वारा २०१० मे प्रत्यायित भेल छल।[४][११] सङ्ग्रहालय मोनमाउथ के अपन योगदान के लेल प्रिन्स अफ वेल्स पुरस्कारसँ सम्मनित भऽ चुकल अछि। मोनमाउथ रेजिमेन्टल सङ्ग्रहालय स्वयंसेवक कर्मचारीसभद्वारा सञ्चालित कएल जाइत अछि तथा एहीमे प्रवेश नि:शुल्क अछि।[४][१२]
रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्सक इतिहास
[सम्पादन करी]
प्रारम्भ मे एक स्थानीय मिलिशिया, रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स अखन ब्रिटिश सेना के केवल शेष बचल मिलिशिया इकाई अछि आ प्रादेशिक सेना के आरक्षित बलसभक एक महत्वपूर्ण घटक सेहो अछि।[४][१३] प्रादेशिक सेना स्वयंसेवकसभक द्वारा बनैत अछि, जेकरा आन्तरायिक रुपसँ साथ लावि प्रशिक्षित कएल जाइत अछि आ यदि आवश्यक होए तँ एकर सेवा सेहो लेल जाइत अछि।[१४] १५३९ मे अपन प्रारम्भिक निरीक्षण के बाद इकाई अन्ततः पोसी कमिटाटस बनि गेल। एहीसँ अपन अङ्ग्रेजी गृहयुद्ध के दौरान घेराबन्दी सँ बचौलक् आ दुई शताब्दीसभक लेल मिलिशिया इकाई बनि रहल।[४] १८७७ सँ १८९६ धरि ई एक अभियन्ता रेजिमेन्ट छल जेकर बाद एकर रोयल इन्जीनियर रेजिमेन्ट के नामसँ जानै जाए लगल।[४][१३] १८९६ मे रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स अपन नाममे दुईटा "रोयल्स" होए के एकमात्र इकाई होए के गौरव प्राप्त केलक। ब्रिगेड बिल्ला वा पिन के स्थान पर रेजिमेन्ट के सैनिक केवल एकमात्र रोयल इन्जीनियर्स छी जे प्रिन्स अफ वेल्स डिभिजन टोपी बिल्ला आ मिलिशिया फ्ल्याश पहिरैत अछि।[१३] दिसम्बर २०१० मे बीबीसी न्यूज रिपोर्ट देनए छल कि रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स सभसँ हाल ही के तैनाती के दौरान २१हम इन्जीनियर रेजिमेन्ट छल। रेजिमेन्ट के सदस्यसभ अफगानिस्तान युद्ध मे ब्रिटिश अभियान अपरेशन हरिक के दौरान अपन सेवा हेलमन्द प्रान्त मे देनए छल। अफगानिस्तान सँ अपन फिर्ता आवि गेलाक बाद सैनिकसभक मोनमाउथ भर मे परेड द्वारा सम्मानित कएल गेल छल, शायर हल के पास ओ सभ के सलामी देल गेल, विशेष चर्च सेवा आयोजित कएल गेल तथा बाद मे ओ सभ के अपन सेवा पदक प्राप्त भेल।[१५]
कलाकृतिसभ
[सम्पादन करी]
सङ्ग्रहालयमे प्रदर्शित कलाकृतिसभ मिलिशिया संरचना आ ब्यूफोर्ट के ड्यूक्स के महत्ता सहित अनेकौं विभिन्न विषयसभक कभर करैत अछि। अन्य रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्ससँ सम्बन्धित विशिष्ट विषयसभमे शामिल अछि: नाममे दोहोरा "रोयल", इकाई के रङ्ग, फ्रीडम आ आरक्षित सेना के सभसँ वरिष्ठ रेजिमेन्ट होए के वर्तमान दर्जा।[४] छोटका अनुभाग पुरान समयमे मोनमाउथ आ एकर क्यास्टल के रक्षा (पुरातात्विक कलाकृतिसभ सहित), होम फ्रन्ट, एचएमएस मोनमाउथ आ हाल ही के बाल्कन आ इराक युद्धसभक कभर करैत अछि। १९हम शताब्दी के अन्त के रेजिमेन्ट ढोल के साथ-साथ सङ्ग्रहालय मे द्वितीय विश्व युद्ध के समय के सेहो अनेकौं वस्तुसभ शामिल अछि जेना एक जल परीक्षण किट, अफिसर स्वोर्डस्टिक, डिब्बाबन्द केक राशन तथा बाइबल, न्यू टेस्टमेन्ट आ बुक अफ कमन प्रेयरक एक सट।[१६] अन्य विषयसभमे मोनमाउथ के मध्यकालीन दीवारसभ आ गढ पुरातात्विक प्रदर्शनी के साथ शामिल अछि। सङ्ग्रहालय मे प्रदर्शित एक मध्यकालीन कलाकृति अग्निरोधक खाना पकावेक वर्तन सेहो अछि जेकर खोज क्यास्टल हिल पर भेल छल। भोजन पकावेक ई वर्तन देखै मे आधुनिक समय के विद्युत सँ चलै वाला धीमा कुकरक मध्यकालीन संस्करण प्रतीत होइत अछि।[१७]
इमारत के आगा सङ्ग्रहालय द्वितीय विश्व युद्ध के ब्रिटिश बखत्रबन्द युद्ध वाहन जेहन अनेकौं रुपसँ विशाल सैन्य उपकरणसभक प्रदर्शित करैत अछि। एकर बाहेक ग्रेड द्वितीय सूचीबद्ध रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्सक युद्ध स्मारक सङ्ग्रहालय के नजदीक क्यास्टल हिल पर अवस्थित अछि।[१८][१९]
अभिलेखागार
[सम्पादन करी]ऐतिहासिक वस्तुसभक प्रदर्शित करै के साथ-साथ मोनमाउथ रेजिमेन्टल सङ्ग्रहालय रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स के रेकर्ड के लेल एक भण्डार के रूपमे सेहो कार्य करैत अछि। दस्तावेज १७८६ सँ १९९१ के बीच के अवधि सँ सम्बन्धित अछि। अभिलेखागार सँ पता चलैत अछि कि कोना रेजिमेन्टक वर्तमान शीर्षक शताब्दीमे विकसित भेल अछि। १६६० आ १७९३ के बीच ई मोनमाउथशायर मिलिशिया के रूप मे जानल जाइत छल। ओकर बाद ई संक्षिप्त अवधि के लेल (१८०४ धरि) मोनमाउथ आ ब्रैकन मिलिशिया के रूप मे जानल जाए लगल। इकाई पहिल बेर १८०४ मे रोयल नाम के अपनौलक् जेकर बाद एकर नाम रोयल मोनमाउथ आ ब्रैकन मिलिशिया भऽ गेल। १८५२ सँ १८७७ के बीच रेजिमेन्ट के रोयल मोनमाउथशायर (लाइट इन्फैन्ट्री) मिलिशिया के उपाधि मिलल। एकर बाद इकाई के एक पैदल सेना के भूमिका सँ इन्जीनियर रेजिमेन्ट मे बदलि देल गेल जाहिसँ ई रोयल मोनमाउथशायर इन्जीनियर्स (मिलिशिया) शीर्षक वाला रिजर्व इन्जीनियर रेजिमेन्ट बनि गेल। १८९६ मे जखन ई एक रोयल इन्जीनियर इकाई बनि गेल तँ अन्ततः एकरा एकर वर्तमान नाम रोयल मोनमाउथशायर रोयल इन्जीनियर्स (मिलिशिया) मिलल।[१४]
सङ्ग्रहालय के पुरालेख मे इकाई के नामावलीसभ आ भर्ती रेकर्ड शामिल अछि। किछ रेकर्ड इन्टरनेट पर खोज डेटाबेस के रूप मे उपलब्ध अछि। अभिलेखसभक मूल्याङ्कनसँ पता चलैत अछि कि रेजिमेन्ट के सेवाकर्मी केवल मोनमाउथशायर क्षेत्र सँ ही नै छल। प्रथम विश्व युद्ध सँ ही इकाई ईङ्गल्याण्ड आ वेल्स के सभ क्षेत्रसभसँ रङ्गरूटसभक आकर्षित करैत छल। सङ्ग्रहालय आ एकर पुरालेख यूनाइटेड किङ्गडम नेशनल इन्भेन्टरी अफ वार मेमोरियलस् के साथ सूचीबद्ध अछि, जे संयुक्त राजशाही के युद्ध स्मारकसभक एक डेटाबेस बनल गेल छल। सङ्गठनक लक्ष्य युद्ध स्मारकसभक संरक्षण केनाए अछि।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ इयान एफ़॰ डब्ल्यू॰ बॅकट (4 मार्च 2008). Discovering British Regimental Traditions (2, सचित्र संस्करण). ऑसप्रे पब्लिशिंग. प॰ 115. आइएसबिएन 0747806624, 9780747806622. http://books.google.com/books?id=SYWr-ljWbuQC&pg=PA115&lpg=PA115&dq=Monmouth+Regimental+Museum&source=bl&ots=5YtB-Qov5-&sig=k7fAt-O_5cj5Rbt5bxbLomVz2e8&hl=en&sa=X&ei=lie4T96-POWHsgKWz_SKDA&ved=0CF0Q6AEwCTgU#v=onepage&q=Monmouth%20Regimental%20Museum&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 1 जून 2012.[permanent dead link]
- ↑ "The Castle and Regimental Museum - Hours", monmouthcastlemuseum.org.uk. क्यास्टल एण्ड रेजिमेन्टल म्यूज़ियम, मोनमाउथ, मूलसँ २०१२-०६-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Great Castle House, Monmouth", monmouthcastlemuseum.org.uk. क्यास्टल एण्ड रेजिमेन्टल म्यूज़ियम, मोनमाउथ, मूलसँ २०१२-०७-१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ जून २०१२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - 1 2 3 4 5 6 7 8 "The Castle and Regimental Museum - Home Page", monmouthcastlemuseum.org.uk. क्यास्टल एण्ड रेजिमेन्टल म्यूज़ियम, मोनमाउथ, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
- 1 2 3 "Great Castle House, Monmouth", britishlistedbuildings.co.uk. ब्रिटिश लिस्टिड बिल्डिंगस्, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
- ↑ "Monmouth Trails", visitwyevalley.com. वेया वैली एण्ड वेल ऑफ आस्क, अन्तिम पहुँच २० मई २०१२।[permanent dead link]
- ↑ "Arweiniad cyflawni Llwybr Treftadaeth Placiau Gleision – Tŷ Mawr y Castell (Great Castle House)" (पी॰डी॰एफ॰) (वेल्शमे), visitwyevalley.com. वेया वैली एण्ड वेल ऑफ आस्क, पृ: ११, अन्तिम पहुँच २१ जून २०१२।
- ↑ "Walking in Monmouth, Monmouthshire and The Wye Valley", monmouth.org.uk. द मोनमाउथ वेबसाइट, मूलसँ २०१२-०१-१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
- ↑ "Monmouth Town", monmouth.gov.uk. मोनमाउथ टाउन काउंसिल, मूलसँ २०१२-०४-२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Museum sights in Wales", lonelyplanet.com. बीबीसी वर्ल्डवाइड - लोनली प्लेनेट, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
- ↑ "Accreditation Scheme for Museums and Galleries in the United Kingdom" (पी॰डी॰एफ़॰), artscouncil.org.uk. वेल्श गवर्नमेंट, आर्ट्स काउंसिल इंग्लैंड, मूलसँ २०१२-०७-०३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ जून २०१२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "City spotlight: Monmouth", द टेलीग्राफ, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
- 1 2 3 "Royal Monmouthshire Royal Engineers (Militia)", army.mod.uk. ब्रिटिश आर्मी, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
- 1 2 "The Regimental Archive of the Royal Monmouthshire Royal Engineers (Militia)", monmouthcastlemuseum-archives.org.uk. क्यास्टल एण्ड रेजिमेन्टल म्यूज़ियम, मोनमाउथ, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
- ↑ "Last UK militia exercises it right to march in Monmouth", बीबीसी न्यूज़, ५ दिसम्बर २०१०, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
- ↑ "Castle and Regimental Museum, Monmouth", gtj.org.uk. गैदरिंग द ज्वेल्स, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
- ↑ "A fragment of a mediaeval fireless cooking pot, found in Monmouth Castle grounds", peoplescollection.co.uk. पीपल्स कलेक्शन वेल्स, मूलसँ २०१२-०५-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "War Memorial of the Royal Monmouthshire Royal Engineers, Monmouth", britishlistedbuildings.co.uk. ब्रिटिश लिस्टिड बिल्डिंगस्, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
- ↑ "War Memorial Royal Monmouthshire Royal Engineers", ww2museums.com, अन्तिम पहुँच ३ जून २०१२।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]