मयमनसिंह
मयमनसिंह
ময়মনসিংহ | |
---|---|
शहरक सम्पदासभ | |
देश | बङ्गलादेश |
विभाग | मयमनसिंह |
जिला | मयमनसिंह |
स्थापना | सन् १७८७ |
शहर | सन् १७८७[१] |
सरकार | |
• प्रकार | शहर नगरपालिका |
• मेयर | इकरामुल हकी टिटु |
• परिसदका सदस्य | मोतिउर रहमान |
क्षेत्रफल | |
• शहर | ९१.३१५ किमी२ (३५.२५७ वर्गमाइल) |
• महानगर | ९१.३१५ किमी२ (३५.२५७ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | १९ मिटर (६२ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• शहर | १३,८९,९१८ |
• घनत्व | ४४४५८/वर्ग किमी (११५१५०/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+६ (बङ्गलादेशी समय) |
डाक कोड | २२००, २२०१, २२०२, २२०३, २२०४, २२०५, २२०६ |
टेलिफोन कोड | ०९१ |
वेबसाइट | http://www.mymensingh.gov.bd/ |
ममयनसिंह बङ्गलादेशक ब्रह्मपुत्र नदी किनारमे अवस्थित सभ सँ दोसर बेसी जनघनत्व भेल शहर छी । ई शहरमे राज काल सँ पैग पैग भवनसभ रहल अछि । ममयनसिंह विभागक मुख्य शहर आ सदरमुकामक रुपमे रहल ई शहर बङ्गादेशक राजधानी ढाका सँ १२० किलोमिटर (७५ माइल) उत्तर दिस रहल अछि । ई शहरक सिमाना क्षेत्र गाजीपुर, जमलपुर, तङ्गाली आ किशोरगञ्ज जका जिलासभद्वारा घेराएल अछि । जनता प्रशासक मन्त्रालयक अनुसार ममयनसिंह जिला बङ्गलादेशक जिलासभमे सँ ४ अम स्थानमे रहल अछि । ई उत्तर मध्य बङ्गलादेशक एक प्रमुख वित्तीय केन्द्र छी । ई बङ्गलादेशक तेसर सभ सँ पैग शहर छी आ ममयनसिंह शहरक जनघनत्व ४४,४५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि जे बङ्गलादेशमे जनघनत्वक हिसाब सँ दोसर बेसी जनआबादी छी । ई शहर समुद्री सतह सँ १९ मीटर उचाईमे अवस्थित अछि ।
मौसम आ भूगोल
[सम्पादन करी]ई शहरक कोनो आधिकारिक रूपमे परिभाषित भौगोलिक सीमा मापन नै कएल गेल अछि । सन् १९८० कें दशक सँ शहर तीव्र शहरीकरणक सङ्ग विस्तार भेल कारण मापन केनाए कठिन भेल अछि । ममयनसिंह शहर उत्तर दिस फैलिल पुरान ब्रह्मपुत्र नदीकें किनारमे अवस्थित अछि । शम्भुगञ्ज नदी आ ब्रह्मपुत्र नदी शम्भुगनञ्ज नदीक बाँधमे आबि मिलैत अछि जे ब्रह्मपुत्र नदीक बामा कात पडैत अछि । ई शहरक मध्य भागमे सुल्तानबाद कलेज, मेडिकल कलेज, कृषि विश्वविद्यालय अादी अछि । राजधानी शहर ढाका सँ एक रेलवे मार्ग सञ्चालित अछि जकरा सन् १८८५-१८९९ कें बीच बनाएल गेल छल जे शहरकें दुई पक्षमे विभाजन करैत अछि ।
ई शहर हिमालयक नजदिक भेलाक कारण ई शहर राजधानी ढाका सँ शितल अछि । शहरमे वर्षा ऋतु मई आ जुन महिनामे सुरु भऽ अगस्तधरि जारी रहैत अछि । ई समयमे एहि ठाम भारी वर्षा होएत अछि आ कहियो काल तँ ३ दिन या एक सप्ताह सँ बेसी समयधरि वर्षा होएत रहैत अछि । ई शहरक तापक्रम वर्षा ऋतुमे १५ सँ २० डिग्री होएत अछि तँ ठण्डीमे ई शहरक तापक्रम १५ या ओहि सँ कम भऽ जाएत अछि । ठण्डी मौसम मध्य नवम्बर सँ मध्य फरबरी धरि चालू रहैत अछि । ई शहरक उच्च तापक्रम ४० डिग्री होएत अछि जे अप्रैल आ मईकें बीचमे होएत अछि । ई शहरमे घुमऽ कऽ लेल आबऽ वाला पर्यटकसभक लेल नवम्बर सँ फरबरी बीचक महिना सभ सँ उपयुक्त होएत अछि ।
धर्म
[सम्पादन करी]ममयनसिंह बङ्गलादेशक एक शहर छी जतय मुस्लिम आ हिन्दुसभ एके साथ रहैत अछि । ई शहरमे दुनू धर्मक पावनि तिहार मनाएल जाएत अछि । दुर्गा पूजाक समयमे पुरा शहर सुन्दर द्वार आ फूलसभद्वारा सजाएल जाएत अछि । किछ इसाई परिवारसभ सेहो ममयनसिंहमा बसोबास करैत अछि । ई शहरमे सम्पूर्ण धर्मक सभ प्रकारक लोकसभक बसोबास अछि ।
शिक्षा
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "मयमनसिंहमा मेयरको भाषण"। चिट्टेगोंग शहर निगम। मूलसँ 25 November 2007 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 21 December 2009।
{{cite web}}
: Unknown parameter|deadurl=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ ": शहरी क्षेत्र विभाग" (PDF)। बङ्गलादेशको जनसङ्ख्या र घरहरूको जनाकारी। बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग। August 2014। p. 72। अन्तिम पहुँच 11 June 2017।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास ममयनसिंहसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |
विकियात्रामे ममयनसिंहसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। |