सामग्री पर जाएँ

मानसी अग्रवाल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मानसी अग्रवाल
Mansi Aggarwal
जन्म
दिल्ली
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायनृत्य-परिकल्पक
सक्रिय वर्ष२००८-२०१७

मानसी अग्रवाल एक भारतीय नृत्य-परिकल्पक छी। ओ साङ्घाई नामक चलचित्रक गीत 'भारत माता की जय' कें नृत्य-परिकल्पक करि लोकप्रिय भेल छल।[] ओ उल्लेखनीय अभिनेतासभ जेना सुशांत सिंह राजपूतक सङ्ग पुरस्कार विजेता चलचित्र, काई पो चे[] आ देव डी[]मे अभय देओलक सङ्ग काम केनए अछि।

स्टारडस्टफिल्मफेयर पुरस्कारक लेल हुनका कोरियोग्राफ कएल गेल गीत 'सुनो ना सङ्गमरमर' नामाङ्कित कएल गेल छल।

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

मानसीक जन्म दिल्लीमे भेल अछि। जतय ओ भारतीय शास्त्रीय नृत्य, कथकक प्रशिक्षण प्राप्त केलक। हुनकर कथक प्रशिक्षण तखन शुरू भेल जखन ओ मात्र ७ वर्षक छल आ बाद मे ओ नृत्यकर्ताक रुपमे अपना आपकें स्थापित करैमे सफल भेल। ओ दिल्ली विश्वविद्यालयक हंसराज कौलेजमे अर्थशास्त्रक अध्ययन केलक आ अपन स्नातक स्तरक पढ़ाई खत्म करवाक बाद ओ दिल्लीमे मानसी डान्स क्रिएसन्स कऽ नाम सँ अपन नृत्य संस्थान खोललक।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Dance is now a viable career option: Mansi Agarwal", The Times of India, १९ मई २०१२।
  2. "Changing Tune", India Today, १९ मई २०१२।
  3. "'Bharat Mata Ki Jai' is impromptu and violent, says choreographer Mansi", Yahoo News, ५ जून २०१२।
  4. "I re-invented myself for films’", My Theatre Cafe, २४ जून २०१३, मूलसँ १५ सितम्बर २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ११ मार्च २०१९

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]