मार्टिन लुथर किङ, जुनियर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मार्टिन लुथर किङ, जुनियर
Martin Luther King Jr NYWTS.jpg
सन् १९६४ मे
जन्म
माइकल किङ, जुनियर

(१९२९-०१-१५)जनवरी १५, १९२९
मृत्युअप्रैल ४, १९६८(१९६८-०४-०४) (३९ वर्ष)
मेम्फिस, टेनेसी, संयुक्त राज्य
मृत्यु कारणहत्या
धरोहरमार्टिन लुथर किङ, जुनियर मेमोरियल
मातृसंस्था
व्यवसायपादरी, कार्यकर्ता
सङ्गठनदक्षिणी मसिही नेतृत्व सम्मेलन
शीर्षकसमाजक परिवर्तन केनिहार, शहीद
अभियानअफ्रिकी-अमेरिकी नागरिक अधिकार आन्दोलन, शान्ति आन्दोलन
जीवनसाथी(सभ)कोरेट्टा स्कट किङ (वि. १९५३–१९६८)
बालबच्चा
अभिभावक(सभ)मार्टिन लुथर किङ, वरिष्ठ
अल्बर्टा विलियम्स किङ
पुरस्कारनोबेल शान्ति पुरस्कार (१९६४), स्वतन्त्रता राष्ट्रपति पदक (१९७७, मरणोत्तर), काङ्ग्रेसक गोल्ड मेडल (२००४, मरणोत्तर)
हस्ताक्षर
Martin Luther King Jr Signature2.svg


डा॰ मार्टिन लुथर किङ, जुनियर (१५ जनवरी १९२९ – ४ अप्रैल १९६८) अमेरिकाक एक पादरी, आन्दोलनकारी आ अफ्रिकी-अमेरिकी नागरिक अधिकारक लेल सङ्घर्षक प्रमुख नेता छी। हिनका अमेरिकाक गान्धी सेहो कहल जाएत अछि। डा॰ किङ संयुक्त राज्य अमेरिकामे निग्रो समुदाय उपर होमएवला भेदभावक विरुद्ध सफल अहिंसात्मक आन्दोलन सञ्चालन केनए छल। सन्‌ १९५५ मे हिनकर जीवनक निर्णायक काल-खण्ड छल। ई वर्ष कोरेटा सँ हिनकर विवाह भेल आ हिनका अमेरिकाक दक्षिणी प्रान्त अल्बामाके मान्टगोमरी शहरमे डेक्सटर एभेन्यु बपटिस्ट चर्चमे वक्तव्य देवाकलेल बोलाओल गेल आ एहि वर्ष माटगोमरीकेँ सार्वजनिक बसमे कारी-गोर कऽ भेदभाव विरुद्ध एकटा महिला रोजा पार्क्स अपन गिरफ्तारी देनए छल । एकर बाद डा॰ किङद्वारा प्रसिद्ध बस आन्दोलनक सुरुआत केनए छल।

पूरे ३८१ दिन चलल ई सत्याग्रही आन्दोलनक बाद अमेरिकी बससभमे कारी-गोर यात्रीसभक लेल अलग-अलग सीट रखवाक प्रावधान खत्म करि देल गेल। बादमे ओ धार्मिक नेतासभक मद्द्ति सँ समान नागरिक कानून आन्दोलन अमेरिकाक उत्तरी भागमे सेहो फैलेलक। हुनका सन्‌ १९६४ मे विश्व शान्तिक लेल सभसँ कम उमरमे नोबेल शान्ति पुरस्कार सँ नवाजल गेल। कयन अमेरिकी विश्वविद्यालय हुनका मानद उपाधि देनए छल। धार्मिक आ सामाजिक संस्थासभ हुनका सम्मान स्वरूप मेडल प्रदान केलक। अमेरिकाक चर्चित पत्रिका टाइम हुनका सन् १९६३ केँ 'म्यान अफ द इअर' चुनलक। ओ महात्मा गान्धीद्वारा सुरु कएल गेल अहिंसा आन्दोलनसँ बहुतेक प्रभावित छल।

जीवनी[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]