मीरा सेठ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश















































मीरा सेठ
संयुक्त राष्ट्र बाल कोषक अध्यक्ष
पूर्वाधिकारीलिस्बेट पाल्मे
उतराधिकारीफ्रेडरिक वार्ड

मीरा सेठ एक भारतीय जनसेवक, कुटनीतिज्ञ, महिला अधिकार कार्यकर्ता आ संयुक्त राष्ट्र बाल कोष (युनिसेफ)क पूर्व अध्यक्ष छी। अन्तर्राष्ट्रिय स्तर पर युनिसेफक कार्यकारी समितिकें सदस्यक रूपमे कयन पदसभ पर कार्य करि चुकल सेठ सन् १९९० सँ सन् १९९१ धरि (जखन लिस्बेट पाल्मे अध्यक्ष छल) युनिसेफक उपाध्यक्ष छल, आ पुन: एकर बाद सन् १९९१ सँ सन् १९९२ धरि एकर अध्यक्ष रहल छल।[१][२] सेठ एहि सँ पहिने भारत सरकारक वाणिज्य आ उद्योग मन्त्रालयक उद्योग सम्वर्धन आ आन्तरिक व्यापार विभागमे काज केनए अछि। बहुतेक भिन्न-भिन्न आर्थिक प्रयाससभ, जेना कि हथकरघा या मत्स्य पालनक विनियमनमे महिलासभक भागीदारी पर हिनकर अध्ययन अतुलनीय अछि। अपन एहि अध्ययन पर ओ विमिन एन्ड डेभलपमेन्ट: द इन्डियन एक्सपिरियन्स (महिलासभ तथा विकास: भारतीय अनुभव) नामक एक पुस्तक सेहो लिखने अछि।

सेठ मेरा शिन्दर पुत्तर नामक एक चलचित्रक सेहो निर्देशन केनए अछि, जे एक अवैध प्रवासीक धैर्यक परीक्षण आ भारतमे ओकर पछाडी छुट्ल परिवारक बारेमे गप्प करैत अछि।

प्रकाशन[सम्पादन करी]

  • (अंग्रेजीमे) विमिन एन्ड डेभलपमेन्ट:द इन्डियन एक्सपिरियन्स (अङ्ग्रेजी: Women and development : the Indian experience). सेज पब्लिकेशन्स. २००१. आइएसबिएन 978-0761994879. 
  • Empowerment of Women Through Tourism Industry and Sikkim State, India, 2013, International Journal of Current Research

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]