मेरिसा मिल्लर
मेरिसा मिल्लर Marisa Miller | |
---|---|
मिल्लर सन् २००९ मे | |
जन्म | मेरिसा ली बेरटेट्टा अगस्त ६, १९७८ सेन्टा क्रुज, क्यालिफोर्निया, संयुक्त राज्य |
जीवनसाथी(सभ) | जिम मिल्लर (वि. २०००; विच्छेद. २००२) ग्रिफिन गेस (वि. २००६) |
बालबच्चा | २ |
मोडलिङ जानकारी | |
उचाई | ५ फिट ८ इन्च (१.७३ मी) |
केसक रङ | सुनहरा |
आँखिक रङ | हेजल |
प्रबन्धक | एक्सल स्पोर्ट्स म्यानेजमेन्ट |
वेबसाइट | marisamiller.com |
मेरिसा ली मिल्लर (उर्फ बेरटेट्टा; जन्म अगस्त ६, १९७८)[१][२] एक अमेरिकी मोडल आ अभिनेत्री छी, जकरा स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसूट अङ्कमे हिनकर प्रदर्शन आ भिक्टोरिया सिक्रेट कऽ लेल हिनकर कामऽक लेल जानल जाएत अछि।[३] भोग, जका फ्यासन पत्रिकासभक लेल फोटोग्राफर मारियो टेस्टिनोकें सङ्ग एक बृहत फोटोसुट कऽ बाद, सन् २००२ मे मिल्लर दुनू कम्पनीसभक लेल काम केनाए शुरू करि देलक। सन् २००७ मे, ओ भिक्टोरिया सिक्रेट परी बनि गेल, आ सन् २००८ कें स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसूट संस्करणक आवरण पृष्ठ पर प्रदर्शित भेल। हिनकर उपलब्धिसभक कारण हिनका 'महान अमेरिकी सुपर मोडलक वापसी' कऽ उपमा देल गेल।[४]
जीवनी
[सम्पादन करी]मिल्लरक जन्म मरिसा ली बेरटेट्टाक रुपमे भेल छल। हिनकर जन्म संयुक्त राज्य अमेरिकाक क्यालिफोर्निया राज्यक सेन्टा क्रुजमे भेल छल। हुनकर माताकें नाम क्रिस्टा (उर्फ युजलडिङ्गर) आ पिताकें नाम मार्क बेरटेट्टा छी।[५][६][७] हुनकर दुई टा छोट बहीन अछि।[७] मिल्लर अपन उच्च शिक्षा एप्टस उच्च विद्यालय आ[८] मोन्टे भिस्टा क्रिस्चियन विद्यालय सँ पूर्ण केलक।[५] ओ अपनाआप कें वाल्यकाल आ माध्यमिक तह धरि एकटा पुरुष युवाक रुप छल आ हिनकर सङ्गीसभ अधिकतर पुरुष छल आ एक लड़कीमे होमए वाला बात सभ सँ बहुत अनभिज्ञ छल।[९] लज्जापन सँ दूर, ओ पैग पैग टि-सर्टसभ पहिनैत छल जहि सँ ओ अपन शरीरके पूर्ण रुप सँ नुकाए सकै आ समुद्री तट पर पुरुषक खेलकें मजा लऽ सकै।[१०]
हुनका पहिल बेर दू टा इटालियन मोडलिङ्ग एजेन्ट स्यान फ्रान्सिस्को क्याफेमे देखने छल।[५] मेरिसाक माता सँ गप्प भेलाक बाद किछ महिना बाद मेरिसा आ हुनकर माता इटाली जाएवला हवाईजहाजमे छल।[३]
करियर
[सम्पादन करी]सन् २००१ मे भोग पत्रिकाकें अमेरिकी आ इटालियन संस्करणक सम्पादक आ फ्यासन फोटोग्राफर मारियो टेस्टिनो सँ भेट भेलाक बाद मिल्लर मुख्यधारा सँ हटि वयस्क पत्रिकाक लेल मोडलिङ्ग सुरु केलक।[३] सन् २००२ मे मिल्लर भिक्टोरिया सिक्रेटक लेल काज केनाए आरम्भ केलक आ सन् २००२ सँ सन् २००८ धरि प्रकाशित भेल सभ स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसुट संस्करणमे आवरित कएल गेल छल। सन् २००७ मे ओ मात्र आईपोड लऽ तस्विर खिचेने छल जे बहुत लोकप्रिय भेल छल।[११][१२] ओ बहुत रास आ विविध किसिमक पत्रिकामे प्रदर्शित भेल छल जहिमे अधिकतर अन्तर्राष्ट्रिय पत्रिकासभ छल। ओ जिक्यु, म्याक्सिम, ग्ल्यामर, कस्मोपोलिटन, मारी क्लेर, एल्ले आ भ्यानिटी जका पत्रिकामे प्रदर्शित भेल छल।[१३] ओ मार्क जब्स, टमी हिलफाइगर, एन्ड्रयु मार्क, भिक्टोरिया सिक्रेट, जे क्रु, गेस?, नर्डस्ट्रम, बाथ एण्ड बडी वर्कस आ ट्र्यु रिलिजन जिन्सक लेल विज्ञापनमे सेहो काज केनए छल।[१३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Marisa Miller Pictures, Photo Galleries, Bio & Rating", AskMen.com, News Corporation, मूलसँ २०१०-०५-११ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-०४-१४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Marisa Miller on TV.com", मूलसँ २००८-०६-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-०४-१३, "Unlike most models who begin their careers with nude photo shoots, Marisa was able to make the jump to mainstream modeling"
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ ३.० ३.१ ३.२ Lauren Murphy. "Miller, Genuine", Los Angeles Confidential, October 2008.
- ↑ Thompson, Arienne (२००८-०५-१३), "Marisa Miller's model year just got 'Maxim' exposure", USA Today (Gannett Company), अन्तिम पहुँच २०१०-०४-१३, "Maxim editorial director James Kaminsky says 2008 is indeed the year of Miller. "She represents the return of the great American supermodel, and she's veering towards ubiquity," he says. "But in a really great way.""
- ↑ ५.० ५.१ ५.२ Seals, Brian (२००८-०२-१३), "Aptos native Marisa Miller makes Sports Illustrated cover", Santa Cruz Sentinel, MediaNews Group, मूलसँ २०१०-०४-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-०४-१३।
|deadurl=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Cindy Crawford pays tribute to National Siblings Day with family photo", Mail Online, अन्तिम पहुँच २०१८-०४-०३।
- ↑ ७.० ७.१ "Surfer to Surfer: Kelly Slater Interviews Marisa Miller" (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ २०१८-०४-०६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-११-२४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Alia Wilson (अक्टुबर ३, २००९), "Aptos High students get a visit from Marisa Miller at lunchtime", Santa Cruz Sentinel, मूलसँ २०१३-०७-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच जून २०, २०१२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "13 Questions With Marisa Miller", AskMen.com (News Corporation), मूलसँ २००९-०६-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-०४-१३।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Hollie McKay (अक्टुबर ३०, २००९), "Marisa Miller on Gaining Weight and Hiding Her Curves", Fox News (News Corporation), मूलसँ २००९-११-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-११-२४।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Bookwalter, Genevieve (२००९-१०-०२), "Monte headliners hope show starts something big; Up-and-coming acts excited for Santa Cruz, while supermodel returns home to emcee", Santa Cruz Sentinel, MediaNews Group, मूलसँ २०१०-०४-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१०-०४-१३, "the woman who famously posed in Sports Illustrated wearing nothing but an iPod said she is a little anxious about bringing her work home."
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ सन्दर्भ त्रुटि: अमान्य
<ref>
टैग;ripd
नामक संदर्भ की जानकारी नहीं है - ↑ १३.० १३.१ "Fashion Model Directory profile", अन्तिम पहुँच २००९-०२-२८।