मैथिली ठाकुर
मैथिली ठाकुर एक भारतीय गायिका छी।[१]सन् २०१७ मे भारतीय गायन रियालिटी कार्यक्रम राइजिङ स्टारक पहिल संस्करणमे सहभागिता जनेलाक बाद ओ चर्चामे आएल छल। ओहि गायन कार्यक्रममे ॐ नम: शिवाय बोलक गीत गाबलाकबाद ठाकुरकें सीधे फाइनलक लेल चुनल गेल छल। मैथिली ओ रियालिटी कार्यक्रमक फाइनलमे पहुँचऽवला पहिल प्रतिस्पर्धी छल।[२] २ मतक छोट अन्तर सँ हुनका दोसर स्थानमे मोन बुझाब पड़ल छल।[३] एहि रियालिटी कार्यक्रममे हुनकर सफलताकें कारणे हुनकर इन्टरनेट लोकप्रियता अतिशीघ्र बढल छल। हुनकाद्वारा युट्युब आ फेसबुकमे कएल जाएवाला भिडियोसभमे ७०,००० सँ ७० लाखधरि झलक अबैत अछि।[४][५] ओ विशेष करि मैथिली तथा भोजपुरी गीतसभ गबैत अछि जहिमे छठिक गीत आ कजरी सेहो रहैत अछि। एकरा छोड़ि ओ बलिउड चलचित्रक गीत आ भारतक अन्य राज्यक लोकगीतसभ गबैत अछि।[१]
हुनकर युट्युब भिडियोमे हुनका सङ्गे हुनकर दुनू छोट भाए रिषभ आ आयाची रहैत अछि। रिषभ तबला वादकक रुपमे आ आयाची गायकक रुपमे हुनका सहयोग करैत अछि।[४][१] सन् २०१९ मे भारतीय निर्वाचन आयोग हुनका सङ्गे हुनकर दुनू भाएकें मधुबनीकें ब्रान्ड एम्बेसडर बनेनाए छल।[१][६] सन् २०१५ मे ओ भारतीय साङ्गीतिक कार्यक्रम 'आई जिनियस यङ सिङ्गिङ स्टार' जितने छल आ ओहि वर्ष ओ 'या रब्बा' (युनिभर्सल म्युजिक) नामक साङ्गीतिक एल्बम बजारमे प्रदर्शित भेल छल।[७] हुनकर फेसबुक पृष्ठमे २० लाख आ इन्स्टाग्राम खातामे ७० लाख फोलोअर्स अछि।[८]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ १.० १.१ १.२ १.३ Khurana, Suanshu (२९ अप्रैल २०१९), "Vocalist Maithili Thakur and her two brothers on being Election Commission’s brand ambassadors in Madhubani" [मैथिली आ हुनकर दुनू भाए मधुबनी निर्वाचन आयोगक ब्राण्ड एम्बेसडरमे], द इण्डियन एक्सप्रेस (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ "Rising Star: Maithili Thakur is the first finalist; who'll ultimately win the show?" [राइजिङ स्टार: पहिल फाइनलिस्ट मैथिली ठाकुर जे लगभग कार्यक्रम जितल छल?], इण्डिया टुडे (अङ्ग्रेजीमे), १७ अप्रैल २०१७, अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ PTI (२४ अप्रैल २०१७), "Bannet Dosanjh wins Rising Star, defeats Maithili Thakur by just two votes", Hindustan Times (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ ४.० ४.१ Bhatt, Shephali (४ नवम्बर २०१९), "How life changes for internet celebrities - good, better, and sometimes worse", The Economic Times, अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ "बिहार की ये बेटी रातों रात बन गई सिंगिंग सेंसेशन, 18 की उम्र में फेसबुक ने बनाया सुपरस्टार", Amar Ujala, १० अक्टुबर २०१८, अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ "गायिका मैथिली ठाकुर बनीं मधुबनी की ब्रांड एंबेस्डर, निर्वाचन आयोग ने लिया फैसला", Zee News Hindi (अङ्ग्रेजीमे), ३ दिसम्बर २०१८, अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ "Max Life Insurance launches 3 albums for the Winners and Runner’s Up of i-genius Young Singing Stars Season 2", The Hans India (अङ्ग्रेजीमे), १४ सितम्बर २०१६, अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।
- ↑ "Maithili Thakur", Facebook (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०८-१८।