म्यानह्याटन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
म्यानह्याटन
Manhattan
न्यू योर्क काउन्टी
म्यानह्याटनक दृश्य
म्यानह्याटनक दृश्य
म्यानह्याटन Manhattanक झण्डा
नामकरण: लेनेप: मन्ना-हाटा (अनगिन्ती पहाड़क टापु)
उपनाम: 
द सिटी[१]
न्यू योर्क शहरमे म्यानह्याटनक अवस्थितिक अवस्थिति
न्यू योर्क शहरमे म्यानह्याटनक अवस्थिति
निर्देशाङ्क: ४०°४३′४२″उ॰ ७३°५९′३९″प॰ / ४०.७२८३३°N ७३.९९४१७°W / 40.72833; -73.99417
Country United States
राज्य New York
काउन्टीन्यू योर्क (Coterminous)
शहरआकृति:Country data New York City
स्थापना१६२४
सरकार
 • प्रकारBorough (New York City)
 • Borough PresidentGale Brewer (D)
(Borough of Manhattan)
 • District AttorneyCyrus Vance Jr. (D)
(New York County)
क्षेत्रफल
 • कुल३३.५८ वर्गमाइल (८७�० किमी)
 • जमीन२२.८३ वर्गमाइल (५९.१ किमी)
 • पानी१०.७६ वर्गमाइल (२७.९ किमी)  ३२%
जनसङ्ख्या
 (२०१६)
 • कुल१६,४३,७३४[२]
 • घनत्व७१,९९८.९/वर्ग माइल (२७७९८.९/वर्ग किमी)
 • मूलवासी नाम
म्यानह्याटनाइट
समय क्षेत्रयुटिसी−०५:०० (इएसटी)
 • ग्रीष्म (डिएसटी)युटिसी−०४:०० (इडिटी)
जिप कोड
100xx, 101xx
क्षेत्रीय कोड२१२/६४६/३३२, ९१७ [lower-alpha १]
वेबसाइटम्यानह्याटन नगर अध्यक्ष
न्यू जर्सीक ह्यमिल्टन पार्कस म्यानह्याटन.

म्यानह्याटन (/mænˈhætən, mən-/) न्यू योर्क शहरक एक नगर छी । हडसन नदीक तट पर मुख्य रूपसँ म्यानह्याटन द्वीप पर स्थित, ई नगरक सीमा न्यू योर्क राज्यक न्यू योर्क प्रान्त नामक एक मूल प्रान्तक सीमाक समान अछि । एहिमे म्यानह्याटन द्वीप आ बहुत छोट-छोट समीपवर्ती द्वीप: रूजवेल्ट द्वीप, रन्डाल्स द्वीप, वार्ड्स द्वीप, गवर्नर्स द्वीप, लिबर्टी द्वीप, एलिस द्वीप[४] कऽ भाग, तथा यु थान्ट द्वीपक संग-संगे मार्बल हिल नामक ब्रोन्क्सक समिप मुख्य भूमिकें एक छोट भाग शामिल अछि । न्यू योर्कक मूल शहरक आरम्भ म्यानह्याटनक दक्षिणी छोर पर छल आ वर्ष १८९८ मे लगपासक प्रान्तसभ शामिल भेलाक कारण एकर विस्तार भेल छल । ई पाँच नगरसभमे सभसँ छोट मुदा सभसँ अधिक नगरीकृत नगर छी ।

न्यू योर्क प्रान्त, संयुक्त राज्य अमेरिकाक सभसँ अधिक जनसङ्ख्या भेल प्रान्त छी आ संगे ई दुनियाक सभसँ बेसी घनत्व भेल जनसङ्ख्या भेल क्षेत्रसभमे सँ एक छी, जतय वर्ष २००८ मे जनसङ्ख्या १६,३४,७९५[५] छल जकर निवास क्षेत्र २२.९६ वर्ग माइल (५९.४७ वर्ग किलोमिटर) छल, अर्थात एतय रहल जनसङ्ख्याक घनत्व ७१,२०१ व्यक्ति प्रति वर्ग माइल (२७,४८५ प्रति वर्ग किलोमिटर) छल । ई संयुक्त राज्य अमेरिकाक सभसँ धनीक प्रान्तसभमे सँ एक छी जतय वर्ष २००५ कऽ सर्वेक्षणक अनुसार निजी आय प्रति व्यक्ति १,००,००० डलरसँ अधिक छल ।[६] जनसङ्ख्याक आधारमे म्यानह्याटन न्यू योर्कक पाँच नगरसभमे सँ तेसर सभसँ पैग नगर छी ।

म्यानह्याटन संयुक्त राज्य अमेरिका आ दुनिया दुनूकें एक प्रमुख वाणिज्यिक, वित्तीय आ सांस्कृतिक केन्द्र छी ।[७][८][९] संयुक्त राज्य अमेरिकाक बहुतो पैग रेडियो, टेलिभिजन आ दूरसञ्चार कम्पनीसभ एहि ठाम अवस्थित अछि आर एकर संग-संगे बहुतो समाचार, पत्रिका, किताब आ अन्य मिडिया प्रकाशकसभ सेहो एहि ठाम रहल अछि । म्यानह्याटनमे बहुतो प्रसिद्ध स्थल, पर्यटन आकर्षण केन्द्र, सङ्ग्रहालय आ विश्वविद्यालय अछि । ई संयुक्त राष्ट्रक मुख्यालयसभक गृह सेहो छी । संयुक्त राज्य अमेरिकाक सभसँ पैग केन्द्रीय व्यावसायिक जिला म्यानह्याटनमे अवस्थित अछि, न्यू योर्क स्टक एक्सचेञ्जएनएएसडिक्यु, दुनूकें कार्यस्थल अछि आ देशक सभसँ अधिक निगमित मुख्यालयसभक गृह अछि ।[१०] ई न्यू योर्क शहर आ न्यू योर्क महानगरीय क्षेत्रक केन्द्र छी आ शहरक सरकारक पद तथा क्षेत्रक बहुत पैग भागकें रोजगार, व्यवसाय, आ मनोरञ्जन गतिविधिसभक पोषक स्थल छी । परिणामस्वरूप, न्यू योर्क शहरक अन्य नगरसभ, जेना - ब्रुकलाइनक्विन्सक निवासी अत्यधिक म्यानह्याटनक यात्राकें शहरक यात्रा कऽ रूपमे सन्दर्भित करैत अछि ।[११]

व्युत्पत्ति[सम्पादन करी]

म्यानह्याटन नामक शब्द मन्ना-हाटा सँ व्युत्पन्न भेल अछि जे रबर्ट जुएट नामक हेनरी हडसनक नाव हाल्व म्यान (अर्द्धचन्द्र)क एक अधिकारिक वर्ष १६०९ कऽ रोजनामचामे लिखल गेल छल ।[१२] वर्ष सन् १६१० कऽ एक मानचित्र मरिसस नदी (बादमे हडसन नदी नाम देल गेल)कऽ पश्चिम आ पूर्व दुनु दिस, दु ठाम म्यानह्याटन नाम दर्शाबैत अछि । शब्द म्यानह्याटन कऽ अनुवाद लेनेप भाषाक अनुसार बहुतो पहाडीसभक द्वीप कऽ रूपमे कएल गेल अछि ।[१३]

इतिहास[सम्पादन करी]

औपनिवेशिक[सम्पादन करी]

पीटर मिनुइट
सन् १६६० मे लोअर म्यानह्याटन, जखन ई न्यू एम्स्टर्डमक भाग छल । द्वीपक उपरी भाग दिसक पैग संरचना फोर्ट एम्स्टर्डम छी ।

उत्तर एहि मानचित्रमे दहिना बगल अछि ।]] जे क्षेत्र एखन म्यानह्याट अछि, ओही ठाम लम्बा समयसँ लेनेपक निवास छल । १५२४ मे, डोङ्गी सभमे किछ लेनेप फ्लोरेन्सवासी गियोवानी डा वेर्राजनो सँ मिलल छल, जे न्यू योर्क बन्दरगाह दिससँ जेनिहार पहिल यूरोपीय अन्वेषक छल, मुदा ओ नैरोजक पछिला बन्दरगाहमे प्रवेश नै करि सकल.[१४] हेनरी हडसनक यात्रा धरि ई क्षेत्रक मानचित्र नै छल, जे डच ईस्ट इन्डिया कम्पनीक लेल काम करनिहार एक अङ्ग्रेज छल ।[१५] हडसन अपन यात्राक समय १६०९ मे म्यानह्याट द्वीप आ ओहि ठाम रहनिहार देशी लोगसभक लग पहुँचल आ नदी, जकर नाम बादमे हुनकर नाम पर हडसन नदी रहल गेल ।

अमेरिकी क्रान्ति आ प्रारम्भिक संयुक्त राज्य अमेरिका[सम्पादन करी]

जे.क्यू.ए. (J.Q.A.) वार्डक जर्ज वाशिङ्गटनक मूर्ति, ओही जगह जहिठाम प्रथम अमेरिकी राष्ट्रपतिक रूपमे वाशिङ्गटनक अभिषेक कएल गेल छल ।

१७६५ मे न्यू योर्क शहरमे ब्रिटिश शासनक सङ्गठित औपनिवेशिक विपक्ष अर्थात् तेरह उपनिवेश सभक स्टैम्प एक्ट काँग्रेस प्रतिनिधिसभक एक पूर्व पीठिका कs आयोजन कएल गेल। काँग्रेस द्वारा परिणामस्वरूप अधिकार आ शिकायतक घोषणा प्रस्तुत कएल गेल जे "प्रतिनिधित्वक बिना कोनो कराधान नै" कs नामसँ लोकप्रिय अवधारणा पर जोर देबsक लेल बहु उपनिवेशसभक एक प्रतिनिधि मन्डलक पहिल दस्तावेज छल। एहन सेहो पहिल बेर भेल छल जखन उपनिवेशसभ द्वारा एक एकीकृत राजनीतिक उद्देश्यक लेल सहयोग देनए छल आ कन्टिनेन्टल काँग्रेसक शुरुवात भेल जकर बहुत बर्षक बाद अनुशरण कएल गेल ।

१९अम शताब्दी दिस वृद्धि[सम्पादन करी]

न्यू योर्क एकटा आर्थिक केन्द्रक रूपमे अगाड़ी आएल, एकर पहिल कारण प्रथम कोष सचिवक रूपमे अलेक्जेन्डर हयामिल्टनक नीतिसभ आ प्रणालिसभ छल आर दोसर कारण १८२५ मे एरी सुरङ्गक उद्घाटन छल, जहिमे अटलान्टिक बन्दरगाह कs मध्य-पश्चिमी संयुक्त राज्य अमेरिका आ क्यान्डाक विशाल कृषिगत बाजारसभ सँ जोड़ि देलक ।

थोमस नैस्ट, लोकतन्त्रक हत्या केनिहार एक खतरनाक बाघक रूपमे टैमनीक भर्त्सना करैत अछि; बाघक छवी सँ समझाबsक प्रयास कएल गेल अछि ।

२०अम शताब्दी[सम्पादन करी]

शहरक उपर नवनिर्मित सिङ्गर भवनक टावर, १९०९
१९३० मे एम्पायर स्टेट भवन क निर्माणक समय एहिक शीर्ष पर एकटा निर्माणकारी मजदूर.ओहिसँ नीचा आ ओहिक पाछा क्रिसलर भवन.
म्यानह्याटनक प्रतीकात्मक दृश्य जहिमे स्टयाचू अफ लिबर्टी, एलिस द्वीप, एम्पायर स्टेट भवन आ वर्ल्ड ट्रेड सेन्टर दिखाओल गेल अछि, मई २००१.

न्यू योर्क शहर उपमार्गक निर्माण, जकर उद्घाटन १९०४मे भेल छल, ब्रूकलीनक अतिरिक्त तटसभक जका न्यू योर्क शहर कs एक-साथ बाधsमे मद्दत केलक ।[१६]

११ सितम्बरक आक्रमण[सम्पादन करी]

११ सितम्बर २००१ कऽ विमान अपहरण कएल गेल आ ओहिसँ वर्ल्ड ट्रेड सेन्टरक दुटा टावरसभ कऽ टक्कर मारि गेल जहिमे ३००० सँ अधिक लोगसभक मृत्यु भऽ गेल छल । वर्ल्ड ट्रेड सेन्टर ७क संग-संगे ई दुनु टावर सेहो ध्वस्त भऽ गेल, जहिमे आगि लागलाक कारणसँ एहिक ढहिसँ पहिने एकरा खाली कराऽ देल गेल छल ।

एनवाइसीमे टेलिभिजन आ चलचित्र[सम्पादन करी]

चलचित्र आ टीवी श्रृङ्खलाक एक स्थलक रूपमे अपन लोकप्रियताक कारण आधुनिक न्यू योर्क शहर सँ दुनिया भरिक बहुतो लोगसभ परिचित अछि । उल्लेखनीय टीवी उदाहरणसभमे किछ पुरस्कार प्राप्त केनिहार कार्यक्रम, जेनाकी - फ्रेन्ड्स, ३० रक, CSI: NY, सीनफेल्ड, एनवाईपीडी (NYPD) ब्लू, ल एण्ड अर्डर, विल एण्ड ग्रेस, स्पिन सिटी, गसिप गर्ल आर सेक्स एण्ड द सिटी, समाबेश अछि । उल्लेखनीय चलचित्र उदाहरणसभमे मिरेकल अन 34थ स्ट्रीट, घोस्टबस्टर्स, ग्रेम्लिङ्स २, आईज वाइड शट, Home Alone 2: Lost in New York, क्लोवरफील्ड आर वूडी एलेनक चलचित्रमे सँ बहुतो चलचित्र, जेनाकि - एनी हल, बनानाज आर म्यानह्याटन, समाबेश अछि ।

भूगोल[सम्पादन करी]

सेन्ट्रल पार्क एहि उपग्रही छवीक केन्द्रमे द्रष्टव्य अछि। म्यानह्याटन पश्चिममे हडसन नदीसँ, उत्तरमे हार्लेम नदीसँ आ पूर्वमे ईस्ट नदीसँ घेरल अछि ।

म्यानह्याटनक निर्बाध रूपसँ डाउनटाउन, मिडटाउनअपटाउनमे विभाजित कएल गेल जकर संग-संगे फिफ्थ एवेन्यू, म्यानह्याटन कऽ एकर ईस्ट साइड आ वेस्ट साइडमे विभाजित करैत अछि । म्यानह्याटन द्वीप पश्चिममे हडसन नदी सँ आ पूर्वमे ईस्ट नदी सँ घेरल अछि । उत्तरमे हार्लेम नदी, म्यानह्याटनक ब्रोक्स सँ आर संयुक्त राज्य अमेरिका की मुख्य भूमिसँ अलग करैत अछि । बहुतो छोट-छोट द्वीप सेहो म्यानह्याटन नगरक भू-भाग छी, जहिमे रन्डाल्स द्वीप, वार्ड्स द्वीप आर ईस्ट नदीक रूजवेल्ट द्वीप, तथा न्यूयॉर्क बन्दरगाहक दक्षिणमे गवर्नर्स द्वीपलिबर्टी द्वीप शम्म्लित अछि ।[१७]

आयुक्तक म्यानह्याटन कऽ ग्रिड योजनाक १८११ मे अपन जाइसँ किछ बर्ष पहिने १८०७ कऽ संस्करणक एक आधुनिक पुनःआरेख.सेन्ट्रल पार्क अनुपस्थित अछि ।

समीपवर्ती प्रान्त[सम्पादन करी]

राष्ट्रिय संरक्षित क्षेत्र[सम्पादन करी]

पड़ोसी क्षेत्र[सम्पादन करी]

म्यानह्याटनक बहुतो पड़ोसी क्षेत्रसभक नामकरण कोनो विशेष परम्पराक अनुसार नै भेल अछि । किछक वर्णन भौगोलिक दृष्टि सँ (अपर ईस्ट साइड), या जातीयताक दृष्टि सँ (चाइनाटाउन) कएल जाइत अछि । आर आदिवर्णिक शब्द छी, जनाकी - ट्राइ-बे-का ("TRIangle BElow CAnal Street" अर्थात् "नहरक सड़क कऽ नीचाक त्रिभुज" क आदिवर्णिक रूप) या सो-हो (""SOuth of HOuston" अर्थात्् हाउस्टिनक दक्षिणी क्षेत्र), या हालक विशिष्ट क्षेत्र नो-ल-इटा ("NOrth of Little ITaly" अर्थात् लघु इटलीक उत्तरी क्षेत्र).[१८]

म्यानह्याटन तटसँ रातिमे लोअर म्यानह्याटन, एफडीआर (FDR) ड्राइव आ ब्रूकलीन तट

जलवायु[सम्पादन करी]

मिडटाउन म्यानह्याटनमे वर्षा

हालांकि म्यानह्याटन ४१°उ कऽ अगल-बगल अवस्थित अछि, मुदा एहीठाम नम उपोष्णकटिबन्धीय जलवायु (कोप्पेन वर्गीकरण सीएफ़ए) पाओल जाइत अछि।[१९] शहरक तटीय स्थिति जाड़क समयमे तापमानक अन्तर्देशीय क्षेत्रसभक तुलनामे अपेक्षाकृत गर्म रहैत अछि आ बर्फक मात्राक सामान्य बनाकऽ राखमे मदद करैत अछि जकर वार्षिक औसत २५ सँ ३५ इन्च (६३.५ सँ ८८.९ सेमी) अछि।[१९] न्यू योर्क शहर मौसमी ठण्डाक काल औसत रुपसँ २२० दिन धरि तुषार-मुक्त रहित अछि।[१९] न्यू योर्क शहरमे वसन्त आ पतझड़क मौसम सौम्य होइत अछि, लेकिन गर्मिक मौसम बहुत गरम् आ आर्द्र होइत अछि आ एही मौसमक काल १८ सँ २५ दिन धरि दर्ज कएल गेल तापमानक मात्रा औसतन ९०°फा (32°सँ) या ओहुसँ अधिक अछि ।[१९] शहरक दीर्घकालिक जलवायु स्वरुप, अटलान्टिक मल्टीडिकेडल असिलेशन (अटलान्टिक बहु-दशकीय दोलन) सँ प्रभावित अछि, जे अटलान्टिकक एक ७०-वर्षीय उष्मोत्पादक आ शीतलन चक्र छी जे क्षेत्रमे बिहाड़ि आ तटीय तूफानक आवृत्ति आ तीव्रताक प्रभावित करैत अछि ।[२०]

सरकार[सम्पादन करी]

म्यानह्याटनक नगरपालिका भवन
स्कट स्ट्रिङ्गर, २००६

१८९८ मे न्यू योर्क शहरक समेकनक बादसँ म्यानह्याटन कs न्यू योर्क शहरक चार्टर द्वारा नियन्त्रित कएल जाइत अछि, जहिसँ १९८९ मे एहिक संशोधनक बादसँ एक शसक्त मेयर-परिषद् तन्त्रक व्यवस्था केनए अछि ।[२१] न्यू योर्क शहरक केन्द्रीकृत सरकार म्यानह्याटनमे सार्वजनिक शिक्षा, सुधारक संस्थानसभ, पुस्तकालयसभ, सार्वजनिक सुरक्षा, मनोरञ्जनक सुविधासभ, स्वच्छता, जल आपूर्ति आ कल्याण सेवासभक लेल उत्तरदायी अछि ।

राजनीति[सम्पादन करी]

बहुतो सार्वजनिक कार्यालयसभमे डेमोक्रेटिक पार्टीक अधिकार अछि । नगरमे पञ्जीकृत रिपब्लिकनसभक सङ्ख्या बहुत कम अछि जेकी निर्वाचक-मन्डलक मात्र लगभग १२% गठन करैत अछि । पञ्जीकृत रिपब्लिकनसभक सङ्ख्या केवल अपर ईस्ट साइडफाइनेन्सियल जिलाक पड़ोसीमे निर्वाचक-मन्डलक २०% सँ अधिक अछि । एकटा पार्टीमे पञ्जीकृत लोग सभमेसँ ६६.१% पर डेमोक्रेटसभक अधिकार अछि । मतदातासभमे सँ २१.९% मतदाता असम्बद्ध (निर्दलीय) होइत छल ।[२२]

म्यानह्याटनक चारि काँग्रेसी जिलामे विभाजित कएल गेल अछि, जहिमेसँ सभ जिलाक प्रतिनिधित्व डेमोक्रेटसभ द्वारा कएल जाइत अछि ।

सङ्घीय प्रतिनिधित्व[सम्पादन करी]

जेम्स ए फर्ले डाकघर

संयुक्त राज्य अमेरिका डाक सेवा म्यानह्याटनक डाकघरसभक परिचालन करैत अछि । मिडटाउन म्यानह्याटनक जेम्स ए. फर्ले डाकघर, न्यू योर्क शहरक मुख्य डाकघर छी ।[२३]

31स्ट स्ट्रीट33र्ड स्ट्रीटक बीच ४२१ ऐट्थ एवेन्यू पर अवस्थित अछि ।

डाकघर द्वारा मेल यातायात कम भेलाक कारण ९ मई २००९ सँ २४ घन्टाक निरन्तर सेवा प्रदान केनाए बन्द करि देलक । [२४]

अपराध[सम्पादन करी]

१९अम सताब्दीक मध्य शुरूमे, अपन मातृभूमिक गरीबी सँ बचाबsक चाह राखनिहार आप्रवासिसभक लेल संयुक्त राज्य अमेरिका एक चुम्बक बनि गेल । न्यू योर्कमे पहुँचलाक बाद, बहुतो नवाङगतुकसभ द्वारा ब्रडवेबोवरीक बीचक क्षेत्र आर न्यू योर्क सिटी हलक उत्तर-पूर्वमे स्थित फाइव पवाइन्ट्स पड़ोसीक बस्तिसभक मैलामे अपन कदम चालि देलक । १८२० कs दशक धरि ई क्षेत्र बहुतो जुवाक अड्डा आ "हाउसेस अफ इल रिप्यूट" (बदनाम मकान)क केन्द्र छल आ एकरा खतरनाक जगहक रूपमे जानल जाइत छल जहिठाम जेलासँ लोग डराइत छल । १८४२ मे, चार्ल्स डिकेन्स द्वारा क्षेत्रक दौरा भेल आ ओहिक रहन-सहनक भयानक दुर्दशा देखिक चकित रहि गेल ।[२५] ई क्षेत्र एतेक कुख्यात छल कि ई अब्राहम लिंकनक सेहो ध्यान खिचि लेनए छल, जिनका द्वारा १८६० मे अपन कूपर यूनियन एड्रेससँ पहिने एहि क्षेत्रक दौरा केनए छल ।[२६] मुख्य रूपसँ आयरिश फाइव पाइन्ट्स ग्याङ्ग देशक प्रथम प्रमुख सङ्गठित अपराध संस्थासभमे सँ एक छल ।

१८८५ कs एक रेखाचित्रमे फाइव पवाइन्ट्स सँ होइत बस्तीक यात्रा
एक एनवाईपीडी (NYPD) नाव न्यू योर्क बन्दरगाह पर गश्त लगाबैत अछि

जनसाङ्ख्यिकीय[सम्पादन करी]

स्थल-चिह्न आ वास्तुकला[सम्पादन करी]

शहर-दृश्य[सम्पादन करी]

मिडटाउन म्यानह्याटनक उपरी भाग, जकाऽ जीई बिल्डिङ्गक अवलोकन सँ देखल गेल अछि ।
जर्सी सिटीसँ देखाई देबऽ बाला ऊपरी म्यानह्याटन आ मिडटाउन म्यानह्याटनक उपरी भाग
म्यानह्याटन उपरी भागक प्यानोरमा, जेहन होबोकेन, न्यू जर्सी सँ पूर्वक दिस देख रहल अछि ।

अर्थव्यवस्था[सम्पादन करी]

संस्कृति[सम्पादन करी]

खेल[सम्पादन करी]

मिडिया[सम्पादन करी]

आवासन[सम्पादन करी]

आधारभूत सुविधासभ[सम्पादन करी]

परिवहन[सम्पादन करी]

जनोपयोगी सेवासभ[सम्पादन करी]

शिक्षा[सम्पादन करी]

टिप्पणीसभ[सम्पादन करी]

  1. मार्बल पहाड़मे क्षेत्र कोड ७१८, ३४७ आ ९२९ प्रयोग होइत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Jen Carlson (May 21, 2012)। "Do You Refer To Manhattan As "The City"?"। Gothamist। अन्तिम पहुँच July 13, 2017
  2. "Annual Estimates of the Resident Population: April 1, 2010 to July 1, 2016 Population Estimates – New York County, New York"United States Census Bureauमूलसँ February 13, 2020 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच June 11, 2017 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. 2010 Census Gazetteer Files: New York County Subdivisions, United States Census Bureau. Accessed June 19, 2017.
  4. न्यू जर्सी बनाम न्यू योर्क , 523 यू.एस. 767 (1998). 04-01-2008 को पुनःप्राप्त.
  5. "New York County, New York"। Quickfacts.census.gov। मूलसँ 2009-05-06 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2009-05-30 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  6. "U.S. Bureau of Economic Analysis"। Bea.gov। 2009-04-23। मूलसँ 2007-09-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2009-05-30 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  7. बैरी, डैन. "एक राष्ट्र ने चुनौती दी: न्यू योर्क में; न्यू योर्क जारी रखता है, लेकिन इसके धैर्य का परीक्षण अभी-अभी शुरू हुआ है", द न्यू योर्क टाइम्स, 11 अक्टूबर 2001. 30 जून 2009 को अभिगमित. "विश्व के वित्तीय केंद्र में एक गर्जन शून्य का निर्माण किया गया है।"
  8. सोरेंटिनो, क्रिस्टोफर. "जब वह सत्रह के थे", द न्यू योर्क टाइम्स, 16 सितम्बर 2007. 22 दिसम्बर 2007 को अभिगमित. "1980 में अभी भी विभिन्न डाउनटाउन क्रांतियों के पदचिह्नों के अवशेष थे जिसने न्यू योर्क के संगीत और कला को पुनर्जीवित कर दिया था और इसने म्यानह्याटन को उसी स्थित में रखा जिस स्थिति को उसने 1940 के दशक के बाद से दुनिया के सांस्कृतिक केंद्र के रूप में प्राप्त किया था।"
  9. बुमिलर, एलिसाबेथ. "पोप की यात्रा: कार्डिनल; पोप के महत्वपूर्ण सहयोगी के रूप में, पदानुक्रम में कार्डिनल की चमक ज्यादा है", द न्यू योर्क टाइम्स, 8 अक्टूबर 1995. 18 दिसम्बर 2007 को अभिगमित. "संयुक्त राज्य अमेरिका की मीडिया और सांस्कृतिक केंद्र के आर्कबिशप के रूप में कार्डिनल ओ'कॉनर का कैथोलिक धर्माध्यक्षों के बीच असाधारण शक्ति है।"
  10. संयुक्त राज्य अमेरिका के केन्द्रीय व्यावसायिक जिलें, डेमोग्राफिया . 18-01-2009 को प्राप्त.
  11. BarryPopik.com
  12. रॉबर्ट जुएट के जर्नल का पूरा पाठ: न्यूयॉर्क की ऐतिहासिक सोसायटी के संग्रह से, द्वितीय श्रृंखला, 1841 लॉग बुक, न्यूज़डे . 16-05-2007 को प्राप्त.
  13. होलोवे, मार्गरिट. "अर्बन टैक्टिक्स; आई'ल टेक मैन्नाहट्टा", द न्यूयॉर्क टाइम्स, 16 मई 2004, 30 जून 2009 को अभिगमित. "वह कल्पना कर सकता था जो कुछ हेनरी हडसन ने 1609 में देखा था जब वह मैन्नाहट्टा की यात्रा की थी, जिसका अर्थ लेनेप की बोली में संभवतः कई पहाड़ियों का द्वीप था।'''
  14. सुलीवान, डॉ॰ जेम्स. "न्यूयॉर्क राज्य का इतिहास: प्रथम पुस्तक, तृतीय अध्याय" सङ्ग्रहित २००७-०८-१५ archive.today, यूएसजेननेट (USGenNet), 01-05-2007 को अभिगमित. "संतोषजनक सबूत है कि जियोवानी डा वेराज़नो ने 1524 में न्यूयॉर्क के बाहर के बंदरगाह की यात्रा की.
  15. Rankin, Rebecca B., Cleveland Rodgers (1948). New York: the World's Capital City, Its Development and Contributions to Progress. Harper. 
  16. चेस-डन, क्रिस्टोफर और मैनिंग, सुसैन. "सिटी सिस्टम्स एण्ड वर्ल्ड-सिस्टम्स: फोर मिलेनिया ऑफ़ सिटी ग्रोथ एण्ड डिक्लाइन" सङ्ग्रहित २०१०-०७-१६ वेब्याक मेसिन, कैलिफोर्निया विश्वविद्यालय, रिवरसाइड इंस्टीट्युट फ़ॉर रिसर्च ऑन वर्ल्ड-सिस्टम्स. 17 मई 2007 को अभिगमित. "न्यूयॉर्क, जो 1925 तक लन्दन को मात देते हुए दुनिया का सबसे बड़ा शहर बन गया।.."
  17. नगरों और तत्संबंधी सीमाओं में न्यूयॉर्क शहर की प्रशासनिक संहिता की धारा 2-202 विभाजन - नगरों और तत्संबंधी सीमाओं में विभाजन. सङ्ग्रहित २००८-०८-२८ वेब्याक मेसिन, लॉयर रिसर्च सेंटर. 16 मई 2007 को अभिगमित. "मैनहटन नगर न्यूयॉर्क प्रान्त नामक क्षेत्र से मिलकर बनेगा जिसमें आम तौर पर मार्बल हिल के नाम से जाने जाने वाले भूमि के उस भाग सहित और उन्नीस सौ चौरासी के कानूनों के अध्याय नौ सौ इकतीस के अनुसार सभी प्रयोजनों के लिए न्यूयॉर्क प्रान्त और मैनहटन नगर के भीतर भागों समेत और फिर मैनहटन द्वीप, गवर्नर्स द्वीप, बेडलोस द्वीप, एलिस द्वीप, फ्रैंकलिन डी. रूज़वेल्ट द्वीप, रंडाल्स द्वीप और ऑइस्टर द्वीप नामक द्वीप सहित शहर और राज्य के वे सभी भाग शामिल होंगे..."
  18. सेन्फ्ट, ब्रेट. "यदि आप इसमें/ट्राइ-बे-का में रहने के बारे में सोच रहे हैं; परिवार परिवर्तन के मुख्य स्रोत हैं", द न्यूयॉर्क टाइम्स, 26 सितम्बर 1993. 30 जून 2009 को अभिगमित. "परिवारों ने इस ट्राइऐंगल बिलो कैनाल स्ट्रीट में परिवर्तन के मुख्य स्रोत के रूप में वाणिज्य को पीछे छोड़ दिया है (हालांकि केवल ट्राइऐंगल ही यहां इसका दिल है: चैम्बर्स स्ट्रीट पर वेस्ट ब्रॉडवे को अपने उत्तर दिशा में कैनल के साथ मिलाने वाली हडसन स्ट्रीट) ... ७० कऽ दशक के मध्य के बिलकुल आरम्भ में कलाकारगण फैशनेबल सो-हो (साउथ ऑफ़ हाउस्टिन) से शरण लेने लगे."
  19. १९.० १९.१ १९.२ १९.३ "The Climate of New York"। New York State Climate Office। अन्तिम पहुँच 2007-03-27
  20. Riley, Mary Elizabeth (2006)। "Assessing the Impact of Interannual Climate Variability on New York City's Reservoir System" (PDF)। Cornell University Graduate School for Atmospheric Science। अन्तिम पहुँच 2009-06-29
  21. "2003 न्यू योर्क शहर चार्टर संशोधन आयोग के मतदान प्रस्ताव पर रिपोर्ट" (पीडीएफ़ (PDF)), एसोसिएशन ऑफ़ द बार ऑफ़ द सिटी ऑफ़ न्यू योर्क. 11 मई 2007 को अभिगमित. "अधिकांश शहरों, जो निर्दलीय चुनाव प्रणाली का प्रयोग करते हैं, के विपरीत न्यू योर्क शहर में एक बहुत ही सशक्त मेयर प्रणाली और 1989 के चार्टर संशोधन के बाद एक उत्तरोत्तर शक्तिशाली शहर परिषद् है।"
  22. ग्रोगन, जेनिफर. चुनाव 2004—पंजीकरण सम्भावना रिकॉर्ड तादाद में वृद्धि, कोलंबिया यूनिवर्सिटी ग्रैजुएट स्कूल ऑफ़ जर्नलिज़्म, 25 अप्रैल 2007 को अभिगमित. "22 अक्टूबर की समय-सीमा तक पंजीकृत मतदाताओं की कुल संख्या के लिए बोर्ड के आंकड़ों के अनुसार, मैनहटन में 11 लाख पंजीकृत मतदाता थे जिनमें से 727,071 डेमोक्रेट थे और 132,294 रिपब्लिकन थे जो 2000 के चुनाव से 26.7 प्रतिशत अधिक है जब 876,120 पंजीकृत मतदाता थे।"
  23. "डाकघर स्थान - जेम्स ए फ़ार्ले." यूनाइटेड स्टेट्स पोस्टल सर्विस. 5 मई 2009 को पुनःप्राप्त.
  24. "न्यूयॉर्क शहर के मुख्य डाकघर की 24-घंटे सेवा बंद." एसोसिएटेड प्रेस . शुक्रवार 17 अप्रैल 2009. 5 मई 2009 को पुनःप्राप्त.
  25. क्रिस्टियानो, ग्रेगरी. "द फाइव पॉइन्ट्स", अर्बनोग्राफी. 16 मई 2007 को अभिगमित.
  26. वाल्श, जॉन, "द फाइव पॉइन्ट्स" सङ्ग्रहित २००९-०५-११ वेब्याक मेसिन, गार्डन शहर क्षेत्र का आयरिश सांस्कृतिक समाज, सितम्बर 1994. 16 मई 2007 को अभिगमित. "फाइव पॉइन्ट्स बस्ती इतनी बदनाम थी कि इसने उम्मीदवार अब्राहम लिंकन का ध्यान खींच लिया जिन्हें अपने कूपर यूनियन एड्रेस से पहले क्षेत्र का दौरा किया।"

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]