रकुल प्रीत सिंह

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रकुल प्रीत सिंह
Rakul Preet Singh
Rakul Preet Singh snapped at Femina Miss India 2018 at Carnival Cinemas (05) (cropped).jpg
रकुल प्रीत सिंह फेमिना मिस इन्डिया २०१८ मे
जन्म
रकुल प्रीत सिंह

(१९९०-१०-१०) १० अक्टुबर १९९० (उमर ३२)
व्यवसायअभिनेत्री, मोडल
सक्रिय वर्ष२००९-हाल
मोडलिङ जानकारी
उचाई५ फिट ८.५ इन्च (१.७४ मी)


रकुल प्रीत सिंह (जन्म १० अक्टुबर १९९०) एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्रीमोडल छी ।[१] ओ विशेष करि तेलुगु सिनेमामे अभिनय करैत अछि । ओ तमिल सिनेमा, हिन्दी सिनेमाकन्नड सिनेमामे सेहो अभिनय केनए अछि ।

वर्तमान समयमे ओ तेलङ्गाना सरकारद्वारा चलाएल जा रहल बेटी बचाओ बेटी पढ़ाओ अभियानक राजदूत छी ।

कलेजमे अध्ययनक समयमे ओ एक मोडलकें रूपमे अपन करियरक आरम्भ केनए छल । अध्ययनकें समय ओ सन् २००९ मे प्रदर्शित भेल कन्नड़ चलचित्र गिली (२००९) मे अभिनय करि अपन चलचित्र करियरक पदार्पण केनए छल । सन् २०११ मे ओ फेमिना मिस इन्डिया प्रतियोगितामा सहभागी भेल जहिमे ओ शीर्ष ५ स्थान प्राप्त केनए छल आ सङ्गे पिपल्स चोइस, मिस इन्डिया टाइम्स, पेन्टालुन फेमिना मिस फ्रेस फेस, फेमिना मिस ट्यालेन्ट, फेमिना मिस ब्युटिफुल स्माइल आ फेमिना मिस ब्युटिफुल आई सहित पाँच टा पुरस्कार जितने छल ।

किछ समय बाद ओ एक पूर्णकालिक अभिनेत्री बनवाक विकल्प चुनलक आ ओहि वर्ष तेलुगु चलचित्र केरतम सँ तेलुगु सिनेमामे पदार्पण केलक तँ ओकर एक वर्षक बाद तमिल चलचित्र तदैयारा थाक्का सँ तमिल सिनेमामे पदार्पण केनए छल । सन् २०१४ मे बलिउड चलचित्र यारियाँ सँ ओ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे अपन कदम राखने छल ।

जीवनी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]