राइट बन्धु

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अरविल राइट
१९०३ मे लेल गेल चित्र
जन्म(१८७१-०८-१९)अगस्त १९, १८७१
मृत्युजनवरी ३०, १९४८(१९४८-०१-३०) (७६ वर्ष)
व्यवसायप्रकाशक, बाइसिकल विक्रेता/निर्माता, हवाईजहाज आविष्कारक/निर्माता, पायलट प्रशिक्षक
जीवनसाथी(सभ)कोई नै
हस्ताक्षर


विलबर राइट
१९०३ मे लेल गेल चित्र
जन्म(१८६७-०४-१६)अप्रैल १६, १८६७
मृत्युमई ३०, १९१२(१९१२-०५-३०) (४५ वर्ष)
व्यवसायप्रकाशक, बाइसिकल विक्रेता/निर्माता, हवाईजहाज आविष्कारक/निर्माता, पायलट प्रशिक्षक
जीवनसाथी(सभ)कोई नै
हस्ताक्षर


राइट बन्धु (अङ्ग्रेजी: Wright Brothers), अरविल (अङ्ग्रेजी: Orville, १९ अगस्त, १८७१ – ३० जनवरी १९४८) आ विलबर (अङ्ग्रेजी: Wilbur, १६ अप्रैल, १८६७३० मई, १९१२), दुई अमेरिकी बन्धु छल जकरा हवाई जहाजक आविष्कारक मानल जाइत अछि ।[१][२][३] ई दुनू लोकनि १७ दिसम्बर १९०३के संसारक सबसँ पहिल सफल मानवीय हवाई उड़ान भरलक् जाहिमे हवासँ भारी विमानके नियन्त्रित रूपसँ निर्धारित समयधरि सञ्चालित कएल गेल । एकर बाद दुई वर्षक समयमे अनेक प्रयोगसभक बाद ई दुनू कियों विश्वक प्रथम उपयोगी दृढ़-पक्षी विमान तैयार केलक । ई प्रायोगिक विमान बनाबै आ उड़ाबै वाला पहिल आविष्कारक तँ नै छल, मुदा ई हवाई जहाजके नियन्त्रित करैक जे विधिसभ खोजलक, ओ बिना आजुक वायुयान सम्भव नै छल ।[४]

ई आविष्कारक लेल आवश्यक यान्त्रिक कौशल हिनका कयन वर्षधरि प्रिन्टिङ प्रेस, बाइसाइकल,[५] मोटर आ अन्य कयन मसिनक साथ काम करैत करैत मिलल । बाइसाइकलक साथ काम करैत करैत ई दुनूके विश्वास भ गेल कि वायुयान जका असन्तुलित वाहनके सेहो अभ्यासक साथ सन्तुलित आ नियन्त्रित कएल जा सकैत अछि ।[६] सन् १९००सँ सन् १९०३ धरि ई दुनू ग्लाइडरसभ पर बहुत प्रयोग केलक जाहिसँ हिनकर पायलट कौशल विकसित भेल ।

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. स्मिथसोनियन संस्थान, "द राइट ब्रदर्स एण्ड द इन्वेन्शन अफ द एरियल एज"
  2. मेरी एन जनसन। अन द एविएशन ट्रेल इन द राइट ब्रदर्स; वेस्ट साइड नेबरहुड इन डेयटन, ओहियो राइट स्टेट युनिवर्सिटी, २००१
  3. "फ्लाइङ थ्रु द एजेज" बीबीसी न्यूज, मार्च १९, १९९९। अभिगमन तिथि: १७ जुलाई २००९
  4. "Telegram from Orville Wright in Kitty Hawk, North Carolina, to His Father Announcing Four Successful Flights, 1903 दिसम्बर 17"World Digital Library। 1903-12-17। अन्तिम पहुँच 2013-07-22
  5. "Wilbur Wright Working in the Bicycle Shop"World Digital Library। 1897। अन्तिम पहुँच 2013-07-22
  6. क्राउश २००३, पृ. १६९

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]