सामग्री पर जाएँ

रुबीना अली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रुबीना अली
Rubina Ali
जन्म
रुबीना अली

(१९९९-०१-२१) २१ जनवरी १९९९ (उमर २६)
अन्य नामसभरुबीना कुरैशी
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००८–वर्तमान


रुबीना अली (जन्म २१ जनवरी १९९९), जिनका रुबीना कुरैशी क नामसँ सेहो चिनहल जाइत अछि । एक भारतीय बाल अभिनेत्री आ अस्कर जीतनिहार फिल्म स्लमडग मिलियनेयर (२००८) मे लतिकाक बाल संस्करण खेलने छल, जकर लेल हिनका एक स्क्रीन एक्टर्स गिल्ड अवार्डसँ सम्मानित कएल गेल छल । फिल्मक सफलताक बाद, हिनका बलीवुड फिल्म कल किसने देखामे लेल गेल छल ।

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

अपन फिल्मक पात्र जका, रुबीना मुम्बईक मलिन बस्ति सभमे सँ एक, बान्द्रा स्टेशन बस्तीक लगक गरीब नगर झुग्गीमे रहनिहार छी । ओ अपन पिता रफीक, बहिन साना, भाई अब्बास आ माए मुन्नीक संग रहैत अछि । रुबीनाक जैविक माता, सलमान खुर्शीद (उर्फ खुशी) द्वारा रफीक कऽ तलाक देलाक बाद , मोनीश, एक हिन्दूसँ विआह करि लेलक । हिनकर पिताक बिआह मुन्नीसँ भेल आ रुबीनाक पालन पोषण हिनकर पिता आ सतमाएक द्वारा कएल गेल छल । मुन्नीक चारि बच्चा  – सुरैया, सन्जीदा, बाबू आ इरफान एकर पुर्वमे भेल बिआहसँ छल । [][][][]

२००९ अकाड्मी अवार्ड्समे स्लमडग मिलियनेयरक सफलताक बाद, महाराष्ट्र हाउसिङ्ग एरिया डेवलपमेन्ट अथरिटी द्वारा बच्चा कऽ नयाँ घरक  सिफारिश केनए छल, एक अधिकारी द्वारा कहल गेल कि बच्चा द्वारा "देशमें ख्याति प्राप्त करबाक" आ पुरस्कृत होमएक हकदार अछि ।[] २५ फरवरी २००९ कऽ, महाराष्ट्र हाउसिङ्ग एण्ड डेवलपमेन्ट अथरिटी द्वारा घोषणा कएने छल कि अजहरुद्दीन आ रूबीना कऽ "मुफ्त घर" देल जाएत ताकि हिनका आबसँ गरीब नगरक मुम्बईक झुग्गी बस्तीमे रहऽनै पड़ए ।[] मुदा, अली मार्च २०११ धरि, घर नै देल गेल छल तखन धरि गरीब नगरमे एक झुग्गीमे रहैत छल ।[] भाड़ामे अस्थायी आश्रय लेलाक बाद, रुबिना आ हिनकर समूचा परिवार कऽ मुम्बईक बान्द्रा पश्चिम उपनगरमे अपन फ्लैटमे पुनः लाओल गेल , जेकी ब्रिटिश डायरेक्टर डैनी बायल द्वारा स्थापित जय हो ट्रस्ट द्वारा हिनका लेल खरीद भेल छल ।[][]

पुरस्कार आ सम्मान

[सम्पादन करी]

जीतसभ 

  • २००९: स्क्रीन एक्टर्स गिल्ड अवार्ड फोर आउटस्टैन्डिङ्ग परफोर्मेन्स  बाई अ कास्ट इन ए मोशन पिक्चर स्लमडग मिलियनेयर क लेल[१०]

मनोनीत

फिल्मोग्राफी

[सम्पादन करी]
साल फिल्म भूमिका भाषा टिप्पनीसभ
२००८ स्लमडग मिलियनेयर छोट लतिका  अङ्ग्रेजी आ हिन्दी हिन्दीमे स्लमडग करोड़पति आ तमिलमे नानुम कोडेश्वरन
२००९ कल किसने देखा हिन्दी
२०१३ La Alfombra Roja herself अङ्ग्रेजी आ हिन्दी अङ्ग्रेजीमे रेड कार्पेट; वृत्तचित्र लघु

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "I want to stay with dad: Slumdog star Rubina Ali – Mumbai – DNA", Dnaindia.com, २० अप्रैल २००९, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०१२ 
  2. "Sell off Rubina? It’s a lie: father", Indian Express, २० अप्रैल २००९, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०१२ 
  3. "In the belly of iniquity", The Telegraph (Calcutta, India), २६ अप्रैल २००९। 
  4. Ramesh, Randeep (२८ फरबरी २००९), "Slumdog actor upset at return of her mother", London: The Guardian, अन्तिम पहुँच २ मार्च २००९  একের অধিক |author=|last= উল্লেখ করা হয়েছে (सहायता)
  5. "Slumdog children to be rehoused", BBC News, 25 February 2009.
  6. Serpe, Gina.
  7. "Slumdog Millionaire child actress's home in Mumbai fire", BBC News, ५ मार्च २०११। 
  8. Slumdog Millionaire' star Rubina Ali's flat in Bandra सङ्ग्रहित २०११-१०-१८ वेब्याक मेसिन IBN 16 October 2011
  9. From slums to queen of suburbs, Rubina Ali goes places The Weekend Leader 2 Apr 2012.
  10. "15th Annual SAG Awards, Recipients Announced!", २५ जनवरी २००९, अन्तिम पहुँच २५ फरबरी २००९ [permanent dead link]
  11. "Cadillac, Slumdog & Bees are Triple Threats Black Reel Awards", Daily Express, १५ दिसम्बर २००८, अन्तिम पहुँच २३ फरबरी २००८