लियोनेल मेस्सी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
लियोनेल मेस्सी
व्यक्तिगत विवरण
पुरा नाम लियोनेल एन्ड्रेस मेस्सी
जन्म मिति (१९८७-०६-२४) जुन २४, १९८७ (उमर ३६)
जन्म स्थान रोसारियो, अर्जेन्टिना
उचाई ५ फिट ७ इन्च [१]
खेलैक स्थान अग्रपङ्ति/विङ्गर
क्लबक विवरण
वर्तमान क्लब बार्सिलोना
क्रम १०
युवा क्लब
१९९५–२००० न्यूवेल्स ओल्ड ब्वाइज
२०००–२००४ बार्सिलोना
सिनियर क्लब*
वर्ष क्लबसभ खेल (गोल)
२००४–२००५ बार्सिलोना २२ (६)
२००४– बार्सिलोना ३०९ (२७८)
राष्ट्रिय टिम
२००५ अर्जेन्टिना यु-२० १८ (१४)
२००८ अर्जेन्टिना यु-२३ (२)
२००५– अर्जेन्टिना ९७ (४५)
  • बरिष्ठ फुटबल क्लबमे उपस्थिति आ खेलैत काल कएल गेल गोल (गोलके घरेलु लिगमे कएल गेल गनल जाइत) नवीनतम जानकारी २२:४८, २२ अप्रिल २०१५ (युटिसी(UTC)).


† राष्ट्रिय टिममे उपस्थिति आ खेलैत काल कएल गेल गोल नवीनतम जानकारी २२:४८, २२ अप्रिल २०१५ (युटिसी(UTC))

लियोनेल एन्ड्रेस मेस्सी ( जन्म २४ जुन, १९८७) अर्जेन्टिनाक फुटबल खेलाडी छी, जे हाल ला लिगा टिम बार्सिलोनाअर्जेन्टिनाक लेल खेलैत अछि । मेस्सी अपन पुस्ताक सर्वश्रेष्ठ फुटबल खेलाडीसभ मे सँ एक मानल जाएत अछि ।[२][३][४] मेस्सी २१ वर्षक उमरमे बेलोन डी' ओरफिफा सर्वश्रेष्ठ वर्ष खेलाडीक उपाधि प्राप्त करलक ।[५][६][७] हुनकर खेल शैली आ क्षमताक कारण सँ हुनका फुटबलक बादशाह कहि चिनहै वाला म्याराडोना सँ तुलना होमए लागल, जेकरा ओ स्वयं अपन "उत्तराधिकारी" घोषित केलक ।[८][९]

मेस्सी कम उमर सँ फुटबल खेलैलेल सुरु केलक आ शिघ्र बार्सिलोना हुनकर क्षमता पहिचान केलक । ओ सन् २००० मे रोसारियोमे अवस्थित नेवेल्स ओल्ड ब्वाइज युवा टिम छोडि अपन परिवारसंग युरोप आएल, कियाकि बार्सिलोना हुनकर विकास हार्मोनक कमीके लेल औषधउपचार करि देवाक प्रस्ताव राखने छल । सन् २००४-०५ सिजनमे पहिल बेर मैदानमे घुसैवाला ओ सब सँ कम उमरमे लिग खेल खेलैवाला फुटबलरक ला लिगा कीर्तिमान तोडलक आ संगे सब सँ कम उमरमे लिग गोल स्कोर करनिहार खेलाडी बनल । मेस्सीक प्रथम आगमनमे ओ बार्सिलोनाके ला लिगा जिताबैमे सफल भेल आ सन् २००६ मे पुन: ओहि लिग आ युइयफए युरोपेली च्याम्पियनसिप जिताए जल्दीए प्रमुख सम्मान प्राप्त केलक । सन् २००६-०७ हुनकर सफलताक सिजन छल: एल क्लासिकोमे एक ह्याट्रिक आ २६ लिग म्याचमे १४ गोल करैत, ओ नियमित रूप सँ खेल जितैवाला पहिल समूहमे ठाम बनेलक । सम्भवतः २००८-०९ क सिजन हुनकार सब सँ सफल सिजन छल, जहिमे मेस्सी ३८ गोल करैत लगातार तेसर विजय अभियानक अभिन्न अङ्ग बनल ।

मेस्सी, २००५ फिफा विश्व युवा च्याम्पियनसिपमे अन्तिम खेलमे २ गोल सहित कूल ६ गोल करि शीर्ष स्कोरर बनल । ओकर लगले, ओ अर्जेन्टिनाक अन्तर्राष्ट्रिय टिमक एक सदस्यक रूपमे स्थापित भेल । सन् २००६ मे, ओ अर्जेन्टिना सँ फिफा विश्वकपमे खेलैवाला सब सँ कम उमरक खेलाडी बनल आ अग्ला वर्ष ओ कोपा अमेरिका प्रतियोगितामे उप-विजेताक पदक जितैलेल सफल भेल । सन् २००८ मे, ओ अर्जेन्टिना ओलम्पिक फुटबल टिम सँ बेइजिङमे भेल ओलम्पिक खेलमे अपन पहिल अन्तर्राष्ट्रिय सम्मान, ओलम्पिक स्वर्ण पदक जितलक ।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

मेस्सीक जन्म २४ जुन, १९८७ मे रोसारियो, अर्जेन्टिनामे जर्ज मेस्सी (एक कारखाना मजदूर) आ सीलिया (उर्फ कुक्कीटिनी) (एक अंशकालिक सफाईकर्ता) दम्पतिक घरमे भएल छल ।[१०][११] मेस्सीक पूर्वजक उद्गम इटालियन सहर एङ्कोना सँ भेल, जते सँ सन् १८८३ मे हुनकर पूर्वज, एञ्जलो मेस्सी अर्जेन्टिनामे प्रवेश केनए छल ।[१२][१३] हुनकर रडरिगो तथा मेसियस नाम केनिहार दुई भैया आ संगे मारिया सोल नाम करनिहार एक बहिन सेहो छल ।[१४] मेस्सी पाँच बर्षक उमर सँ अपन पिता जर्ज मेस्सी प्रशिक्षक रहल एक स्थानीय क्लब ग्रैन्डोलीक लेल फुटबल खेलैलेल आरम्भ केलक ।

टिप्पणी[सम्पादन करी]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Lionel Messi Height, Weight, Age, Measurements, Net Worth", Celebrity Measurements, अन्तिम पहुँच २०१५-०१-१२ 
  2. Broadbent, Rick (२००६-०२-२४), "Messi could be focal point for new generation", Times Online, अन्तिम पहुँच २००९-०३-३१ 
  3. Gordon, Phil (२००८-०७-२८), "Lionel Messi proves a class apart", Times Online, अन्तिम पहुँच २००९-०३-३१ 
  4. Williams, Richard (२००८-०४-२४), "Messi's dazzling footwork leaves an indelible mark", The Guardian, अन्तिम पहुँच २००९-०३-३१ 
  5. "European Footballer of the Year ("Ballon d'Or")", RSSSF, अन्तिम पहुँच २००९-०७-०७ 
  6. "FIFA World Player Gala 2008", FIFA, मूलसँ २०१९-०५-१५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००९-०७-०७  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  7. "FIFA World Player Gala 2007", FIFA, अन्तिम पहुँच २००९-०७-०७ 
  8. Gardner, Neil (२००७-०४-१९), "Is Messi the new Maradona?", Times Online, अन्तिम पहुँच २००९-०३-३१ 
  9. Reuters (२००६-०२-२५), "Maradona proclaims Messi as his successor", China Daily, अन्तिम पहुँच २००६-१०-०८ 
  10. Veiga, Gustavo, "Los intereses de Messi" (Spanishमे), Página/12, अन्तिम पहुँच २००९-०५-३१ 
  11. Hawkey, Ian (२००८-०४-२०), "Lionel Messi on a mission", Times Online, अन्तिम पहुँच २००९-०५-३० 
  12. Aguilar, Alexander (२००६-०२-२४), "El origen de los Messi está en Italia" (Spanishमे), Al Día, अन्तिम पहुँच २००९-०७-०७ 
  13. Cubero, Cristina (२००५-१०-०७), "Las raíces italianas de Leo Messi" (Spanishमे), El Mundo Deportivo, अन्तिम पहुँच २००९-०७-०७ 
  14. "Lionel Messi bio", NBC, मूलसँ २०१७-०५-१३-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००९-०५-३०  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

लियोनेल मेस्सीक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

उद्घरण विकिउद्रघरणसँ
चित्र आ मिडीया कमन्ससँ
समाचार विकिसमाचारसँ
सिखैवाला स्रोतसभ विकिभर्सिटीसँ