वर्णमाला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
तिब्बती वर्णमाला
चीनी भाषाक एक चित्रलिपि-आधारित शब्द छी, जेकर अर्थ 'किताब' या 'लेख' होइत अछि - ई अक्षर नै छी आ एकर सम्बन्ध कोनो ध्वनि सँ नै अछि - जापानमे एकरा "काकू" पढल जाइत अछि जबकि चीनमे एकरा "शू" पढल जाइत अछि

कोनो एक भाषा या अनेक भाषासभके लिखैक लेल प्रयुक्त मानक प्रतीकसभक क्रमबद्ध समूहके वर्णमाला (=वर्णसभक माला या समूह) कहैत अछि। उदाहरणक लेल देवनागरीक वर्णमालामे , , , , , , , , लृ, लृ्, , , , , अं, अः ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  ,  आ हके 'देवनागरी वर्णमाला' कहैत अछि आ a, b, c, d ... z के रोमन वर्णमाला (रोमन अल्फाबेट) कहैत अछि ।

वर्णमाला एहि मान्यता पर आधारित अछि कि वर्ण, भाषामे आबैवाला मूल ध्वनिसभ (स्वनिम या फोनिम)क प्रतिनिधित्व करैत अछि । ई ध्वनिसभ या त ओ अक्षरसभक वर्तमान उच्चारण पर आधारित होइत अछि या फेर ऐतिहासिक उच्चारण पर । मुदा वर्णमालाक मात्र लिखैक अन्य तरिकासभ सेहो जेना शब्द-चिह्न (लोगोग्राफी), सिलैबरी आदि । शब्द-चिह्ननमे प्रत्येक लिपि चिह्न पुरा-क-पुरा शब्द, रूपिम (morpheme) या सिमान्टिक इकाईक निरूपित करैत अछि । याह रुपेन सिलैबरीमे प्रत्येक लिपि चिह्न कोनो अक्षर (syllable (वर्ण नै))क निरूपित करैत अछि ।

प्रकार[सम्पादन करी]

प्रत्येक वर्णमालामे दुई प्रकारक वर्ण होइत अछि स्वर वर्ण तथा व्यञ्जन वर्ण। व्यञ्जनक संग स्वर लगाबैक भिन्न तरिकासभक आधार पर वर्णमालासभके तीन वर्गमे बांटल जाइत अछि:[१]

अन्य भाषाओँ में[सम्पादन करी]

'वर्णमाला' के अङ्ग्रेजीमे 'ऐल्फाबेट' (alphabet) कहैत अछि । अरबी, फारसी, कुर्दी आ मध्य पूर्वक अन्य भाषासभमे एकरा 'अलिफ-बेई' या मात्र 'अलिफ-बे' कहैत अछि (जे अरबी-फारसी लिपिक पहिल दुई अक्षरसभक नाम छी)।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Writing systems: a linguistic approach, Henry Rogers, Wiley-Blackwell, 2005, ISBN 978-0-631-23464-7, ... an alphabet is a writing system in which all phonemes, both consonant and vowels, are represented ... an abjad is like an alphabet, but only consonants are written, not vowels ... in an abugida, the vowels are written as diacritics on the consonants ...

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]