वाङ्गारी माथाई

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
वाङ्गारी माथाई
Wangari Maathai
पुरस्कार सहित वाङ्गारी माथाई
जन्म(१९४०-०४-०१)१ अप्रैल १९४०
नायरी, केन्या, केन्या कोलोनी
मृत्यु२५ सितम्बर २०११(२०११-०९-२५) (७१ वर्ष)
नागरिकताकेनियाली
शिक्षाबिएससी: वायोलोजी
एमएससी: वायोलोजी
पिएचडी: भेटेनरी एनाटोमी
व्यवसायEnvironmentalist, political activist, writer
प्रसिद्धि कारणग्रीन बेल्ट परियोजना
पुरस्कारनोबेल शान्ति पुरस्कार


वाङ्गारी माथाई ( /wænˈɡɑːr/ /mɑːtˈ/) (१ अप्रैल १९४० – २५ सितम्बर २०११) एक अन्तर्राष्ट्रिय जानल मानल केन्याक वातावरणीय विज्ञ राजनैतिक समाजसेवी आ नोबेल पुरस्कार विजेता छल । हुनकर प्रारम्भिक शिक्षा संयुक्त राज्य अमेरिकाक माउन्ट सेन्ट कोलास्टिका आ पिट्सबर्ग विश्वविद्यालय आ केन्याक नैरोबी विश्वविद्यालयमे भेल छल । अफ्रिकामे मामा मिति (वृक्षक माता) नामसँ माथाई चर्चित छल जकर जन्म सन् १९४० मे केन्याक नायरीमे भेल छल । ओ ग्रीन बेल्ट आन्दोलनक संस्थापक आ महिला अधिकारक लेल लड़निहार प्रसिद्ध केन्याली राजनितिज्ञ आ समाजसेवी छल । ओ साल सन् २००४ मे नोबेल पुरस्कार प्रदान कएल गेल छल । ओ नोबेल पुरस्कार प्राप्त केनिहार पहिल अफ्रिकी महिला छल |

जीवन[सम्पादन करी]

अमेरिकाकेन्यामे उच्चशिक्षा अर्जित केनए छल । सन् १९७० क दशकमे माथाई ग्रीन बेल्ट आन्दोलन नामक गैर सरकारी सङ्गठनक आरम्भ करि पौधरोपण, पर्यावरण संरक्षण आ महिलासभक अधिकारक लेल ध्यान देनए छल । सन् २००४ मे सतत विकास, लोकतन्त्र आ शान्तिक लेल अपन योगदानल कारण ओ नोबेल शान्ति पुरस्कार प्राप्त केनिहार पहिल अफ्रिकी महिला आ पहिल पर्यावरणविद् बनल । वर्ष २००५ मे हिनका भारत सरकार जवाहर लाल नेहरू पुरस्कारसँ सम्मानित केनए छल ।

ओ सन् २००२ मे केन्याक सांसद बनल आ केन्याक सरकारमे मन्त्री सेहो रहल ।[१][२]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "नोबेल पुरस्कार विजेता वंगारी मथाई का निधन"। लाइव हिन्दुस्तान। २६ सितम्बर २०११। अन्तिम पहुँच २८ अप्रैल २०१४
  2. ए जमाल (२६ सितम्बर २०११)। अनवर अशराफ़ (सम्पा.)। "नोबेल विजेता वंगारी मथाई का निधन"। वर्ल्ड न्यूज़। अन्तिम पहुँच २८ अप्रैल २०१४ {{cite web}}: Unknown parameter |shortlink= ignored (help)

वाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]