विकिपिडिया:प्रबन्धक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश


प्रबन्धकके चिन्ह झाडु छी ।

प्रबन्धक अङ्ग्रेजीमे (Administrators) जकरा एडमिन्स वा सिसप (सिस्टम चलेनिहार व्यक्ति) सेहो कहल जाइत अछि । प्रबन्धक विकिपिडियाक ओ सम्पादक सदस्य छी जकरा विकिपिडिया सिस्टमके किछ जरूरी तथा प्रतिबन्धित टुल्स या विशेष आदेशसभक काजमे लेवाक अनुमति रहैत अछि। जेना:- प्रबन्धक कोनो लेख वा पृष्ठके मेटा सकैत अछि, आन कोनो बर्बरता फैलाबै वाला प्रयोक्ताके प्रतिबन्धित कऽ सकैत अछि । कोनो लेख तथा पृष्ठके रक्षित कऽ सकैत अछि ।

प्रबन्धक पद नितान्त स्वयंसेवा कार्य छी जे सामुदायिक समीक्षा प्रक्रियाबाद देल जाइत अछि । ओ सभ विकिमिडिया फाउन्डेसनक कर्मचारी जका व्यवहार नै करि सकैत अछि । प्रबन्धकीय उपकरण कोनो फायदाक लेल प्रयोग नै कएल जा सकैत अछि ।

मैथिली विकिपिडियामे वर्तमानमे ५ प्रबन्धक अछि (देखी पूर्ण प्रबन्धक सूची) ।

प्रबन्धक योग्यता[सम्पादन करी]

प्रबन्धक निम्न प्राविधिक काज करैलेल योग्य होइत अछि:

  • प्रयोगकर्ता खाता आ आइपी ठेगानसभक सम्पादन करि लेल अवरोध कऽ सकैत अछि ।
  • कोनो विकिपिडियाक पृष्ठके रक्षण करि सम्पादन प्रतिबन्ध कऽ सकैत अछि ।
  • ५,००० वा ओहि सँ नीचा अवतरण भेल पृष्ठ मेटाए सकैत अछि ।
  • कारी सूचीमे रहल शीर्षक अधिलेखन कऽ सकैत अछि ।
  • कोनो भी पृष्ठ लक्षित नाम पर स्थानान्तरण कऽ सकैत अछि ।
  • पूर्ण संरक्षित पृष्ठ सम्पादन कऽ सकैत अछि ।
  • कोनो भी मेटाएल पृष्ठ पुनर्स्थापना वा देख सकैत अछि ।
  • अवतरण नुकाए या मेटाए सकैत अछि ।
  • प्रबन्धक उपकरण सूचीमे रहल आन काज कऽ सकैत अछि ।

प्रबन्धक पदक लेल आवश्यकतासभ[सम्पादन करी]

ई पृष्ठ मैथिली विकिपिडियाक आधिकारिक नीति जनावैत अछि। जकरा बहुत कियो समर्थन करैत अछि। ओसभक विचारमे ई एक मापदण्ड छी, जकरा सभ प्रयोक्ता पालन करैत अछि। पृष्ठके परिवर्तन करैत खन कृपया ध्यान देल जाए की सभ कियो अहाँद्वारा कएल परिवर्तनसँ सहमत अछि। यदि अहाँ पक्का नै छी तँ वार्तालाप पृष्ठके प्रयोग करी।
लघु पथ:

विकिपिडियाक अनुसार कोनो तय नियम नै अछि जाहिमे कि कोई प्रबन्धक बनि सकैत अछि या नै । कियो प्रयोगकर्ता प्रबन्धक पदक लेल आवेदन करि सकैत अछि । आवेदकक पूर्वमे विकिपिडिया पर अनुभवक बदला एतय ओ प्रयोगकर्ता पर विश्वास होनाए अधिक आवश्यक अछि । मुदा तबो आवेदकद्वारा पूर्वमे केल गेल कार्यसभक महत्व तँ अछि । मैथिली विकिपिडियामे कियो प्रयोगकर्ता प्रबन्धक पदक लेल आवेदन कऽ सकैत अछि मुदा ओहि लेल प्रयोगकर्ताके निम्न चरणसभक आवश्यकता पहुँचाबै पडत ।

  • विकिपिडियाक बारेमे जानकारी राखैक संगे पृष्ठसभके सम्पादन, अनुप्रेषण, फाइल लोकेट, श्रेणीकरण, आकृतिक प्रयोग इत्यादी काम करिमे दक्ष होमए पडत ।
  • विकिपिडियामे खाता खोलि कम सँ कम ४०००+ सम्पादन केल होमए पडत ।
  • मैथिली भाषाक संग अन्य भाषासभक जानकार भेल व्यहोरा देखाबैवाला आकृतिसभ अपन प्रयोगकर्ता पृष्ठमे राखै पडत ।
  • विकिपिडियामे खाता बनाएल कम सँ कम ६ महिना पहुँचल होमए पडत ।
  • उपरोक्त योग्यतासभ पुरा केनिहार कियो सक्रिय प्रयोगकर्ता एतय जाए अपन उम्मेदवारी फारम भरि आवेदन कऽ सकैत अछि ।
  • उपरोक्त आवेदन केनिहार आवेदकके प्रबन्धक बनाएल जाए आ नै बनाएल जाए बिषयमे आन प्रयोगकर्तासभ वार्ताक संगे आवेदकक निवेदन पर समर्थन अथवा बिरोध कऽ सकैत अछि ।
  • आवेदक अन्य प्रयोगकर्तासभके अपना लेल समर्थन करि लेल सन्देश भेज सकैत अछि ।
  • उपरोक्त कार्यसभ पूर्ण भेला पर आवेदकक पक्षमे ८०% प्रयोगकर्ता समर्थन भेलापर प्रशासक आवेदकके प्रबन्धक बनाए सकैत अछि ।

प्रबन्धक सूची[सम्पादन करी]

मैथिली विकिपिडियामे सक्रिय प्रबन्धकसभ सूची निम्नानुसार अछि ।

मैथिली विकिपिडियाक प्रबन्धकसभ
This is the list of Admin on Maithili Wikipedia.
प्रयोगकर्ता पृष्ठ (Userpage) वार्ता पृष्ठ (Talkpage)
बिप्लब आनन्द
वार्ता
तुल्सी भगत
वार्ता
पंकज देव
वार्ता
निलम कर्ण
वार्ता