विकिपिडिया:प्रयोक्ता नाम परिवर्तनक लेल निवेदन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

सन् २०१४ मे विकिमिडिया सम्पूर्ण विकिमिडिया परियोजनासभमे एकल प्रयोगकर्ता लग इन (एसयुयल) कार्यान्वयन केने अछि । सब प्रयोक्ता नाम आब विश्वव्यापी अछि तथा कोनो विशेष परियोजनामे मात्र सिमित नै अछि । मैथिली विकिपिडियामे कोनो प्रयोक्ताक अपन प्रयोक्ता नाम परिवर्तन करएक इच्छा भेलापर विश्वव्यापी पुनःनामाकरण नीति अनुसार स्थानीय प्रशासकके अनुरोध कऽ सकएत अछि । प्रयोक्ता नाम अनुरोध करएतकाल भ्रामक, विघटनकारी, प्रचार, आपत्तिजनक नामसभ स्वीकार नै केल जाएत अछि । एहि पुरे पृष्ठमे भेल नीतिनिर्देशनसभ पढि नीचा सूचीबद्ध केल गेल दुई स्थानसभ मे सँ कोनो एकमे अनुरोध कऽ सकएत अछि ।

अवश्य पढी[सम्पादन करी]

  • पुनःनामाकरणसँ अहाँक योगदानसभ आर प्रयोक्ता पृष्ठ अहाँक नयाँ नाममे घसकाएल जाएत आ अहाँक खाता प्राथमिकतासभ संरक्षित करत ।
  • सर्भर व्यस्त अथवा कार्य व्यस्त रहल समयमे सम्भाव्य अहाँक नयाँ प्रयोक्तानाममे अहाँक योगदानसभ घसकाबएमे किछु समय लागि सकएत अछि ।
  • अहाँक वास्तविक नामसँ अहाँक जानएमे बढिया रहत ।

सीमितता आर प्रतिबन्धसभ[सम्पादन करी]

  • खाता समाहित वा मेटावल नै जा सकएत अछि । वोकरा मात्र पुन: नामाकरण केल जा सकएत अछि ।
  • एकटा पहिचान केल जा चुकल आइपी ठेगानमे योगदानसभ प्रदान केनाए सम्भव नै अछि (बिना प्रवेश केल गेल सम्पादनसभ) ।
  • प्रयोक्ता नामसभ प्रयोक्ता नाम प्राविधिक प्रतिबन्धक विषय छी ।
  • पहिनेसँ रहल प्रयोक्ता योगदानसभ तथा हस्ताक्षरक एहि प्रक्रिया प्रभावित नै करत ।
  • पुन:नामकरण प्रयोक्ता नाम परिवर्तन लग आर विश्वव्यापी नाम परिवर्तन लगमे देख सकए छी तथा अनुरोधसभ आर्काइभमे घसकाएल जाएत ।

स्थानसभ:[सम्पादन करी]

अहाँ अनुरोधक लेल सही स्थान छाननाए महत्त्वपूर्ण अछि; अन्यथा एहि प्रक्रियामे समय व्यर्थ वा अस्वीकृत भऽ सकएत अछि । अहाँ पूर्ण रूपसँ पक्का भऽ गेलापर सही स्थानक लेल अगाडी बढब संगे एतएक भेल निर्देशनसभक पालन करी ।

  • प्रयोक्ता नाम परिवर्तन अनुरोध - सिधे विश्वव्यापी नाम परिवर्तनक लेल प्रयोग कऽ सकए छी । एहि अवतरणक लेल अहाँक इमेल ठेगान आवश्यक अछि यदि वो उपलब्ध नै अछि तहन नीचा देल गेल स्थानक प्रयोग करी ।
  • सरल – मैथिली विकिपिडियामे कोनो प्रयोक्ताक नाम परिवर्तन करनाए आवश्यक भेला पर एतए अनुरोध करी । नाम उपलब्ध अछि वा नैअछि वोकर लेल केन्द्रीय प्रमाणीकरण देखी - यदि वो प्रयोक्तानाम विकिपिडियाक कोनो परियोजनामे ल जा चुकल अछि तहन वोकर प्रयोग अहाँ नै कऽ सकएत छी ।