विकिपिडिया:बराबर पुछल जाए बला प्रश्न

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

विकिपिडिया की अछि?[सम्पादन करी]

विकिपिडिया एक मुक्त विश्वकोश अछि जे दुनिया भरिक ओ लाखो योगदानकर्तासभद्वारा लिखल जाएत अछि जे ज्ञानके बाँटैमे आ ओकर प्रसार करैमे विश्वास राखैत अछि । विकिपिडियाक सभ लेख आ सामग्रीक पछाडी लाखों लोगसभक कठिन प्रयास आ ज्ञान निहित अछि । अखन धरि अङ्ग्रेजी विकिपिडिया सबसँ पैग आ विशाल विश्वकोश छी जहिमे ५० लाखसँ बेसी लेख अछि। मैथिली विकिपिडिया अखन अपन सुरुवाती दौरमे अछि ताहि कारण ई विकिमे अखन धरि १४,१०४ लेख अछि । विकिपिडियामे सभ लेख स्वयंसेवकसभक एकटा बड्का सङ्ख्यामे कएल गेल सहयोगी सम्पादनक परिणाम अछि।

विकि की छी?[सम्पादन करी]