विकिपिडिया:विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताह

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताह
विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताह
सुरूवात२०१८, फरवरी ८
समाप्त२०१८, फरवरी २०
उद्घाटन२०१८
सहभागीसभविश्व भरिक मैथिली भाषीसभ
द्वारा आयोजितमैथिली विकिमिडियन्स

विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताह मैथिली विकिपिडियामे लेख तथा पृष्ठसभके अभिवृद्धि करवाक लेल आयोजित एक अनलाइन प्रतियोगिता छी । ई प्रतियोगिता मैथिली विकिपिडिया समुदायमे पहिल बेर होमए जा रहल अछि ।

उद्देश्य[सम्पादन करी]

  • मैथिली विकिपिडियामे उत्कृष्ट मापदण्डक लेख निर्माणक लेल
  • मैथिली विकिपिडियामे विश्वस्तरीय लेख निर्माणक लेल
  • मैथिली विकिपिडियामे सम्पादनकर्ताक सङ्ख्यामे वृद्धि करवाक लेल
  • मैथिली विकिपिडियामे नव सम्पादक आकर्षित करवाक लेल
  • ज्ञान अभिबृद्धिक काज हर्षोल्लास आ मनोरञ्जनात्मक तरिकासँ सम्पन्न करवाक लेल

जरुरी तिथिसभ[सम्पादन करी]

  • सम्पादन कार्यक्रम आरम्भ: ०८ फरवरी, २०१८
  • सहभागी पञ्जीकरण अन्तिम तिथि: २० फरवरी, २०१८ (कार्यक्रम अवधि भरि)
  • सम्पादन कार्यक्रम समाप्त तिथि: २० फरवरी, २०१८

विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताहमे कोना सहभागी होएब[सम्पादन करी]

विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताहमे सहभागी होमएक लेल निम्न बुँदासभ पर ध्यान दी :

  • जौं किनको खाता नै बनल होए तँ सर्वप्रथम मैथिली विकिपिडियामे जाए अपन खाता बनाबी
  • खाता तयार भेलाक बाद सम्प्रवेश करि एतय जा अपन नाम दर्ता करी ।

के भाग लऽ सकैत छी?[सम्पादन करी]

  • सम्पूर्ण वर्गक सदस्य लोकनि ई प्रतियोगितामे सहभागी भऽ सकैत अछि ।

लेख मापदण्ड[सम्पादन करी]

  • १०,००० बाइट्स
  • १५०० शब्द
  • भाषिक शुद्धता
  • तस्वीर, स्रोत आ बाह्य जडीसँ सङ्ग्रहित

पुरस्कार[सम्पादन करी]

  • एहि कार्यक्रममे भाग लऽ उत्कृष्ट योगदान देनिहार विकिमिडियन्सके पुरस्कार सहित प्रमाण पत्रक व्यवस्था कएल गेल अछि ।
  • प्रतियोगिता अवधी भरि सभसँ बेसी लेख सिर्जना करऽवाला योगदानकर्ता पुरस्कृत कएल जाएत ।
  • ५ सँ बेसी लेख सिर्जना कएनिहार योगदानकर्तासभ भेल अवस्थामे पुरस्कार ओ सभमे बाँटल जाएत ।
  • विकिपिडियाक सम्पूर्ण नियमसभक पालना करल जाएत ।

उपकरण[सम्पादन करी]

  • लेख उपकरण सँ जोड़ऽ कऽ लेल कृपया ई लिङ्कमे जाए ।

निर्णायक मण्डल[सम्पादन करी]

  • देवेन्द्र मिश्रा (मैथिली भाषा विशेषज्ञ)
  • रोहित यादव (मैथिली प्राचार्य, दिल्ली)

विजेतासभ[सम्पादन करी]

स्थान प्रयोगकर्ता कुल लेख निर्माण निर्णायक अङ्क
विप्लब आनन्द १२ २.५
किरण कुमार साह २३
पंकज देव

उत्कृष्ट योगदानकर्ता[सम्पादन करी]

स्थान प्रयोगकर्ता कुल लेख निर्माण
किरण कुमार साह २३

सम्पादन तथ्याङ्क[सम्पादन करी]

सम्पर्क[सम्पादन करी]

सम्पर्कमे रही विकिमिडियन्स सम्पादन सप्ताहक लेल या सहायताक लेल maithiliwiki@gmail.com मे इमेल भेजी ।

ट्विटरमे

फेसबुकमे

गुगल प्लसमे

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]