विकेट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
क्रिकेट खेलमे प्रयोग कएल जाएवला विकेट

विकेट तीन टा स्टम्प आ दुई टा बेलसभक समूह छी । एकर प्रयोग क्रिकेट खेलमे कएल जाएत अछि । एकरा खेलक समयमे ब्याट्सम्यानद्वारा सुरक्षित रखवाक प्रयास कएल जाएत अछि तँ बलर एकरा बलिङ करि गिरेवाक प्रयास करैत अछि ।[१] बलरद्वारा बल फेकलाक बाद यदि बल स्टम्पमे लागि बेल गिर पड़ल तँ ओ ब्याट्सम्यान आउट भऽ जाएत अछि । रन लैत काल ब्याट्सम्यान यदि अपन क्रिजक रेखा भितर नै अछि मुदा बल विकेटकें छुबि गेल अवस्थामे ब्याट्सम्यान आउट भऽ जाएत अछि ।

विकेट शब्दक उत्पति अङ्ग्रेजी शब्द विकेट गेट सँ भेल । ऐतिहासिक रूप सँ पहिने मात्र दुई टा स्टम्प आ एके टा बेल होएत छल जे छोट फाटक जका देखऽमे प्रतित होएत छल । तेसर (मध्य) विकेट सन् १७७५ मे परिचित कएल गेल ।[२]

क्रिकेटक नियम[सम्पादन करी]

प्रति विकेटमे तीन टा स्टम्प, खादल भाग उपर आ चोख भाग जमीनमे गाड़ल जाएत अछि जबकी शीर्षमे दुई टा बेल होएत अछि ।

पिछला ३०० वर्षमे विकेटक आकार आ आकृति बहुतेक बेर परिवर्तन कएल गेल अछि आ आब क्रिकेटक नियमक अनुसार नियम ८ मे एकर आयाम तय कएल गेल अछि ।

  • नियम ८: द विकेट— विकेट तीन टा काठक स्टम्प होबाक चाही जे २८ इन्च (७१.१२ सेमी) उंच होएत अछि । ब्याटिङ क्रिजपर गाड़ल जाएवाला स्टम्प बीचक दुरी समान होबाक चाही । एकर चौडाई ९ इन्च (२२.८६ सेमी) होबाक चाही ।


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Law 8 – The wickets"। MCC। अन्तिम पहुँच 29 September 2017
  2. "A glossary of cricket terms". ESPNcricinfo. Retrieved 13 May 2008.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]