विद्यालय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विद्यालय

विद्यालय ओ स्थल होयत अछि जतए शिक्षा प्रदान आ ग्रहण कएल जाएत अछि। विद्यालय अनेको तरहक होयत अछि। पहिल ओ विद्यालय जाहि मे शिक्षा आरम्भ कैल जायत अछि ओ प्राथमिक विद्यालय होयत अछि। जाहि में कक्षा नर्सरी सँ पांच तक पढाओल जायत अछि। दोसर मध्य विद्यालय होयत अछि। जाहि में कक्षा एकसँ कक्षा आठ तक पढाओल जायत अछि। तेसर- जाहि में कक्षा दश तक पढ़ाओल जायत अछी ओहि विद्यालय के उच्च विद्यालय कहल जायत अछि। चारिम- जाहि में स्नातक धरि पढाओल जायत अछि ताहि विद्यालय के माहा विद्यालय कहल जायत अछि। आ पाँचम विश्वविद्यालय होयत अछि। जाहि में अनेकों विषय अनेको भाषा मे पढाओल जायत अछि। जेना-गणित,विज्ञान,ईतिहास,भूगोल आंग्ल भाषा(अंग्रेजी), जापानी,फ्रेंच इत्यादि