सामग्री पर जाएँ

वैवाहिक बलात्कार

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

वैवाहिक बलात्कार वैवाहिक जीवनमे महिला उपर होमएवला घरेलु तथा यौन हिंसा छी। संसारभरि ई अमान्य घोषित अछि, महिला उपर होमएवला अत्याचारसँ सम्बन्धित वैवाहिक बलात्कार बीसम् शताब्दीक मध्यदिस प्रकाशमे आएल छल। एखनो बहुतेक देशसभमे घरेलु अपराध सम्बन्धी नियमसभ नै बनि सकल अछि।[]

महिला केर यौन चाह नैहोनाए, हरबखत महिलासभ पुरुषक यौन अभिलाषा पूर्ण करवाक साधन आ यौन मामलामे पत्नी केर पतिक आज्ञा मानऽवला बात विश्वभरि प्रचलनमे रहल अछि। ई धारणाके पश्चिमी राष्ट्रसभमे सन् १९६० आ ७० क दशकमे नारीक शारीरिक अधिकार नारीमे होनाए चाही कहि चेतना अभिवृद्धि कएल गेल छल। पूर्वी युरोप आ स्क्यानडिनिभियन देशसभमे सन् १९७० सँ पहिने वैवाहिक बलात्कारक सम्बन्धमे कानून बनि गेल छल। अर्द्ध-विकसित आ विकासोन्मुख राष्ट्रके एहि दिस सन् १९९० आ सन् २००० दिस ध्यान गेल प्रकाशमे आएल छल।[]

दक्षिण एसियाली देशक बहुसङ्ख्यक समाज वियाह भेलाक बाद श्रीमान सङ्गे यौन सम्पर्क केर मात्र मान्यता देनए अछि। नेपालक कानुन अनुसार पति-पत्नीबीच सेहो सहमति नहि भऽ यौन सम्बन्ध स्थापित केनाए वर्जित केनए अछि। सहमति विपरीत भेल एहन सम्बन्ध केर दण्डनीय मानल गेल अछि। 


सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Blackstone, William, "Extracts from William Blackstone's Commentaries on the Laws ofEngland 1765-1769", www.mdx.ac.uk, मूलसँ २००८-१०-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२५-०८-१६
  2. "Kirchberg v. Feenstra :: 450 U.S. 455 (1981) :: Justia U.S. Supreme Court Center", Justia Law, अन्तिम पहुँच २२ अगस्त २०१५

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]