सामग्री पर जाएँ

शशि थरूर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शशि थरूर
सांसद
शशि थरूर
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९५६-०३-०९) ९ मार्च १९५६ (उमर ६९)
लन्डन, संयुक्त अधिराज्य
राष्ट्रियता भारतीय
राजनीतिक दल भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस
जीवनसाथी तिलोतमा मुखर्जी (समबन्ध विच्छेद)
क्रिस्टा गिल्स (सम्बन्ध विच्छेद)
सुनन्दा पुष्कर (२०१०-२०१४ (मृत्यु))[]
बच्चा इसान, कनिष्क
निवास स्थान नई दिल्ली / तिरुवनन्तपुरम
पेशा लेखक, राजनयिक आ राजनीतिज्ञ
वेबसाइट shashitharoor.in

शशि थरूर एक भारतीय राजनीतिज्ञ आ पूर्व कुटनीतिज्ञ छी जे सन् २००९ सँ केरलक तिरुवनन्तपुरमक लोकसभा सदस्य छी।[] वर्तमानमे ओ विदेश मामलासभक संसदीय स्थायी समिति आ अखिल भारतीय व्यावसायिक काङ्ग्रेसक अध्यक्षक रूपमे सेहो कार्य करि रहल अछि।[][][] ओ कमवेल्थ राइटर्स पुरस्कार सहित अनेकन साहित्यिक पुरस्कार जित चुकल अछि आ एनडिटिभीद्वारा 'न्यू एज पोलिटिसियन अफ द इअर' (२०१०) क रूपमे सम्मानित भेल छल। थरूर अखनि धरि सोलह पुस्तकक लेखन करि चुकल अछि जहिमे फिक्सन आ गैर-कल्पना समिल कएल गेल अछि। ओ एक उल्लेखनीय आलोचना आ स्तम्भकार छी। हुनका प्रवासी भारतीय सम्मान सँ सम्मानित कएल गेल अछि, जे प्रवासी भारतीयसभक लेल उच्चतम सम्मान छी।

थरूरक जन्म लन्डनमे लिलीक मलयाली नायर परिवार आ केरलक पलक्कड़कें चन्द्रन थरूरमे भेल छल। हिनकर पिता लन्डन, मुम्बई, कोलकातानयाँ दिल्लीमे २५ वर्षक करियर (समूह विज्ञापन प्रबन्धकक रूपमे परिष्कृत) सहित विभिन्न पदसभ पर काम केनए छल। हिनकर पैतृक चाचा थरूर परमेश्वर छल, जे भारतमे रिडर डाइजेस्टक संस्थापक छल। अपन माता-पिता भारत अएलाक बाद, थरूर सन् १९६२ मे मोन्टफोर्ट विद्यालयमे प्रारम्भिक शिक्षा पूर्ण केनए छल।

विवाह विवाद

[सम्पादन करी]

शशि थरूर आ सुनन्दा पुष्कर बीचक सम्बन्ध तखन विवादित भेल छल जखन हिनकर पत्नी सुनन्दा पुष्कर शशिके सम्बन्ध पाकिस्तानी पत्रकार मेहर तारार सँ अछि कहि मिडियामे आगा आएल छल। किछ दिन बाद पुष्करकें नयाँ दिल्लीक अपन होटलक कक्षमे मृत अवस्थामे पाएल गेल छल।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Sunanda Pushkar Found Dead at Leela Hotel in Delhi" [दिल्लीकें लीला होटलमे मृत अवस्थामे भेटल सुनन्दा पुष्कर], Mumbai Voice, १९ जनवरी २०१४, अन्तिम पहुँच १६ जनवरी २०१६ 
  2. "Appointment of Shashi Tharoor as Under Secretary General for Communications and Public Information confirmed by Secretary General" [सञ्चार आ सार्वजनिक सूचनाक लेल महासचिवक रूपमे शशि थरूरक नियुक्तिक पुष्टि महासचिव केनए अछि], United Nations, अन्तिम पहुँच १९ नवम्बर २०१८ 
  3. "All India Professionals Congress - Indian National Congress" [अखिल भारतीय व्यवसायिक काङ्ग्रेस-भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेस], Indian National Congress, मूलसँ १३ सितम्बर २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ अगस्त २०१७  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  4. "Departmentally Related Standing Committees for External Affairs - Lok Sabha" [विदेश मामलासभक लेल विभागीय रूप सँ सम्बन्धित स्थायी समितिसभ - लोकसभा], Lok Sabha, अन्तिम पहुँच २९ अगस्त २०१७ 
  5. "Department Related Parliamentary Standing Committees (LS)" [विभाग सम्बन्धी संसदीय स्थायी समितिसभ], Rajya Sabha, अन्तिम पहुँच २४ मार्च २०१६ 
  6. "Shashi Tharoor" [शशि थरूर], https://penguin.co.in, मूलसँ २०१८-११-२८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ फेब्रुअरी २०१९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)