शाशा बेङ्क्स
शाशा बेङ्क्स | |
---|---|
![]() सन् २०१८ मे शाशा बेङ्क्स | |
जन्म नाम | मार्सडेज केस्टनर-भर्नाडो |
जन्म | फोयरफिल्ड क्यालिफोर्निया, अमेरिका | जनवरी २६, १९९२
जीवनसाथीसभ | सारथ टन (वि. २०१६) |
व्यावसायिक कुस्ती जीवन | |
कुस्ती खेलक नाम | मार्सिडेज केभी मिस मार्सिडेज शाशा बेङ्क्स |
उचाई | ५ फिट ५ इन्च (१.६५ मी)[१] |
आवद्ध स्थान | बोस्टन[१] क्याम्ब्रिज[२] |
प्रशिक्षित | ब्रायन फुरी[३] ब्रायन मिलोनस[३] हेन्सन[३] सारा डेल रे[३] |
पदार्पण | ८ अगस्ट २०१० |
मार्सिडेस केस्ट्नर-भर्नाडो (जन्म: २६ जनवरी १९९२) अमेरिकी महिला कुस्ती खेलाडी छी। ओ एखन डब्ल्युडब्ल्युईको रमे कार्यरत अछि जतय ओ शाशा बेङ्क्स नामसँ कुस्ती खेलैत अछि। ओ डब्ल्युडब्ल्युई प्रतियाेगितामे पहिलबेर बेइलीसङ्ग महिला ट्याग टिम उपाधि विजेता भेल छल आओर ओहि सङ्गसङ्गे ओ ४ बेर र महिला विजेता आओर एनएक्सटी महिला विजेता कऽ उपाधि सेहो जितने अछि।
ओ सुरुवाती चरणमे स्वतन्त्र श्रृङ्खला अन्तर्गत काओटिक रेस्लिङमे कुस्ती खेल्ने छल जतय ओ एकबेर महिला विजेता सेहो बनल छल। डब्ल्युडब्ल्युई आओर एनएक्सटी अन्तर्गत ओ एखनधरि ६ टा उपाधिसभ जीतऽमे सफल भेल अछि जहिमे ओ एक बेर एनएक्सटी महिला विजेता, चारि बेर र महिला विजेता आओर वर्तमानमे बेइलीसङ्ग एकबेर र पहिल महिला ट्याग टिम विजेता भेल अछि। ७ अक्टुबर २०१५ मे आयोजित एनएक्सटी टेक ओभर: रेस्पेक्टमे हुनकर आओर बेइलीक खेल महिला कुस्तीमे पहिल आइरन म्यान म्याच भेल छल आओर उक्त खेल तात्कालिक समयमे सभसँ लम्बा खेल बनल छल।[४] प्रो रेस्लिङ इलुस्ट्रेटरद्वारा उक्त खेलकेँ वर्षक उत्कृष्ट खेलक रुपमे घोषित कएल गेल छल।
सन् २०१६ मे ओ आओर सार्लेट फ्लेयर पहिलबेर महिला कुस्ती खेलाडीक रुपमे शीर्ष स्थानमे आएल छल[५][६] आओर ओ सभक खेल इतिहासमे पहिलबेर हेल इन ए सेल कऽ भीतर आयोजना कएल गेल छल।[७] १७ फरबरी २०१९ मे आयोजित इलिमिनेसन चेम्बरमे बेङ्क्स आओर बेइलीक जोड़ी अन्तिममे मेन्डी रोज आओर सोनिया डभिलक जोड़ीकेँ पराजित करैत पहिल महिला ट्याग टिम विजेता बनऽमे सफल भेल छल।
बाल्यकाल[सम्पादन करी]
भर्नाडोक जन्म अमेरिकाक क्यालिफोर्नियास्थित फेयरफिल्डमे भेल छल[८][९] मुदा ओ ओतयसँ विभिन्न स्थानसभमे बसाई परिवर्तन केनए छल आओर हुनकर अशक्त भ्राताकेँ विद्यालय आओर बढियाँ आवास खोजैत ओ विभिन्न ठाममे गेल छल[१०] आ अन्ततः ओ बाेस्टनक म्यासाचुसेट्समे स्थायी रुपसँ बैसल छल। बोस्टनमे आबि गेलाक पश्चात ओ ओतयसँ कुस्तीमे प्रशिक्षण लेनाए सुरु केनए छल।[११] हुनकर पूर्वजसभ अफ्रिकी, अमेरिकी आओर युरोपेली मुल कऽ छी।[१२]
व्यवसायिक कुस्ती कार्यकाल[सम्पादन करी]
काओटिक रेस्लिङ (सन् २०१०-२०१२)[सम्पादन करी]
केस्टनर-भर्नाडो, सन् २००८ मे म्यासाचुसेट्सस्थित वोबर्नमे आयोजना कएल गेल काओटिक रेस्लिङमे प्रशिक्षण लेनाए सुरु केनए छल।[३] ओ १ अक्टोबर २०१० मे अपन रिङ के नाम मर्सिडेस केभी रखैत रिङमे पर्दापण केनए छल। हुनकर पहिल खेलमे ओ आओर हुनकर साथी निकी रक्स अलेक्सिस आओर ड्यानी ई विरुद्धक खेलमे हार बेहोर्ने छल।[१३] २२ अक्टोबर २०१० मे ओ अपन कार्यकालक पहिल एकल खेल खेलने छल जतय हुनकर सामना ड्यानी ई विरुद्धमे भेल छल तँ उक्त खेलमे केभी ड्यानी ई सँ पराजित भेल छल। [१४][१३]
७ जनवरी २०११ मे केभी पहिल जित हासिल केलक जखन एक ट्याग टिम खेलमे ओ आओर रक्स अलेक्सिस आओर मिस्ट्रेस बेलमन्ट के पराजित केनए छल। ११ फेब्रुअरीमे केभी पहिल काओटिक महिला उपाधिक लेल ५ महिला गनलेट खेल खेलने छल तँ उक्त खेलमे ओ उपाधि जितवाक मे असमर्थ रहल छल।[१३] केभी ततपश्चात विभिन्न एकल खेलसभ खेलने छल जतय ओ तत्कालिक काओटिक महिला विजेता अलेक्सिस के आत्मसमर्पण खेलमे पराजित करैत पहिलबेर काओटिक रेस्लिङ महिला विजेता बनवाक मे सफल भेल छल। [३][१३][१५]
केभी महिला विजेता बनि गेलाक पश्चात ओ उक्त उपाधि पहिलबेर ६ जनवरी २०११ मे बार्बी के विरुद्धमे लगौने छल जतय ओ बर्बी के पराजित करवाक मे सफल भेल छल।[३][१३] २७ जनवरी २०११ के दिन केभी लुसिएस लतासा के विरुद्धमे हुनकर उपाधि दाउ मे रखने छल तँ उक्त खेलमे सेहो केभी लुसिएस के पराजित केनए छल।[३][१६] केभी अलेक्सिससँग के पुन: खेलमे सेहो जित हासिल केनए छल।[३][१७] ओ ओहि पश्चात उक्त उपाधि के दुई बेर निकी रक्सक विरुद्धमे लगौने छल आओर उक्त दुई खेलमे सेहो ओ जित हासिल केनए छल।[३][१३] १ जुन २०११ मे आयोजना कएल गेल पेटल फोर वे (चार गोटे अकेले-अकेले प्रतिस्पर्धा करै पडत) खेलमे केभी अलेक्सिस, बार्बी आओर बेलमोन्ट के पराजित करैत उपाधि अपने पास ही रखवाक मे कायम रखने छल जाहि कारण काओटिक रेस्लिङमे ओ लाम्बा समयधरि महिला विजेताक कीर्तिमान बनौने अलेक्सिसक १८२ दिन के कीर्तिमान तोडत हुए नवका कीर्तिमान कायम केनए छल।[१८] जुन २४, जुलाई २० आओर १७ अगस्ट के दिन आयोजित भिन्न-भिन्न खेलमे केभी क्रमश बार्बी, एइडा मेरी आओर केसी रे के उपाधि के खेलमे पराजय करवाकमे सफल भेल छल।[३] केभी १८ अगस्टमे दिन काओटिक रेस्लिङमे अन्तिम उपस्थिति जनौने छल जतय ओ एभि फिटसँ पराजित भेल छल।[३] १८ अगस्टमे काओटिक रेस्लिङ महिला उपाधि खाली रहल जानकारी केनए छल जखन केभी काओटिक रेस्लिङसँ डब्ल्युडब्ल्युईसँ आबद्ध पत्रमे हस्ताक्षर केलक। केभी काओटिक रेस्लिङमे २५९ दिन धरि महिला विजेता बनल छल।[३]
स्वतन्त्र सर्किट (सन् २०१०–२०१२)[सम्पादन करी]

८ अगस्ट २०१० के दिन केभी न्यु इङल्याण्ड च्याम्पियनसिप रेस्लिङमे पर्दापण केनए छल जतय ओ आओर इभि के टोली एरियल आओर स्यामि लेन के टोली के पराजित केनए छल।[३] ओ ४ सेप्टेम्बर २०११ मे पुनः एनइसिडब्ल्यूईमे पुनः उपस्थिति जनौने छल जतय ओ आओर इभि बेलमोण्ट आओर भिडा स्कटक टोली के पराजित करवाक मे सफल भेल छल।[३] २३ सेप्टेम्बरक दिन केभी हुनकर पहिल एकल खेल खेलने छल जतय ओ मिस्ट्रेस बेलमोन्ट के पराजित करवाकमे सफल भेल।[३][१९] केभी १४ जुलाई २०१२ मे उक्त पदोन्नति अन्तर्गत स्वतन्त्र सर्किटमे फिर्ता भेल छल जतय ओ एड्रियाना के पराजित केनए छल। [३][२०]
केभी, अपन रिङ के नाम मिस मार्सिडेस नामसँ नेसनल रेस्लिङ एलायन्स (एनडब्ल्यूए) मे १९ नोभेम्बर २०१० के दिन पर्दापण केनए छल जतय हुनकर आओर जिलियन स्टारक खेलमे ओ पराजित भेलाक पश्चात ओ स्टारसँ द्वन्द्वक सुरुवात केनए छल।[३] उक्त खेलक दुई दिन पश्चात मार्सिडेस सिक अलि आओर निक फरेनहाइट के भिन्न-भिन्न एकल खेलसभमे पराजित केनए छल।[३] मार्सिडेस पश्चात ग्रेट चिन्नीसँ भेल द्वन्द्वक सुरुवात केनए छल। अगस्ट ९ के दिन मार्सिडेस उक्त पदोन्नति अन्तर्गत हुनकर अन्तिम खेल खेलने छल [३]जतय ओ एरलिन के एकल खेलमे पराजित करवाक मे सफल भेल छल।[३]
डब्ल्युडब्ल्युई[सम्पादन करी]
द बिएफएफ (सन् २०१२–२०१४)[सम्पादन करी]
सन् २०१२ मे केष्टनर-भर्नाडो डब्ल्युडब्ल्युईसँ एकटा प्रशिक्षण केन्द्रमे कुस्तीक लेल खेल खेलए के अवसर प्राप्त केनए छल तँ १८ अगस्ट २०१२ मे ओ डब्ल्युडब्ल्युईसँ आबद्ध पत्रमे हस्ताक्षर केनए छल। ओ डब्ल्यूडब्ल्यूुईसँ आबद्ध भेलाक पश्चात ओ डब्ल्युडब्ल्युई के विकासशील क्षेत्र एनएक्सटीमे अपन कार्यकाल सुरु केनए छल आओर ओ अपन रिङ के नाम शाशा बेङ्क्समे परिणत केनए छल। बेङ्क्स १२ डिसेम्बर २०१२ मे एनएक्सटीमे पहिल खेल खेले पेज के विरुद्धमे खेलने छल तँ उक्त खेलमे ओ पेज के साथ हार बेहोरने छल। बेङ्क्स २३ जनवरी २०१३ मे एनएक्सटीमे आबद्ध भेलाक पश्चात पहिल जित हासिल केनए छल जतय ओ अलिसा फक्स के एकल खेलमे पराजित करवाकमे सफल भेल छल। बेङ्कस के मेरी एनएक्सटी के एकटा श्रृङ्खलामे पराजित केनए छल। बेङ्क्स पेजसँ साझेदारी करैत मेरी आओर, समर रे के जोडी के हरावैत मेरी आओर बेङ्क्सक द्वन्द्वक अन्त्य भेल छल। १९ जुन एनएक्सटीक एकटा श्रृङ्खलामे बेङ्क्स पहिलबेर निर्माण कएल गेल एनएक्सटी महिला उपाधिक लेल खेल खेलने छल मुद्दा उक्त खेलमे हुनका समर रे पहिल चरणसँ ही खेलसँ निष्कासित करौने छल।
उपाधि आओर उपलब्धिसभ[सम्पादन करी]

- काओटिक रेस्लिङ
- काओटिक रेस्लिङ महिला विजेता (१ बेर)
- स्वतन्त्र रेस्लिङ
- आइडब्ल्यूई महिला विजेता (१ बेर)[२१]
- प्रो रेस्लिङ इलुष्ट्रेटेड
- वर्ष के खराब दुश्मनी (सन् २०१६) सार्लेट फ्लेयर[२२]
- वर्ष के उत्कृष्ट खेल (सन् २०१५) बेइली (एनएक्सटी टेकओभर: रेस्पेक्ट
- विमेन अफ द इअर (सन् २०१५)
- सन् २०१६ मे उत्कृष्ट ५० महिला कुस्ती खेलाडी मध्ये सँ दोसर स्थानमे पडवाकमे सफल[२३]
- रिङ वार क्यारोलिना
- आरसिडब्ल्यू नो लिमिट विजेता (१ बेर)[२४]
- रेस्लिङ अब्जर्भर न्युजलेटर
- वर्ष के खराब दुश्मनी (सन् २०१५) टिम पिसिबी विरुद्ध टिम ब्याड विरुद्ध टिम बेला[२५]
- वर्ष के खराब द्वन्द्व (सन् २०१८) बेइली विरुद्ध
- डब्ल्युडब्ल्युई
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ १.० १.१ "शाशा बेङ्क्सक जीवनी", डब्ल्युडब्ल्युई, अन्तिम पहुँच अगस्त २२, २०१५।
- ↑ "मार्सिडेज केभी", कावोटिक रेस्लिङ, मूलसँ जनवरी ३१, २०१३-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच जनवरी १५, २०१३।
- ↑ ३.०० ३.०१ ३.०२ ३.०३ ३.०४ ३.०५ ३.०६ ३.०७ ३.०८ ३.०९ ३.१० ३.११ ३.१२ ३.१३ ३.१४ ३.१५ ३.१६ ३.१७ ३.१८ ३.१९ ३.२० "सासा बेङ्क्स", अनलाइन वर्ल्ड अफ रेस्लिङ।
- ↑ मिलुक, बबी, "NXT Women's Champion Bayley vs. Sasha Banks (30-Minute WWE Iron Man Match)", डब्ल्यूडब्ल्यूई, अन्तिम पहुँच सितम्बर १०, २०१५।
- ↑ बेनिगनो, एन्थोनी (अक्टुबर ३, २०१६), "Sasha Banks def. Charlotte to become the new Raw Women's Champion", डब्ल्यूडब्ल्यूई, अन्तिम पहुँच फरबरी २१, २०१७।
- ↑ बेनिगनो, एन्थोनी (नवम्बर २८, २०१६), "Sasha Banks def. Charlotte Flair to become the new Raw Women's Champion", डब्ल्यूडब्ल्यूई, अन्तिम पहुँच फरबरी २१, २०१७।
- ↑ "पिडब्ल्यूआई पुरस्कार", प्रो रेस्लिङ इलुस्ट्रेटेड ३६ (2): २२–२३, सन् २०१६।
- ↑ "15 amazing photos of WWE stars before they made it to WWE – FOX Sports", फक्स खेलकुद, अन्तिम पहुँच अगस्त २१, २०१७।
- ↑ "Sasha Banks to Open Tonight's WWE 'Raw,' Make In-Ring Return vs Natalya Later in Show (Exclusive)", याहु! समाचार।
- ↑ आकृति:Cite podcast
- ↑ आकृति:Cite podcast
- ↑ आकृति:Cite podcast
- ↑ १३.० १३.१ १३.२ १३.३ १३.४ १३.५ "काओटिक रेस्लिङ", अनलाइन वर्ल्ड अफ रेस्लिङ, अन्तिम पहुँच जनवरी १५, २०१३।
- ↑ "CW: October 22, 2010", केज म्याच, अन्तिम पहुँच अक्टुबर २२, २०१०।
- ↑ "Chaotic Wrestling title histories", काओटिक रेस्लिङ, मूलसँ जून २५, २०११-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच जून ३, २०११।
- ↑ "CW: Cold Fury 11", केज म्याच, अन्तिम पहुँच फरबरी २४, २०१२।
- ↑ "CW Cold Fury Fallout Tour", केज म्याच, अन्तिम पहुँच अप्रैल १, २०१२।
- ↑ "CW Breaking Point 2012", केज म्याच, अन्तिम पहुँच जून १, २०१२।
- ↑ "NECW Rise=Events Database=CAGEMATCH", केज म्याच।
- ↑ "NECW Red White & Bruised", केज म्याच।
- ↑ "आइडब्ल्यूई – इतिहास", स्वतन्त्र कुस्ती, अन्तिम पहुँच अप्रैल ९, २०११।
- ↑ "पिडब्ल्यूआई अवार्ड", प्रो रेस्लिङ इलुस्ट्रेटेड, कप्पा वितरक समूह, अन्तिम पहुँच अप्रैल १०, २०१९।
- ↑ "प्रो रेस्लिङ इलुस्ट्रेटेड", इन्टरनेट रेस्लिङ डाटाबेस, अन्तिम पहुँच अप्रैल १०, २०१९।
- ↑ "आरसिडब्ल्यू ०३.०३.१२", रिङ वार क्यारोलिना, अन्तिम पहुँच मार्च ६, २०१२।
- ↑ मिल्टजर, डेभ (जनवरी २५, २०१६), "रेस्लिङ अब्जर्भर न्युजलेटर", क्यालिफोर्निया, पृ: ४३, आइएसएसएन 1083-9593।
- ↑ "डब्ल्युडब्ल्युई महिला च्याम्पियनसिप", डब्ल्युडब्ल्युई, मूलसँ जून २९, २०१६-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच फरबरी २२, २०१७।
- ↑ "र महिला च्याम्पियनसिप", डब्ल्युडब्ल्युई, अन्तिम पहुँच फरबरी २२, २०१७।
- ↑ जिमरम्यान, ज्याक, "डब्ल्युडब्ल्युई एनएक्सटी नतिजा", प्रोरेस्लिङ, अन्तिम पहुँच जनवरी १३, २०१६।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास सासा बेङ्क्ससँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |