श्रद्धा शर्मा
श्रद्धा शर्मा Shradha Sharma | |
---|---|
जन्म |
[१] | ६ जुलाई १९८०
नागरिकता | भारतीय |
शिक्षा | इतिहास मे स्नातकोत्तर |
व्यवसाय |
|
गृह स्थान | पटना, बिहार |
श्रद्धा शर्मा, उद्यमी सभक लेल एक मिडिया प्रौद्योगिकी मञ्च, योरस्टोरी (YourStory) केरि संस्थापक, मुख्य कार्यकारी अधिकृत आ' मुख्य सम्पादक थीकिह। सन् २००८ मे योरस्टोरी आरंभ करऽ सँ पहिने, शर्मा सीएनबीसी- टीवी १८मे सहायक उपाध्यक्षक रूप मे कार्यरत छलीह आ' टाइम्स अफ इन्डियामे ओ एक ब्रान्ड सलाहकार सेहो छलीह ।[२][३][४]
'लक्ष्मी के साथ चाय' पर हुनका भारत कऽ डिजिटल स्पेस कऽ सभ सँ पैघ कहानीकार केरि संज्ञा देल गेल छलक्ष।[५] हुनका टेकगिग कऽ 'भारत कऽ ५ महिला भारतीय उद्यमी, जकरा मादे मे अहाँ कऽ जानबाक चाही।' लेख मे शामिल कएल गेल छल।[६] द हिन्दू हुनका अपन एकटा लेख मे हुनका 'ग्लास सिलिङ्ग' सन संज्ञा देने अछि।[७] हुनकर कम्पनी 'स्टार्ट-अप आ उद्यमीसभ सँ सम्बन्धित कथा, समाचार, संसाधन आ' अनुसन्धान रिपोर्ट सभक लेल भारतक सभ सँ पैघ आ' निश्चित मञ्च' बताओल जाएत अछि।[८] योरस्टोरी विश्वक १२ विभिन्न भाषा मे उद्यमशीलता केरि कहानी उफलब्ध करबैत अछि।
योरस्टोरीकेँ रतन टाटा, वाणी कोला, कार्ति मदसामी आ टिभी मोहनदास पाई सँ निवेश प्राप्त क' सञ्चालन मे आयल छल।[९][१०][११]
प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा
[सम्पादन करी]शर्माक जन्म भारतीय राज्य बिहारक एक छोट नगर मे भेल छल।[७] हुनकर पालन पोषण बिहारक राजधानी पटनानगर मे भेल छल, ओ ओतय पैघ भेलीह ।[२] ओ अपन विद्यालयमे एक जेहेन्दार आ अपन कक्षामे अव्वल आबयवाली छात्रा छलीह । ओ विद्यालय आ' कक्षा मे सञ्चालन होमए वाला वाद-विवाद प्रतियोगिता मे बहुत सक्रिय रहैत छल।
शर्मा अपन उच्च शिक्षा सेन्ट स्टुफन कौलेज, दिल्ली सँ इतिहास मे स्नातक आ' स्नातकोत्तर केरि डिग्री प्राप्त केलक । बाद मे ओ मेरिल्यान्ड इन्स्टीच्युट कौलेज अफ आर्ट सँ एमबुए केरि शिक्षा प्राप्त केने छलीह।[३]
पुरस्कार आ' उपलब्धि सभ
[सम्पादन करी]शर्मा के अपन काजक लेल समावेशी स्टार्टअप समुदाय कऽ निर्माण मे हुनकर प्रयास सभक लेल न्यास्कम इकोसिस्टम इवेन्जलिस्ट पुरस्कार प्राप्त भेल, एकर बादहि हुनका सन् २०१० मे स्टार्टअप्स करि कवरेजक लेल विल्ग्रो जर्नलिस्ट अफ द इअर पुरस्कार देल गेल छल। सन् २०१५ मे हुनका दुनिया भरि मे ५०० लिङ्क्डइन इन्फ्लुएन्सरक बीच सूचीबद्ध कएल गेल छल, आ ओहि वर्ष हुनका ओनलाइन प्रभाव कऽ लेल लोरियल पेरिस फेमिना पुरस्कार प्राप्त भेल छल। सन् २०१६ मे पेट मेमोरियल आउटस्ट्यान्डिङ एलुमनाई पुरस्कार [१२] आ सन् २०१६ मे इन्टरनेट श्रेणी केरि अधीन लिङ्क्डइनमे सभ सँ अधिक देखल जायवला मुख्य प्रशासकीय अधिकृत छल।[१३]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ biography
- ↑ २.० २.१ Sharma, Shradha (२०१३-०८-०८), "Listen to the green shoots", The Hindu Business Line, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ ३.० ३.१ "Shradha Sharma: Executive Profile & Biography - Bloomberg", www.bloomberg.com, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ "Startup Street: India To Get A Desi Version Of Shark Tank?", Bloomberg Quint, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ Lakshmi Rebecca (२०१३-०४-१४), 10,000 Amazing Stories of Indian Entrepreneurs, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ www.Techgig.com, "5 Women Entrepreneurs in India that you should know about!", अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ ७.० ७.१ MELANGE, TEAM, "High above the glass ceiling", The Hindu, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ Reema Behl (८ जून २०१६), "Meet Shradha Sharma of Yourstory.com", Femina, अन्तिम पहुँच ५ मार्च २०१९।
- ↑ Reporter, B. S. (२०१५-०८-१८), "Ratan Tata reads YourStory, and writes a cheque for it", Business Standard India, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ "The 40 who matter in the Indian start-up ecosystem", Live Mint।
- ↑ "Corporate India's fastest rising women leaders", Economic Times।
- ↑ "Start-ups renege on offers: MICA chief Madhukar Kamath", The Indian Express, २०१६-०४-०३, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।
- ↑ "LinkedIn's Most Viewed CEOs In India - CXOtoday.com", www.cxotoday.com, अन्तिम पहुँच २०१६-१२-१०।