सन्दली सिन्हा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सन्दली सिन्हा
Sandali Sinha
सन्दली सिन्हा, नवम्बर २०१२ मे
जन्म (१९७२-०१-११) ११ जनवरी १९७२ (उमर ५२)[१]
जीवनसाथी(सभ)किरण सलास्कार (वि. २००५)
बालबच्चा


सन्दली सिन्हा (जन्म ११ जनवरी १९७२) एक भारतीय बलिउड अभिनेत्री आ मोडल छी । हिन्दी कथानक चलचित्र तुम बिन मे अपन अभिनयसँ ओ दर्शकदीर्घाक ध्यान केन्द्रित केनए छल ।[२]

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

ओ वायुसेना बल भारती स्कूलसँ विद्यालयक शिक्षा आ जिसस आ मेरी कलेज, दिल्लीसँ स्नातकक उपाधि प्राप्त केनए छल । सिन्हा किशोर नमित कपूर एक्टिङ्ग इन्स्टिच्युटमे अभिनयकें कक्षा पुरा केनए छल । विमान पायालट आ डाक्टरसभक परिवारमे जन्मल सिन्हा डाक्टर बनवाक लेल उत्सुक छल मुदा एकटा सोखिन फ्यासन कार्यक्रममे एक छोट अनुभवक कारण ओ मोडलिङकें दुनियामे प्रवेश केलक ।[३]

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

वर्ष चलचित्र भूमिका
२००१ तुम बिन पिया
२००३ पिन्जर लज्जो
२००३ ओम सन्दली धरिवाल
२००४ अब तुम्हारे हवाले वतन साथियों डाक्टर शाक्षी
२००५ निगेहबान: दी थर्ड आइ निशा
२००५ ओरेय पाण्डे प्रिया (तेलुगु)
२००७ मैं रोनी और जोनी निना
२०१६ तुम बिन २ पिया


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]


बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]