सामग्री पर जाएँ

सपना रोका मगर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

सपना रोका मगर एक गोटे नेपाली महिला छि जे समसानघाट में काम करैत अछि, जिनका बीबीसी द्वारा सन् २०२० में १०० सभसँ प्रभावशाली महिलासभ में सँ एक के रूप में चयन कएल गेल छल। ओ सडक वा लास गृह में छोडल गेल शवसभ के दाह संस्कार में सम्मिलित होएत अछि आ ओ सभक पोस्टमार्टम के लेल अस्पताल लऽ जाए के सेहो व्यवस्था करैत अछि।[]यदि शरीर ३५ दिन सँ अधिक समय धरि लावारिस रहि गेल तँ अन्तिम संस्कार हिन्दू रीति-रिवाजक अनुसार कएल जाऽ सकैत अछि।[]

मूल रूप सँ, रोका नेपाल के म्याग्दी जिला सँ अछि। हुनकर जन्म १० फरवरी २००२ में जित प्रसाद रोका मागर (पिता) आ नानू रोका मागर (माँ) के सभसँ छोटकी बेटी के रूप में भेल छल।[] १४ वरिषक उमर में, ओ बुटवल चलि गेल, जतय ओ अपन माता-पिता के इच्छा के विरुद्ध एक गोटे युवक के सँगे चलि गेल।[]किछ ही महिना में ओ युवकसँ सम्बन्ध टूटि गेल आ ओ बेघर भऽ गेल। गल्ली में, ओ एक्शन फोर सोशल चेन्ज, एकटा एन.जी.ओ. सँ परिचित भेल, आ ओकर सँगे काम करनाए शुरू करि देलक जतय सँ ओ दाह संस्कार आ अन्य सामाजिक गतिविधिसभ सञ्चालित करैत अछि।[]

ओ काठमाण्डौ में कोरोना भाइरस (कोभिड-१९) लकडाउन के समय में बेघर सभ के खाना खुवाबे में सेहो सम्मिलित अछि।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Nepal’s Sapana Roka Magar among BBC's 100 inspiring women", My Republica, २४ नवम्बर २०२०, मूलसँ २१ जनवरी २०२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ७ दिसम्बर २०२०
  2. "BBC 100 Women 2020: Who is on the list this year?", BBC News, २३ नवम्बर २०२०, अन्तिम पहुँच ७ दिसम्बर २०२०
    - "१९ वर्षीय सपना बीबीसीको प्रभावशाली एक सय महिलाको सूचीमा", Janata Samachar (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच ७ दिसम्बर २०२०[permanent dead link]
  3. "BBC features Nepal's Sapana Roka Magar on this year's 100 Women list", The Himalayan Times, २४ नवम्बर २०२०, अन्तिम पहुँच ७ दिसम्बर २०२०
  4. "Social media elated by Nepali in BBC list", Nepali Times, अन्तिम पहुँच ८ दिसम्बर २०२०
  5. "Nepal’s Sapana Roka Magar, who provides Hindu funeral rites for unclaimed bodies, listed in BBC's 100 Women of 2020", Global Voices, ५ दिसम्बर २०२०, अन्तिम पहुँच ७ दिसम्बर २०२०
  6. "बीबीसीको प्रभावशाली महिलाको सूचीमा म्याग्दीकी सपना रोका मगर", Himalaya Television (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच ७ दिसम्बर २०२०


बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]