समान नागरिक संहिता

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
1930 में जवाहरलाल नेहरू, मुद्दा ओ एक समान नागरिक संहिताक समर्थन केने छल, हुनका वरिष्ठ नेतासभद्वारा विरोधक सामना करै पड़ल छल
सन् १९३० में जवाहरलाल नेहरू, मुद्दा ओ एक समान नागरिक संहिताक समर्थन केने छल, हुनका वरिष्ठ नेतासभद्वारा विरोधक सामना करै पड़ल छल

समान नागरिक संहिता वा समान आचार संहिता कऽ अर्थ एक धर्मनिरपेक्ष (सेक्युलर) कानून होइत अछि जे सभ पन्थ के लोगसभक लेल समान रूपसँ लागू होइत अछि।[१] दोसर शब्द में, अलग-अलग पन्थसभक लेल अलग-अलग सिभिल कानून नहि होनाए ही 'समान नागरिक संहिता' कऽ मूल भावना छि। समान नागरिक कानूनसँ अभिप्राय कानूनसभक ओहन समूहसँ अछि जे देश केरऽ समस्त नागरिकसभ (चाहे ओ कुनु पन्थ क्षेत्रसँ सम्बन्धित होए) पर लागू होइत अछि।[२] ई कुनु भी पन्थ जाति के सभ निजी कानूनसभसँ ऊपर होइत अछि।

समान नागरिकता कानून के अन्तर्गत आवै वाला मुख्य विषय ई छि-

  • व्यक्तिगत स्तर,
  • सम्पत्ति के अधिग्रहण आ सञ्चालनक अधिकार,
  • विवाह, सम्बन्ध विच्छेद आ गोद लेनाए।
समान नागरिक संहिता वाला पन्थनिरपेक्ष देश

विश्व केर अधिकतर आधुनिक देशसभमें एहन कानून लागू अछि। समान नागरिक संहितासँ सञ्चालित पन्थनिरपेक्ष देशसभक संख्या बहुत अधिक अछि:-जेना कि अमेरिका, आयरल्याण्ड, पाकिस्तान, बंगलादेश, मलेसिया, तुर्की , इन्डोनेशिया, सूडान, इजिप्ट, जेहन अनेकौं देश अछि जे समान नागरिक संहिता लागू केने अछि।

भारतक स्थिति

भारतमें समान नागरिक संहिता लागू नहि अछि, मुद्दा भारतमें अधिकतर निजी कानून धर्म के आधार पर तय कएल गेल अछि।[३] हिन्दू, सिख, जैनबौद्ध केरऽ लेल एक व्यक्तिगत कानून छि, जखनकि मुसलमानसभइसाइसभक लेल अपन कानून अछि। मुसलमानसभक कानून शरीअत पर आधारित अछि; अन्य धार्मिक समुदायसभक कानून भारतीय संसद के संविधान पर आधारित अछि।



सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "समान नागरिक संहिता: पहल न होने के असल कारण", BBC News हिंदी, मूलसँ २ दिसंबर २०१७-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ७ अप्रैल २०२० 
  2. "Triple Talaq: Ban this un-Islamic practice and bring in a uniform civil code", Hindustan Times, २२ नव॰ २०१७, मूलसँ ६ अगस्त २०१९-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ७ अप्रैल २०२० 
  3. Modern Indian Family Law Archived 15 October 2013[Date mismatch] at the Wayback Machine.[[]] - by Werner Menski


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]