सलहेस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

राजा सलहेस [ Salhesh], सलहेश लोकगाथाक प्रमूख पात्र छथि। सिरहाक महिसोथामे हिनक जन्म भेल छल। ६ टहम सताब्दी दिस कृषि युगमे हिनक जन्म भेल रहए। मिथिलाक दुसाध जातिक लोकदेवता छथि।[१]सलहेसक वास्तविक नाम जयवर्धन सलहेस जे शैलेश सँ अपभ्रंश होइत सलहेस भेल अछि । शैलेश अर्थात् पर्वतके राजा[२] । बैशाख १ गते हिनके प्रेमक प्रतीकके रूपमे सलहेश फूलबारि, लहानसँ ३ किलोमिटर दूरमे फूल फूलाइत अछि।

सलहेश लोक गाथा[सम्पादन करी]

सलहेस गाथाक पहिल संकलक जर्ज अम्ब्राहम ग्रियसनके मानल जाइत अछि । जे जर्मनी भाषामे १९बी शताब्दीमे एकरा प्रकाशित कएने छल ।

ग्रियसनक हिसाबे सलहेसक जन्म सिरहामहिसोथामे एकटा सामान्य परिवारमे भेल छल ।

परिवार[सम्पादन करी]

हिनक विवाह रानी सत्यवती संग भेल छल । सलहेस तीन भाइ (सलहेस, मोतीराम आ बुधेश्वर) आ एक बहिन वन शपती छल । वन शपतीक विवाह करजनहाके शैनी पासवान जरे भेल छल । शैनी बुध धर्ममे लागिक तिब्बत चलि गेल । बादमे सलहेस बहिन वन शपती आ भैगना करिकनहाके अपने संगे राख लगल ।

सन्दर्भ ग्रन्थ[सम्पादन करी]

  1. हरिनारायण ठाकुर (2009). दलित साहित्य का समाजशास्त्र. Bhartiya Jnanpith. pp. 101–103. ISBN 978-8126317349. Retrieved 13 June 2022.
  2. आइ लभ मिथिला, राजा सलहेश परिचय, इतिहास, जिवन, सलहेश फूलबारि