सामग्री पर जाएँ

साइनसिने फिल्म फेस्टिवल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
साइनसिने फ़िल्म फ़ेस्टिवल
स्थलबिहार, भारत
स्थापना2020
मेजबानशिवाय प्रोडक्शन्स


साइनसिने फिल्म फेस्टिवल (अङ्ग्रेजी: Sincine Film Festival) एकटा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म महोत्सव अछि, जेकर स्थापना 2020 ई. में भेल अछि। ई महोत्सव फीचर फिल्म, लघु फिल्म, वृत्तचित्र आ क्षेत्रीय फिल्मक लेल समर्पित अछि। साइनसिने फिल्म फेस्टिवल के आयोजन शिवाय प्रोडक्शंस द्वारा कएल जाइत अछि, आ एकर संस्थापक आ निर्देशक एन मंडल छथि।[][]

साइनसिने फिल्म फेस्टिवल केर पहिल संस्करण 5 मार्च स 7 मार्च 2021 धरि बिहार केर मुजफ्फरपुर जिला में आयोजित भेल। उद्घाटन समारोह दीप प्रज्वलन के संग भेल, जाहि में बिहार केर स्थानीय जनप्रतिनिधि उपस्थित रहल।[]

पहिल संस्करण में भारत सहित विभिन्न देश स 200 स अधिक फिल्मक प्रविष्टि प्राप्त भेल। आयोजन के प्रसारण दूरदर्शन केंद्र, बिहार द्वारा कएल गेल, आ बिग एफएम मीडिया पार्टनर रहल।[]

फिल्म श्रेणियाँ

[सम्पादन करी]

महोत्सव में निम्नलिखित श्रेणियाँ शामिल अछि—

  • फीचर फिल्म
  • लघु फिल्म
  • वृत्तचित्र
  • क्षेत्रीय फिल्म
  • वीडियो म्यूजिक[]

पुरस्कार

[सम्पादन करी]

साइनसिने फिल्म फेस्टिवल में विभिन्न रचनात्मक आ तकनीकी श्रेणीक पुरस्कार देल जाइत अछि, जइमे—

  • सर्वश्रेष्ठ फिल्म
  • सर्वश्रेष्ठ निर्देशक
  • सर्वश्रेष्ठ अभिनेता आ अभिनेत्री
  • सर्वश्रेष्ठ पटकथा
  • सर्वश्रेष्ठ सिनेमैटोग्राफी
  • सर्वश्रेष्ठ एडिटिंग
  • जूरी पुरस्कार
  • लाइफटाइम अचीवमेंट पुरस्कार[]

मीडिया कवरेज

[सम्पादन करी]

साइनसिने फिल्म फेस्टिवल पर ANI, Business Standard, Free Press Journal, Amar Ujala आ अन्य राष्ट्रीय मीडिया द्वारा स्वतंत्र समाचार कवरेज प्रकाशित भेल अछि, जे महोत्सव के राष्ट्रीय आ अंतर्राष्ट्रीय पहचान के संकेत करैत अछि।[][]

  1. "Meet 10 influential personal brands changing the game in 2023", ANI News, २५ मई २०२३।
  2. "Sincine International Film Festival begins", Hindustan (हिन्दीमे), मूलसँ २०२३-०८-०३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-०६-१४ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "तीन दिवसीय साइनसिने अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल का आगाज", Jagran (हिन्दीमे)।
  4. "साइनसिने फिल्म फेस्टिवल उल्लासपूर्वक संपन्न", Mithimedia (हिन्दीमे)।
  5. "Sincine Film Festival", FilmFreeway
  6. "फिल्म 'चाय की टपरी' को मिला बेस्ट शॉर्ट फिल्म का अवार्ड", Jagran (हिन्दीमे)।
  7. "Meet 10 influential innovators changing the game in 2023", Business Standard
  8. "शार्ट फिल्म जिंदगी का साइनसिने फिल्म फेस्टिवल 2020 में हुआ चयन", Amar Ujala (हिन्दीमे)।

बाहरी कड़ियाँ

[सम्पादन करी]