सामन्था रुथ प्रभु
सामन्था रुथ प्रभु Samantha Ruth Prabhu | |
---|---|
![]() सन् २०२२ मे सामन्था | |
जन्म | सामन्था रूथ प्रभु २८ अप्रैल १९८७[१][२] |
राष्ट्रियता | भारतीय |
शिक्षा | बि.कम.[४] |
व्यवसाय | अभिनेत्री, मोडल |
जीवनसाथी(सभ) | नागा चैतन्य (वि. २०१७; विच्छेद. २०२१)[५] |
सम्बन्धी | देखी दग्गुबाती-रुथ प्रभु परिवार[६] |
हस्ताक्षर | |
![]() |
सामन्था रुथ प्रभु (अङ्ग्रेजी: Samantha Ruth Prabhu ) (जन्म:२८ अप्रैल १९८७) एक भारतीय अभिनेत्री तथा मोडल छी। रुथ प्रभुकेँ तेलुगु आ तमिल चलचित्र उद्योगमे स्थापित करियर अछि आ ओ एखन धरि ४ टा फिल्मफेयर अवार्ड जीत चुकल अछि।
सामन्थाक जन्म तमिलनाडु राज्यक चेन्नईमे तेलुगु आ मलयाली परिवारमे भेल छल। ओ व्यवस्थापन विषयमे स्नातक करि छोट मोट मोडलिङ क्षेत्रमे सक्रिय भेल छल। हुनका जल्दिए चलचित्रमे काज करवाक मौका मिलल आ ओ अपन चलचित्र करियरक सुरुवात गौतम मेननक समीक्षकद्वारा प्रशंसित तेलुगु प्रेममिलन पर आधारित चलचित्र ये माया चेसाव (२०१०) सँ केनए छल। ई चलचित्रक लेल हुनका फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री-दक्षिण पुरस्कार आ नन्दी अवार्ड प्राप्त भेल छल। [७][८][९] निथाने एन पुनवसन्तम (२०१२) आ इगा (२०१२) नामक चलचित्रमे दमदार अभिनयक लेल सामन्था एके वर्ष फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ तमिल अभिनेत्री आ फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ तेलुगु अभिनेत्रीक पुरस्कार जीतऽमे सफल भेल छल। दुनू पुरस्कार एके वर्ष जीतै वाली ओ इतिहासक दोसर अभिनेत्री बनल। सामन्थासँ पहिने ई कारनामा रेवती केनए छल। सन् २०१२ मे मिलल अपार सफलताक बाद सामन्था अभिनेता केन्द्रित चलचित्रमे मुख्य महिला कलाकारक रूपमे प्रस्तुत भेल। तेलुगु चलचित्र डोकुडु (२०११), पारवारिक नाट्य चलचित्र सितम्मा वकिट्लो सीरीमल्ले चेट्टु (२०१२), आ तमिल चलचित्र कठ्ठी (२०१४) थेरी (२०१६) आ २४ बक्स अफिसमे बढ़िया साबित भेल छल।
प्रारम्भिक जीवनी
सन् १९८७ मे जन्म भेल सामन्थाक माता मलयाली आ पिता तेलुगु छी । सामन्था अपन वाल्यकाल भारतीय राज्य तमिलनाडुक चेन्नईमे बितौने छल। दुई भाए आ १ बहीनक परिवारमे ओ सभ सँ छोट सन्तान छी। सामन्था सँ पैग जोनाथन आ डेभिड नामक दुई भाए अछि। ओ तमिल भाषा बाजऽमे प्रवीण अछि।[१०] मिश्रित क्षेत्रीय परिवार सँ जुड़ल भेला बादो सामन्था अपना आपकेँ तमिल मानैत अछि कियाकी ओ घरमे तमिल आ अङ्ग्रेजी बाजैत पैग भेल ।[११][१२] सामन्था अपन प्रारम्भिक शिक्षा होली एन्जेल्स एङ्लो इन्डियन उच्च माध्यमिक विद्यालय सँ केलक आ वाणिज्य सङ्कायमे स्टेला मेरिस कलेज, चेन्नई सँ स्नातकधरिक शिक्षा प्राप्त केलक।[११][१३] स्नातोकोतर शिक्षाक अन्त्य दिस ओ मोडलिङ क्षेत्रमे प्रवेश केलक आ नायडु चलचित्र घर सङ्गे काज करऽलेल आरम्भ केलक जखन सामन्थाकेँ रवि वर्मन अङ्कित केनए छल।[१४]

व्यक्तिगत जीवनी आ परोपकारी कार्य
सन् २०१२ मे सामन्था बहुत समयधरि रोग सँ ग्रस्त रहल, जहिकारण ओ पैग चलचित्रसभ सँ बाहर भेल आ २ महिनाक लेल अभिनय सँ छुट्टी लेलक। रोग प्रतिरोधात्मक क्षमतामे कमी आ एन्टिबायोटिक्सद्वारा शरीरमे कमजोरी सँ ओ प्रभावित भेल छल।[१५] सन् २०१५ मे ओ अभिनेता नागा चैतन्य सँ भेटघाट आरम्भ केलक आ सन् २०१७ जनवरीमे ई दुनू जोड़ी हैदराबादमे एक समारोहक बीच बन्धनमे बधि गेल।[१६][१७] गोवामे रहल समुद्री तटमे ई दुनू जोड़ी ६ अक्टुबरक दिन विवाह करि लेलक। परम्परागत हिन्दू/तेलुगु रीतिरिवाजमे ई दुनू ६ अक्टुबरक दिन विवाह केलक आ ८ अक्टुबरक दिन एकटा क्रिश्चियन चर्चमे विवाह समारोह सम्पन्न भेल।[१८]
परोपकारी सेवा
सामन्था सक्रिय रूप सँ परोपकारी गतिविधिसभमे शामिल होएत अछि। सन् २०१२ मे पञ्जीकृत कएल गेल हुनकर परोपकारी संस्था प्रत्युषा सपोर्टमे ओ विज्ञापन, उत्पादन विमोचन आ उद्घाटन कार्यक्रम सँ होमएवला कमाई दान करैत अछि। सन् २०१२ मे अपन बीमारीक दौरान १५ दिन ग्रस्त भेलाक बाद एहन रोग सँ पीडित लोकसभक लेल एकटा गैर-सरकारी सङ्गठन शुरू केलक।[१९][२०] सन् २०१३ अगस्तमे ओ अपन फाउन्डेसनके चर्चित बनेबाक लेल एक अनुदान जमा करवाक लेल अपन व्यक्तिगत वस्तु आ कयन यादगार वस्तुकेँ निलामी केनए छल।
फिल्मोग्राफी
![]() |
प्रदर्शित नै भेल चलचित्र जनाएत |
वर्ष | चलचित्र | भूमिका | भाषा | टिप्पणी |
---|---|---|---|---|
२०१० | विन्नैथान्डी वरुवाया | नन्दिनी | तमिल | आंशिक उपस्थिति |
ये माया चेसाव | जेसी थेकेकुटु | तेलुगु | फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार – दक्षिण नामाङ्कित—फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार – तेलुगु | |
बाना काथडी | प्रिया | तमिल | ||
मस्कोविन कावेरी | कावेरी थाङ्गवेलु | तमिल | ||
वृन्दावनम् | इन्दु | तेलुगु | ||
२०११ | नदुनिसी नायगल | एसिलम रोगी | तमिल | आंशिक उपस्थिति |
डोकुडु | प्रशान्ति | तेलुगु | ||
२०१२ | एक दिवाना था | सामन्था | हिन्दी | आंशिक उपस्थिति |
इगा | बिन्दु | तेलुगु | फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार – तेलुगु | |
नान ई | तमिल | |||
निथाने एन पुनवसन्तम | निथ्या वशुदेवन | तमिल | फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार – तमिल | |
येतो वेल्लीपोइन्धी मनासु | निथ्या येलवर्ती | तेलुगु | ||
२०१६ | बेङ्गलोर नाटकल | ग्रेस | तमिल | आंशिक उपस्थिति |
थेरी | मित्रा विजयकुमार | तमिल | ||
२४ | सत्या | तमिल | ||
ब्रह्म्तोसव | तेलुगु | |||
ए आ | अनसुया रामलिङ्गम | तेलुगु | विजयी - फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार - तेलुगु विजयी - आइफा उत्सवम सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार – तेलुगु | |
जनता गेराज | धाना/बुज्जी | तेलुगु | ||
२०१७ | मेर्सल ![]() |
तमिल | छायांकन होइत | |
राजु गारी गढी २ ![]() |
तेलुगु | छायांकन होइत | ||
इरुम्बु थिराई ![]() |
तमिल | छायांकन होइत | ||
एनिथी कठिगल![]() |
तमिल | छायांकन होइत | ||
२०१८ | रङ्गस्थलम ![]() |
तेलुगु | छायांकन होइत | |
सावित्री ![]() |
तमिल आ तेलुगु | छायांकन होइत | ||
शीर्षक नै ![]() |
तमिल | छायांकन होइत |
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ Chowdhary, Y. Sunita (१२ मई २०१२), "Away from the rat race", The Hindu, अन्तिम पहुँच ११ नवम्बर २०१२।
- ↑ Shekhar H Hooli (२०१५-०४-२८), "Samantha Celebrates Birthday; Tollywood Celebs Wish Her", International Business Times, अन्तिम पहुँच २०१५-११-१४।
- ↑ "Samantha raised in Pallavaram", Firstpost, अन्तिम पहुँच १४ अगस्त २०१४।
- ↑ "Samantha Biography, Samantha Ruth Prabhu Biography, Samantha Ruth Prabhu Profile, Samantha Height", Teluguvanitha.com, १४ फरबरी २०१२, मूलसँ २६ अगस्त २०१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३१ जुलाई २०१२।
|deadurl=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Samantha Ruth Prabhu And Naga Chaitanya Announce Separation", NDTV, मूलसँ २ अक्टुबर २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ अक्टुबर २०२१।
- ↑ https://indianexpress.com/article/entertainment/regional/naga-chaitanya-samantha-ruth-prabhu-wedding-on-hold-for-now-nagarjuna-3016386/।
|title=
खाली (सहायता) - ↑ Y. Sunita Chowdhary (१० मई २०१२), "Away from the rat race", The Hindu, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०१४।
- ↑ "Samantha feels 'One' film changes all", The Times of India, १० नवम्बर २०१३, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०१४।
- ↑ "Samantha is in her own league", Deccan Chronicle, २७ मार्च २०१४, अन्तिम पहुँच १२ जुलाई २०१४।
- ↑ Shankar, Settu (२००८), "Samantha Christens herself Yashodha!", OneIndia, मूलसँ २०१३-०२-२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २००८-०८-०५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ ११.० ११.१ Y. Sunita Chowdury (१ मार्च २०१०), "Poised on the edge", The Hindu, अन्तिम पहुँच २०१०-०३-०१।
- ↑ Prakash, B (२०१०-०३-०७), "It wasn't a liplock really: Samantha", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१०-०३-०७।
- ↑ "South Star Samantha Found Her Old Report Cards, Posted Them on Facebook"।
- ↑ "Interview with Samantha", Supergoodmovies.com, २०१०-०३-०२, अन्तिम पहुँच २०१५-११-१५।
- ↑ Mohan, Manasa (२०१३-०१-२३), "'I can't look at myself on the screen", The New Indian Express, अन्तिम पहुँच २०१५-११-१५।
- ↑ "IBTimes Exclusive: Samantha opens up about Naga Chaitanya and marriage", Ibtimes.co.in, २०१६-०९-२०, अन्तिम पहुँच २०१७-०१-१४।
- ↑ "Naga Chaitanya on wedding plans: I will tie the knot next year", Indiatoday.intoday.in, २०१६-०९-१८, अन्तिम पहुँच २०१७-०१-१४।
- ↑ "Naga Chaitanya Samantha to tie the knot on 6th October", NewsNexa.com, मूलसँ २०१७-०९-०५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०७-०७।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Samantha interview – तेलुगु film actress", Idlebrain.com, २०१२-१२-१३, अन्तिम पहुँच २०१५-११-१५।
- ↑ "Samantha to auction personal items", The Times of India, २०१३-०८-०८, अन्तिम पहुँच २०१५-११-१५।
बाह्य जडीसभ
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे सामन्था रुथ प्रभुसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
- इन्टरनेट चलचित्र भण्डारणमे सामन्था रुथ प्रभु
- सामन्था रूथ प्रभु बलिउड हङ्गामामे
- सामन्था रुथ प्रभु इन्स्टाग्राम पर