भारत
| गणतन्त्र भारत भारत गणराज्य |
||||||
|---|---|---|---|---|---|---|
|
||||||
| राष्ट्रिय वाक्य: "सत्यमेव जयते" (संस्कृत) "सत्यके सदैव जीत होएत अछि"[१] |
||||||
| राष्ट्रगान: जन गण मन |
||||||
| भारतके अधिकारमे रहल क्षेत्र, गाढ़ा हरियर
दावा कएल गेल मुदा अधिकारमे नै रहल क्षेत्र, हलका हरियर । |
||||||
| राजधानी | नयाँ दिल्ली २८°३६.८′ उत्तर ७७°१२.५′ पूर्व / २८.६१३३° उत्तर ७७.२०८३° पूर्व | |||||
| पैग सहर | मुम्बई | |||||
| सरकारी भाषा | हिन्दी तथा अंग्रेजी | |||||
| क्षेत्रीय भाषासभ | ||||||
| संघक राजभाषासभ | हिन्दी तथा अंग्रेजी(सह-राजभाषा) | |||||
| सरकारक प्रकार | संसदीय संघीय संवैधानिक गणराज्य | |||||
| - | राष्ट्रपति | राम नाथ कोविन्द | ||||
| - | उपराष्ट्रपति | वेङ्कैया नायडू | ||||
| - | प्रधानमन्त्री | नरेन्द्र मोदी (भाजपा) | ||||
| - | सभाक वाचक | सुमित्रा महाजन (भाजपा) | ||||
| - | मुख्य न्यायधिश | राजेन्द्र मल लोढा[२] | ||||
| व्यवस्थापिका | भारतीय संसद | |||||
| - | उपरका सदन | राज्य सभा | ||||
| - | निचल्का सदन | लोक सभा | ||||
| स्वतन्त्रता | संयुक्त अधिराज्यसँ | |||||
| - | भेटल तिथि | सन् १९४७ १५ अगस्त | ||||
| - | गणतन्त्र | सन् १९५० २६ जनवरी | ||||
| क्षेत्रफल | ||||||
| - | पुरा | ३२,८७,२६३ किमी२ (सातम) १२,६९,२१९ वर्गमाइल |
||||
| - | पानी (%) | ९.५६ | ||||
| जनसंख्या | ||||||
| - | जनगणना सन् २०११ | १२१०१९३४२२ (दोसर) | ||||
| - | जनघनत्व | ३२८७२६३/किमी२ (३१म) १२,६९,२१९/वर्ग माइल |
||||
| मुद्रा | भारतीय रुपए (आइएनआर) |
|||||
| समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+०५:३०) | |||||
| सडक प्रयोग | बामा | |||||
| टेलिफोन कोड नं. | ९१ | |||||
भारत (अङ्ग्रेजी: Bharat, अङ्ग्रेजी: इन्डिया, अङ्ग्रेजी: India) (आधिकारिक नाम: गणतन्त्र भारत अङ्ग्रेजी: Republic of India) दक्षिण एशियामे अवस्थित भारतीय उपमहाद्वीपक सभसँ पैग देश छी । पूर्ण रूपसँ उत्तरी गोलार्धमे स्थित भारत, भौगोलिक दृष्टिसँ विश्वमे सातम सभसँ पैग आ जनसङ्ख्याक दृष्टिकोणसँ दोसर सभसँ पैग देश छी । भारतक पश्चिममे पाकिस्तान, उत्तर-पूर्वमे चीन, नेपाल आ भुटान, पूर्वमे बंगलादेश आ म्यानमार स्थित अछि । हिन्द महासागरमे एकर दक्षिण पश्चिममे माल्दिभ्स, दक्षिणमे श्रीलंका आ दक्षिण-पूर्वमे इन्डोनेसियासँ भारतक सामुद्रिक सीमा छुबैत अछि । एकर उत्तरक भौतिक सीमा हिमालय पर्वतसँ आ दक्षिणमे हिन्द महासागरसँ छुबैत अछि । पूर्वमे बङ्गालक खाड़ी अछि तथा पश्चिममे अरब सागर अछि ।
प्राचीन सिन्धु घाटी सभ्यता, व्यापार मार्गसभ आ वृहत साम्राज्यसभक विकास-स्थान रहल भारतीय उपमहाद्वीप एकर सांस्कृतिक आ आर्थिक सफलताक लम्बा इतिहासक लेल जानल जाइत रहल अछि । चारि प्रमुख सम्प्रदायसभ: हिन्दू, बौद्ध, जैन आ सिख धर्मसभक एहि ठाम उदय भेल, पारसी, यहुदी, इसाई आ मुस्लिम धर्म प्रथम सहस्राब्दीमे एतय पहुचल आ एतय विविध संस्कृतिकें नव रूप देलक । क्रमिक विजयसभक परिणामस्वरूप ब्रिटिश इस्ट इन्डिया कम्पनी १८हम आ १९अम शताब्दीमे भारतक अधिकतर हिस्सासभकें अपन राज्यमे मिलाए लेलक । सन् १८५७ कऽ विफल विद्रोहक बाद भारतक प्रशासनिक भार ब्रिटिश सरकार अपन उपर लऽ लेलक । ब्रिटिश भारतक रूपमे ब्रिटिश साम्राज्यक प्रमुख अङ्ग भारत, महात्मा गान्धीक नेतृत्वमे एक लम्बा आ मुख्य रूपसँ अहिंसक स्वतन्त्रता सङ्ग्रामक बाद १५ अगस्त १९४७कें आजादी पाबलक । सन् १९५० मे लागू भेल नव संविधानमे एकरा सार्वजनिक वयस्क मताधिकारक आधार पर स्थापित संवैधानिक लोकतान्त्रिक गणतन्त्र घोषित करि देल गेल आ युनाइटेड किङ्गडमक तर्ज पर वेस्टमिनिस्टर शैलीक संसदीय सरकार स्थापित कएल गेल । एक सङ्घीय राष्ट्र, भारतकें २९ राज्य आ ७ सङ्घ शासित प्रदेशसभमे गठित कएल गेल अछि ।
नामोत्पति[सम्पादन करी]
इतिहास[सम्पादन करी]
अर्थतन्त्र[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ National Informatics Centre 2005.
- ↑ "Justice R M Lodha sworn in as 41st chief justice of Supreme Court" [न्यायाधीश आर एम लोढ़ा ने सर्वोच्च्य न्यायालये के प्रमुख न्यायाधीश पद की शपथ ली], आईएएनएस (अंग्रेजीमे), न्यूज बिहारप्रभा, अभिगमन तिथि १३ मई २०१४।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
| विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास भारतसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |