राज्य सभा
राज्य सभा सभा परिषद | |
---|---|
![]() भारतक प्रतीक चिन्ह | |
प्रकार | |
प्रकार | भारतीय संसदक उपरी सदन |
पदावधि समयसीमा | ६ वर्ष |
नेतृत्वकर्ता | |
उपसभाध्यक्ष | |
सभाक नेता | |
विपक्षी दलक नेता | |
संरचना | |
सिट | २४५ (२३३ निर्वाचित + १२ राष्ट्रपतिद्वारा नामित) १ रिक्त (१ निर्वाचित सिट)[३] |
![]() | |
राजनीतिक समूहसभ | सरकार पक्ष (८९) राजग (८९) विपक्ष (१५५) अन्य राजनीतिक दलसभ (७९)
अन्य (१०)
रिक्त (१)
|
निर्वाचन | |
एकल मतदान प्रणाली | |
पूर्व निर्वाचन | १६ जनवरी, २३ मार्च आ २१ जुन २०१८ |
आगामी निर्वाचन | मई- जुन २०१९ |
सभा स्थान | |
![]() | |
राज्य सभा कक्ष, संसद भवन, संसद मार्ग, नयाँ दिल्ली, भारत - ११० ००१ | |
वेबसाइट | |
rajyasabha.nic.in | |
टिप्पणी | |
^† ७३ भाजपा सदस्यमे सँ ६५ टा निर्वाचित आ ८ टा नामित अछि |
राज्य सभा भारतीय लोकतन्त्रक उपरी प्रतिनिधि सभा छी। लोक सभा निचला प्रतिनिधि सभा छी। राज्य सभामे २४५ सदस्य होएत अछि। जहिमे १२ सदस्य भारतक राष्ट्रपतिद्वारा नामाङ्कित होएत अछि। एकरा सभकें 'नामित सदस्य' कहल जाएत अछि। अन्य सदस्यसभक चुनाव होएत अछि। राज्यसभामे सदस्य ६ सालक लेल चुनल जाएत अछि, जहिमे एक-तिहाई सदस्य प्रति २ सालमे सेवा-निवृत होएत अछि।
कोनो भी सङ्घीय शासनमे सङ्घीय विधायिकाकें उपरी भाग संवैधानिक बाध्यताक कारण राज्य हितक सङ्घीय स्तर पर रक्षा करवाक लेल बनाएल जाएत अछि। एहि सिद्धान्तक कारण राज्य सभाक गठन भेल अछि। एहि कारण राज्य सभाक सदनसभक समानताकें रूपमे देखल जाएत अछि जकर गठने संसदक द्वितीय सदनक रूपमे भेल अछि। राज्यसभाक गठन एक पुनरीक्षण सदनक रूपमे भेल अछि जे लोक सभाद्वारा पास कएल गेल प्रस्तावसभक पुनरीक्षा करि सकै। ई मन्त्रिपरिषदमे विशेषज्ञकें कमी सेहो पूर्ण करि सकैत अछि कियाकी कम सँ कम १२ विशेषज्ञ तँ एहिमे मनोनित होएते अछि। आपातकाल लगेवाक सम्पूर्ण प्रस्ताव जे राष्ट्रपति लग भेजल जाएत अछि, राज्य सभाद्वारा सेहो पास होनाए अनिवार्य अछि। जुलाई २०१८ सँ, राज्यसभा सांसद सदनमे २२ भारतीय भाषासभमे भाषण करि सकैत अछि कियाकी उपरी सदनमे सम्पूर्ण बाइसो भारतीय भाषासभमे एक साथ व्याख्याक सुविधा अछि।[४]
भारतक उपराष्ट्रपति (वर्तमानमे वेङ्कैया नायडू) राज्यसभाक सभापति होएत अछि। राज्यसभाक पहिल सत्र १३ मई १९५२ कें बैसल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Venkaiah Naidu sworn in as Vice-President", The Hindu (New Delhi, India), ११ अगस्त २०१७, ९ फरबरी २०१४-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित।
|deadurl=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ २.० २.१ "RAJYA SABHA – AN INTRODUCTION", rajyasabha.nic.in, १६ अगस्त २०११-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित।
|deadurl=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ "MEMBERS OF RAJYA SABHA (STATE WISE LIST)", Rajya Sabha, १८ जुलाई २०१८, ५ फरबरी २०१४-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित।
|deadurl=
प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता) - ↑ "Rajya Sabha MPs can now speak in 22 Indian languages in House"।