नेपाल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल
Federal Democratic Republic of Nepal
नेपाल
झन्डा राष्ट्रिय चिन्ह
राष्ट्रिय वाक्यजननी जन्मभूमिश्च स्वर्गादपि गरीयसी
राष्ट्रगानसयौं थुँगा फूलका (नेपाली)
सौटा फूलक डाली (language?)

राजधानी काठमाडौं
२७°४२′ उत्तर ८५°१९′ पूर्व / २७.७००° उत्तर ८५.३१७° पूर्व / 27.700; 85.317
पैग सहर राजधानी
सरकारी भाषा नेपाली
क्षेत्रीय भाषासभ नेपाल भाषा, लिम्बू, सुनुवार, राई, मैथिली, भोजपुरी, अवधी, थारू, गुरुङ, सेर्पा, तामाङ, मगर, किराँत
सरकारक प्रकार सङ्घीय संसदीय गणतन्त्र
 -  राष्ट्रपति विद्या देवी भण्डारी
 -  उप राष्ट्रपति नन्दकिशोर पुन
 -  प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा
 -  सदनक प्रवक्ता ओनसरी घर्तीमगर
 -  प्रधान न्यायधिश गोपाल पराजुली
व्यवस्थापिका प्रतिनिधि सभा
ऐतिहासिक चरणसभ
 -  एकिकरण वि.सं. १८२५ आसिन ११ 
 -  प्रजातन्त्र घोषणा वि.सं. २००७ फागुन ७ 
 -  गणतन्त्र घोषणा वि.सं. २०६३ जेठ १५ 
क्षेत्रफल
 -  पुरा १,४७,१८१ किमी (९३अम)
५६,८२६ वर्गमाइल
 -  पानी (%) २.८
जनसंख्या
 -   अनुमान २६६२०००० (४०अम)
 -  जनगणना २०६८ २,६४,९४,५०४[१] 
 -  जनघनत्व १८४/किमी (६२अम)
५१८/वर्ग माइल
जिडिपी (पिपिपी) २०१२ अनुमान
 -  कूल $४१.२२ बिलियन [२] 
 -  प्रतिव्यक्ति आय $१,२००[२] 
जिडिपी (नाम मात्र) २०१२ अनुमान
 -  कूल $१९२.९२१ बिलियन[३] 
 -  प्रतिव्यक्ति आय $७४३[३] 
गिनी (२०१०) ३२.८ 
मानव विकास सूचकांक (२०१३) ०.४६३ (१५७अम)
मुद्रा रुपैयाँ (रू)
समय क्षेत्र नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+०५:४५)
सडक प्रयोग बामा
इन्टरनेट टिएलडी .np
टेलिफोन कोड नं. +९७७

नेपाल (सुनीi/nəˈpɔːl/;[४] About this sound Nepāl अङ्ग्रेजी: Federal Democratic Republic of Nepal), आधिकारिक नाम: सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल[५] एक दक्षिण एसियाली भूपरिवेष्ठित हिमाली राष्ट्र छी । एकर भौगोलिक अक्षांश २६ डिग्री २२ मिनेटसँ ३० डिग्री २७ मिनेट उत्तर आ ८० डिग्री ४ मिनेटसँ ८८ डिग्री १२ मिनेट पूर्वी देशान्तरधरि फैलल अछि । एकर कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ वर्ग किलोमिटर अछि । ई क्षेत्रफल पृथ्वीक कूल क्षेत्रफलक ०.०३% आ एसिया महादेशक ०.३% छी । लण्डन स्थित ग्रीनवीच मिनटाइमसँ पूर्वमे रहल गौरीशङ्कर हिमालयक नजदिक भऽ गेल ८६ डिग्री १५ मिनट पूर्वी देशान्तरक आधार मानि नेपालक प्रमाणिक समय ५ घण्टा ४५ मिनेट आगा मानल जाइत अछि ।

नेपालमे ७ प्रदेश७५ जिला आ ७४४ स्थानीय तह रहल अछि जहिमे ४ महानगरपालिका, १३ उपमहानगरपालिका, २४६ नगरपालिका आ ४८१ गाउँपालिका रहल अछि ।[६][७][८][९]नेपालक पूर्वी सीमा मेची नदीसँ पश्चिमी सीमा महाकाली नदीधरिक कूल लम्बाई ८८५ किलोमिटर अछि । उत्तरसँ दक्षिण तरफक चौडाई मुदा एक समान नै अछि । पूर्वी भागसँ पश्चिमी भाग कनिक चौडा अछि । तहिना मध्य भाग कनि खुम्चल अछि । नेपालक अधिकतम चौडाई २४१ किलोमिटर आ न्युनतम चौडाई १४५ किलोमिटर रहल अछि । यसर्थ नेपालक सरदर चौडाई १९३ किलोमिटर रहल अछि । नेपालक उत्तरमे चीनक स्वशासित क्षेत्र तिब्बत अछि तँ दक्षिण, पूर्व आ पश्चिममे भारत अवस्थित अछि । नेपालक ८०% सँ बेसी नागरिक हिन्दू धर्म मानैत अछि जे विश्वमे सभसँ बेसी प्रतिशत हिन्दू धर्मावलम्बी भेल राष्ट्र सेहो छी । हिन्दू धर्म छोडि बौद्ध, मुस्लिम, किरात आदि धर्म माननिहार लोकनि सेहो एतय बसोबास करैत अछि । एकटा छोट सन क्षेत्रक लेल नेपालक भौगोलिक विविधता बहुतेक उल्लेखनीय रहल अछि । एतय तराईक उष्ण फाँटसँ ठण्डा हिमालयक शृङ्खला अवस्थित अछि । संसारक सभसँ पैग १४ हिमश्रृङ्खलामे सँ ८ टा नेपालमे रहल अछि, एहिमे सँ संसारक सर्वोच्च शिखर सगरमाथा एक छी । नेपालक मुख्य शहर आ राजधानी काठमाण्डौ छी । काठमाडौं, ललितपुरभक्तपुरके काठमाडौं उपत्यका कहल जाइत अछि । आन मुख्य शहर सभमे भरतपुर, बिराटनगर, भैरहवा, वीरगञ्ज, जनकपुर, पोखरा, नेपालगञ्ज, धनगढी, राजविराजमहेन्द्रनगर अवैत अछि । नेपाल शब्दक उत्पतिक सम्बन्धमे कोनो ठोस प्रमाण तँ उपलब्ध नै अछि, मुदा एक प्रसिद्ध विश्वास अनुसार मरिची ॠषिक पुत्र 'ने' मुनिद्वारा पालन भेल स्थानक रूपमे एतौका नाम नेपाल रहल गेल अछि।

निरन्तर रूपमे राजा-रजौटा सभक अधीनमे रहि सम्पन्न इतिहास रहल, अखन नेपाल कहि चिन्हल जाइवला ई खण्ड वि.सं. २०४६ सालक आन्दोलन पश्चात् संवैधानिक राजतन्त्रक नीति अवलम्बन केनए छल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

हिमाल क्षेत्रमे लोकसभ लगभग ९००० बर्षसँ बैस रहल काठमाडौं उपत्यकाक प्राचिन इतिहाससँ पुष्टी भेल अछि । सम्भवत: भोट-बर्मेली मूलक लोकसभ नेपालमे २,५०० वर्ष आगा बसोबास करैत छल ।[१०]

ईशापूर्व १५०० दिस इन्डो-आर्यन जातिक लोकसभ उपत्यका प्रवेश केनए छल । ईशापूर्वक १००० दिस छोट छोट राज्यसभ आ राज्यसङ्गठनसभ बनल । सिद्धार्थ गौतम (ईशापूर्व ५६३–४८३) एहिने एक वंश, शाक्य वंशक राजकुमार छल, जे अपन राजकाज त्याग करि तपस्वी जीवन पसन्द करि [बुद्ध]] कहि विश्व प्रसिद्ध भेल । ईशापूर्वको २५० धरि, ई क्षेत्र उत्तर भारतक मौर्य साम्राज्यक प्रभावमे रहल आ बादमे चारम शताब्दीमे गुप्त साम्राज्यक अधीनस्थ राज्य भऽ गेल । योई क्षेत्रमे ५अम शताब्दीक उत्तरार्द्धमे आबि लिच्छवीसभ राज्य केलक । ८आम शताब्दीक उत्तरार्धमे लिच्छवीवंश अस्त होमए लागल आ सन् ८७९ सँ नेवार युगक उदय भेल, तथापि ओसभक नियन्त्रणमे देशक कतेक विस्तार भेल छल एकर यकिन नै अछि । ११अम शताब्दीक उत्तरार्द्धमे दक्षिण भारतसँ आएल चालुक्य साम्राज्यक प्रभावमे नेपालक दक्षिणी भूभाग आबि गेल । चालुक्यसभक प्रभावमे ओ समय चलिआएल बुद्ध धर्मक बदला एतयक राजासभ हिन्दू धर्मक समर्थन करै लागल आ नेपालमे हिन्दू धर्म तरफक धार्मिक परिवर्तन होमए लागल ।

पाटनक हिन्दू मन्दिर, तीन प्राचीन राज्यमे सँ एकक राजधानी
सन् १९२० दिसक नेपाली राजसंस्था

१३अम शताब्दीक पूर्वार्द्धमा संस्कृत शब्द मल्ल उपनाम भेल नायकसभक उदय होमए लागल । प्रारम्भमे ओसभ सत्ता उदयमान केलक, मुदा ओकरबाद २०० वर्षधरि राजासभ अपन शक्ति एकजुट करवाक काम मात्र केलक । १४अम शताब्दीक उत्तरार्धमे देशक बहुतेक भागसभ एकीकृत राज्यक अधीनमे आएल । मुदा ई एकीकरण छोट समयधरि मात्र टिकल: वि.सं. १४८२ मे यक्ष मल्लक समयमे अपन पुत्रसभक अंशबण्डामे काठमाडौं उपत्यकाक तीन राज्यमे विभाजन करवाक निर्णयबाद ई राज्य तीन भागमे विभाजित भऽ गेल - काठमाडौं, पाटनभादगाउँ – जकर बीचमे शताब्दिधरि खिचातानी आ दुश्मनी रहिरहल छल ।

वि.सं. १७६५ मे, गोरखाक राजा पृथ्वीनारायण शाह बहुत कम हतियार आ सहयोग जुटाए नजदिकी राज्यसभ, (खासकरि लम्जुङ्ग, कास्की आ तनहूँ)क तटस्थता अपन पक्षमे उपयोग करैमे सफल भेलाकबाद देश एकीकरणक निम्ति आगा बढल । बहुतेक रक्तरञ्जित युद्ध पश्चात्, ओ ३ वर्षबाद काठमाडौं उपत्यकाके विशाल नेपाल भितर एकीकरण करिक अभियानमे सफलता प्राप्त केलक । तथापि ओ तत्कालीन राजा जयप्रकाश मल्ल राज्य करिरहल काठमाडौं राज्यके जितैक लेल कोनो युद्ध नै करऽ पडल । वास्तवमे, तखन इन्द्रजात्रा पर्वमे काठमाडौं उपत्यकाक सम्पूर्ण जनतासभ जात्रा मनाए रहल छल जब पृथ्वी नारायण शाह अपन सेनासभ सहित खास कोनो मेहनतबिना उपत्यकाके कब्जा करि अपने बैस जात्रा चलाए साँस्कृतिक सम्मानक अवधारणा प्रस्तुत केनए छल । तहिना नेपाल एकीकरणक सिलसिलामे सम्पूर्ण छोट राज्यसभ जितलाकबाद पूर्वमे रहल किरात लिम्बूवान राज्य पहुँचल लिम्बूवान राज्यमे १७ बेरधरि हमला करि वि.स‌ं १८३१ भादो २२ मे लिम्बूवानक केन्द्रीय राजधानी विजयपुरमे लालमोहर सहित तम्रपत्रमे लिखत सन्धि भेल छल । ई नव नेपालक जन्मक आधारशिला तय केनए छल ।

तिब्बतसँ हिमाली मार्गक नियन्त्रणक लेल भेल विवाद आ ओकर पश्चातक युद्धमे चीन तिब्बतक सहायताक लेल अएलाकबाद नेपाल पाछा हटल छल । नेपालक सीमामे रहल नजदिकक छोट-छोट राज्यसभ हडपि लेला कारण आरम्भ भेल ब्रिटिस इस्ट इण्डिया कम्पनीसंगक दुश्मनीक कारण रक्तरञ्जित एङ्गलो-नेपाल युद्ध (१८१४–१६) भेल, जहिमे नेपाल वर्तमानक सीमा रक्षा करैमे सफल भेल मुदा महाकाली नदीक पश्चिमक अपन क्षेत्रसभ परित्याग करऽ पडल । ओ क्षेत्रसभमे वर्तमान भारतक उत्तराखण्ड राज्य आ वर्तमान हिमाञ्चल प्रदेशक बहुतेक पञ्जाबी पहाडी राज्यसभ अवस्थित अछि । अपन स्वाधीनताक लेल नेपालद्वारा इस्ट इण्डिया कम्पनिसँ सुगौली सन्धि करि तराईक किछ भूभाग आ एक तिहाइसँ बेसी भूभाग सहित सिक्किम, दार्जीलिङ परित्याग करऽ पडल । काङ्गडाधरि पहुँचल नेपाली आ सतलजसँ टिस्टाधरिक विशाल नेपाल मेचीमहाकालीमे सीमित भऽ गेल, मुदा तकरबाद वि.सं. १८६० मे प्रथम राणा प्रधानमन्त्री जङ्गबहादुर राणासँ खुसी भऽ अङ्ग्रेजद्वारा नेपालके राप्तीसँ महाकालीधरिक तराई वापस करि देनए छल ।

राज परिवार बीचक गुटबन्दीक कारण युद्धक बाद अस्थायित्व कायम भेल । सन् १८४६ मे शासन करिरहल रानीक सेनानायक जङ्गबहादुर राणाके सत्ताविमुख करवाक षड्यन्त्रक खुलासा भेलाक कारण कोतपर्व भेल छल । हतियारधारी सेना आ रानीप्रति बफादार भाई-भारदारसभबीच शीतयुद्ध भेलासँ देशक सयन राजखलक, भारदारसभ आ रजौटासभक हत्या भेल छल । जङ्गबहादुर जितलाकबाद राणा खानदान सुरू केलक आ राणा शासन लागू केलक । राजाके नाममात्रमे सीमित कएल गेल आ प्रधानमन्त्री पदके शक्तिशाली आ वंशाणुगत बनाएल गेल । राणासभ पूर्णनिष्ठासँ ब्रिटिससभक पक्षमे छल आ ब्रिटिससभके सन् १८५७ के सिपोई रिबेलियन (प्रथम भारतीय स्वतन्त्रता सङ्ग्राम), आ पाछा दुनू विश्व युद्धमे सहायता केनए छल । सन् १९२३ मे संयुक्त अधिराज्य आ नेपालबिच आधिकारिक रूपमे मित्रताक सम्झौतामे हस्ताक्षर भेल, जहिमे नेपालक स्वतन्त्रताके संयुक्त अधिराज्य स्विकार केनए छल ।

भाषा[सम्पादन करी]

नेपाली नेपालके राष्ट्रिय भाषा छी । ई सरकारी कामकाजमें सेहो उपयोग होएत अछि । एकर साथ नेपालमे नेवारी,लिम्बू, सुनुवार, राई, मैथिली, भोजपुरी, नेवारी, अवधी, थारू, गुरुङ, सेर्पा, तामाङ, मगर, मारवाडी, डोटेली आदि भाषा सेहो बोल्ल जाएत अछि । भाषाविज्ञानक आधार में देखला पर नेपाली भाषा के उत्पति भारोपेली भाषा परिवार के शतम् शाखा सँ विकसित आर्य-इरानी शाखा के आर्यली संस्कृत सँ विकसित भेल अछि ।

प्रशासनिक विभाजन[सम्पादन करी]

नेपालके प्रशासनिक विभाजन

नेपाल १४ अञ्चल, ७५ जिला आर ५ विकास क्षेत्रमे विभाजित करल गेल अछि । नेपालमे रहल ५ विकास क्षेत्र आर १४ अञ्चलसभ निम्नलिखित अछि :-


नेपालके नदीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "National Population and Housing Census 2011 (National Report)", Central Bureau of Statistics (Nepal), अभिगमन तिथि २६ नवम्बर २०१२ 
  2. २.० २.१ "Nepal Economy Profile 2013", Indexmundi.com, अभिगमन तिथि २० दिसम्बर २०१३ 
  3. ३.० ३.१ "Nepal", International Monetary Fund, अभिगमन तिथि २० अप्रैल २०१२ 
  4. "Nepal". अक्सफोर्ड अङ्ग्रेजी शब्दकोश (तेसर)। (सितम्बर २००५)। अक्सफोर्ड विश्वविद्यालय प्रेस। (Subscription or UK public library membership required.)
  5. "CIA – The World Factbook", Cia.gov, अभिगमन तिथि ५ दिसम्बर २०१२ 
  6. Post Report, "744 new local units come into effect - General - The Kathmandu Post", Kathmandupost.ekantipur.com, अभिगमन तिथि २३ अप्रैल २०१७ 
  7. "स्थानीय तह कार्यान्वयनमा". नागरिक दैनिक. २८ फागुन २०७३. http://www.nagariknews.com/news/15819/. अन्तिम पहुँच तिथि: २८ फागुन २०७३. 
  8. "गाउँपालिका र नगरपालिका कुन जिलामा कति? (सूची)". लोकान्तर. २३ पौष २०७३. http://lokaantar.com/taja_samachar/2084. अन्तिम पहुँच तिथि: २३ पौष २०७३. 
  9. "अब ७६६ स्थानीय तह". - राजेश मिश्र (कान्तिपुर दैनिक). १२ जेठ २०७४. http://kantipur.ekantipur.com/news/2017-05-26/20170525210136.html. 
  10. "A Country Study: Nepal", Federal Research Division, Library of Congress, अभिगमन तिथि सितम्बर २३  |accessyear= प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]