सप्तरी जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सप्तरी
शहिद दशन चौक
शहिद दशन चौक
सप्तरी जिलाक अवस्थिति
सप्तरी जिला
देश नेपाल
प्रदेशपुर्वाञ्चल
अञ्चलसगरमाथा
भौगोलिक अवस्थितितराई
गाउँपालिका सङ्ख्या११४
नगरपालिका सङ्ख्या
सदरमुकामराजविराज
क्षेत्रफल
 • कुल१३६३ किमी (५२६ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०११[१])
 • कुल६,३९,२८४ [१]
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०३१
मुख्य भाषासभमैथिली,नेपाली
वेबसाइटhttp://www.ddcsaptari.gov.np/

सप्तरी जिला नेपालक पुर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक सगरमाथा अञ्चलमे अवस्थित अछि । ई जिलाक पूरवमे सुनसरी, पश्चिममे सिराहा उत्तरमे उदयपुर जिला तथा दक्षिणमे भारतक बिहार प्रदेश परैत अछि।

इतिहास[सम्पादन करी]

सप्तरी ऐतिहासिक जिला अछि। सप्तसँ सात तरीसँ वन श्रृंखला भेलाक कारण सप्तरी नाम कहाएल अथवा सप्तकोशी नदी रहलाक कारणे अइ जिलाक नाम सप्तरी पड़ल। सप्तरी जिलाक प्रथम सदरमुकाम हनुमाननगर छल। हाल राजविराज स्थानान्तरण कएल गेल अछि। सन् १४०८ मे लिखित लिखनावलीमे सप्तरी जनपद उल्लेख अछि, जे विद्यापतिद्वारा लिखित अछि।

भौगोलिक अवस्था[सम्पादन करी]

  • अक्षांशः-२६.२५"उत्तर सऽ २६.४७" उत्तरमें
  • देशान्तरः-८६.२८" पूरव सऽ ८७.७" पूरवतलिक।
  • सिमाना:-पूर्व-सुनसरी जिला तथा भारतक विहार राज्य, पश्चिम-सिरहा जिला, उत्तर-उदयपुर जिला आर दक्षिण-भारतक विहार राज्य।
  • क्षेत्रफल:-१,३६३ वर्ग किलोमिटर
  • औषत लम्वाई:- ४३ किलोमिटर (पूरवमें कोशी नदी सऽ पश्चिममें बलान खोला तलिक)।
  • औषत चौडाई:- ३२ किलोमिटर (उत्तरमें चुरे पर्वतके पानीढलो सऽ दक्षिणमें भारतकऽ विहार राज्यके सुपौल तथा मधुबनी जिला तलिक)।

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सप्तरी जिला कऽ नक्सा[सम्पादन करी]

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सप्तरी जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
  2. निर्वाचन आयोग नेपाल सङ्ग्रहित २०१४-०६-१८ वेब्याक मेसिन, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]