सामग्री पर जाएँ

मकवानपुर जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

Makawanpur
मकवानपुर
हेटौंडा उपमहानगरपालिका
क अवस्थिति
देश नेपाल
प्रदेशमध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र
अञ्चलनारायणी
सदरमुकामहेटौंडा
क्षेत्रफल
 • कुल२४२६ किमी (९३७ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०६८[])
 • कुल४,२०,४७७
 • घनत्व१७०/वर्ग किमी (४५०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
मुख्य भाषासभनेपाली
वेबसाइटwww.ddcmakwanpur.gov.np

मकवानपुर जिला नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक नारायणी अञ्चलमे अवस्थित एक जिला छी । ई जिलाके मेची -महाकाली अञ्चलके राजधानीसँ सम्बन्ध स्थापित करैवला जिलाक रूपमे जानल जाइत अछि । उत्तरदिस करिब ६६ किलोमिटर लम्बा महाभारत श्रृङ्खला आ दक्षिणदिस करिब ९२ किलोमिटर लम्बा चुरे पर्वत (सिवालिक पहाड)क कोखमे ई जिला अवस्थित अछि। राजधानी प्रवेशक मुख्य मार्गक रूपमे परिचित ई जिला राजधानी काठमाडौं आ ऐतिहासिक जिला ललितपुरसँ सीमाबद्ध भऽ रहल अछि। त्रिभुवन राजपथमहेन्द्र राजमार्गक निर्माण भेलाक बाद ई जिला भऽ देशक पूर्व तथा पश्चिम आवागमन अत्यन्त सहज भेल अछि। ई जिलाक सदरमुकाम हेटौंडासँ फाखेल-हुमानेभञ्ज्याङ्ग-फर्पिङ्ग होइत कम समयमे काठमाडौं पहुँचै लेल वैकल्पिक मार्ग सेहो निर्माण भेल अछि। ई जिला देशक तेसर बड्का औद्योगिक जिलामे पडैत अछि। एतय बहुतरास प्राकृतिक मनोरम स्थलसभ रहल अछि। शान्त शीतल वातावरण जे किनको मन जित सकैत अछि। चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जपर्सा वन्यजन्तु आरक्ष सहो एहि जिलाक किछ भू-भाग ओगटने अछि। सेन वंशीय राजासभक दरबार मकवानपुरगढी (बडा महाराजाधिराज पृथ्वीनारायण शाहक ससुरारि सेहो), सामारिक दृष्टिसँ महत्वपूर्ण स्थान चिसापानी गढी, पर्यटकीय स्थल शहीद स्मारक, लाली गुराँस आ सुनगाभाक प्राकृतिक सङ्ग्रहालयसभ ई जिलाक सौर्न्दर्य आओर बढेने अछि। ई जिलामे नेपालक एकमात्र मानव निर्मित ताल अछि जकरा इन्द्र सरोवर वा कुलेखानी नामसँ जानल जाइत अछि । ई तालके पानिसँ कुलेखानी प्रथम कुलेखानी द्वितीय आ कुलेखानी तृतीय(हाल निर्माणाधीन) मे विद्युत उत्पादन कएल जाइत अछि । जे नेपाल विद्युत प्राधिकरण कऽ ब्याकअपके रूपमे रहल अछि।

जिलाक नामाकरण

ई जिलाक नामाकरण सेनवंशीय प्रतापी राजा मुकुन्द सेनक नाम अप्रभंश होइत माकन्दपुरसँ अन्तमे मकवानपुर भेल जनश्रुती एतय प्रचलित अछि।[][]

ऐतिहासिक पक्ष

ई जिलाक सामाजिक, धार्मिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक पक्षसभक सम्बन्धमे व्यवस्थित ढङ्गसँ ऐतिहासिक अध्ययन भेल नै देखबैत अछि । किम्वदन्ती आ फाटफुट निकलल लेखसभ अध्ययनक आधारमे महाभारतकालसँ ई जिला विभिन्न प्रसङ्गमे आबैत गेल अछि। वनबासक क्रममे पाँच पाण्डवसभ ई जिलामे आबि आ भीमसेन हेडम्बा राक्षसक बध करि हुनकर नामसँ हेटौंडा नामकरण भेल जनश्रुति प्रचलित अछि। हेडम्बा राक्षसक बहिन भूटनीसंग भीमसेनक विवाह भऽ घटोतकच पुत्र जन्मल आ ओही भूटनीक नामसँ हेटौंडाक प्रसिद्ध मन्दिर भूटनदेवी स्थापना कएल गेल सेहो जनश्रुति अछि।

ई जिलामे आदिवासी जनजातिक रूपमे रहल राई (देवास) जातिसभ दक्षिण पूर्वी बागमती नदी किनारक आसपास तीन-चार सौ वर्ष पहिनेसँ बसोबास करैत आएल छल आ फापरवारी गाविस वार्ड नम्बर १ झुरझुरे ओ सभक राजधानी रहल जनश्रुति अछि। ओहिना बेतिनी गाविसमे तामाङ्ग जातिसभक घिसिङ्ग राजाक दरबार छल कहिक मान्यता आ हाल ई जिलामे ५० प्रतिशतक हाराहारीमे रहल तामाङ्ग जातिसभक बाहुल्य ओकर सबुत भऽ सकैत छी।

आई सँ २३ सय वर्ष पहिने नेपालक भ्रमणमे आवैत काल चित्लाङ्गमे सम्राट अशोकक पुत्री चारुमती स्थापना केनए चैत्यसँ लऽ लिच्छवी कालीन राजा नरेन्द्रदेवक राजा प्रमाणित करैवाला एक मात्र शिलालेख पृथ्वीनारायण शाहक ससुरारि अर्थात् मकुन्ददेवक दरबार रहल मकवानपुरगढी आ सामरिक हिसाबसँ महत्वपूर्ण भेल काली तोप रहल आ उपत्यकासँ बाहर जाइत काल जाँच करवाक आ राहदानी देवाक प्रचलन तथा राणकालीन भन्सार चौकी चिसापानीगढीसँ ई जिलाक ऐतिहासिक महत्व दर्शावैत अछि।[]

भौगोलिक अवस्थिति

मकवानपुर जिला पूर्व पश्चिम लम्बा रहल अछि। पूर्व गल्ली होइत पश्चिमदिस बेलुन फुलल जका फुकल आकारमे अछि।

  • अक्षांश: २७.१०" सँ २७.४०" उत्तरी अक्षांश
  • देशान्तर: ८४.४१" सँ ८५.३१" पूर्वी देशान्तरधरि
  • क्षेत्रफल: २४२६ वर्ग किलोमिटर (नेपालक कूल क्षेत्रफलक १.६५५ भाग)
  • सिमाना: पूर्व काभ्रे आ सिन्धुली जिला, पश्चिम चितवन आ धादिङ्ग जिला, उत्तर काठमाडौंं आ ललितपुर, दक्षिण पर्सा, बारा आ रौतहट जिला

राजनैतिक विभाजन

मकवानपुर जिला नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र अन्तर्गत नारायणी अञ्चलमे अवस्थित अछि। ई जिलाक सदरमुकाम हेटौंडा छी। वि.सं. २०४३ सालमे हेटौंडाक सदरमुकाम बनाएल गेल छल । हेटौंडासँ पहिने भीमफेदी ई जिलाक सदरमुकाम छल। मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक क्षेत्रीय सदरमुकामक रूपमे एकरा विकास करवाक लक्ष्य राखल गेल अछि आ क्षेत्रीय-स्तरक कार्यालयसभ एतय स्थानान्तरण होमए कऽ क्रम अधिक अछि। प्रशासकीय दृष्टिसँ ई जिलाक ८ गाउँपालिका, १ नगरपालिका आ १ उपमहानगरपालिकामे विभाजन कएल गेल अछि।[][][][][]

स्थानीय तह

मकवानपुरक स्थानीय तहसभक सूची[१०]
क्र.सं. स्थानीय तहक नाम[११] कूल क्षेत्रफल
इन्द्रसरोवर गाउँपालिका ९७.३४ वर्ग किलोमिटर
कैलाश गाउँपालिका २०४.४८ वर्ग किलोमिटर
बकैया गाउँपालिका ३९३.७५ वर्ग किलोमिटर
बागमती गाउँपालिका ३११.७९ वर्ग किलोमिटर
भीमफेदी गाउँपालिका २४५.२७ वर्ग किलोमिटर
मकवानपुरगढी गाउँपालिका १४८.७२ वर्ग किलोमिटर
मनहरी गाउँपालिका १९९.५२ वर्ग किलोमिटर
राक्सिराङ गाउँपालिका २२६.७० वर्ग किलोमिटर
हेटौंडा उपमहानगरपालिका २६१.५९ वर्ग किलोमिटर
१० थाहा नगरपालिका १९१.१२ वर्ग किलोमिटर

जनसांख्यिक स्थिति

वि.सं. २०६८ सालक जनगणना अनुसार ई जिल्लाक कूल जनसङ्ख्या ४,२०,४७७ रहल अछि जहिमे महिलासभक जनसङ्ख्या २,१३,७९३ रहल अछि आ पुरुषक जनसङ्ख्या २,०६,६८४ रहल अछि । वि.सं. २०६४ सालक प्रक्षेपित तथ्याङ्क अनुसार ई जिलाक जनसङ्ख्या ४,३८,१०१ अनुमान कएल गेल अछि। ई जिलाक औसत वार्षिक जनसङ्ख्या वृद्धिदर २.२२ प्रतिशत रहल अछि जे वि.सं. २०४८ सालक जनसङ्ख्या वृद्धिक तुलनामे ०.३४ प्रतिशतसँ घटल अछि। एक परिवारमे सरदर ५.५२ गोटे सदस्यसभ रहल तथ्याङ्क देखाबैत अछि। हेटौंडा उपमहानगरपालिकाक जनसङ्ख्या ८४,६७९ रहल अछि । नेपालक कूल जनसङ्ख्याक १.७५ जनसाङ्ख्यिक योगदान ई जिलाक रहल अछि।

प्राकृतिक स्वरूप

ई जिला मध्य पहाडी जिला छी। एहि क्षेत्रक ७५% भू-भाग पहाडसँ झाँपल अछि। शिशिर मौसममे बरफ पड़वाला २,५८४ मिटरक उच्च भू-भागमे दामन गाविसक सिमभञ्ज्याङ्ग अछि तँ दक्षिणदिस समुद्री सतहसँ १६६ मिटर धरिक छोट भू-भाग-राईगाउँ गाविसक हात्तीढुङ्गा रहल अछि। मकवानपुर जिला विभिन्न जात जाती तथा सांस्कृतिक विविधताक साथ बरफ पड़वाला पहाडी क्षेत्रसँ समथर मैदानधरि भेल ई जिला जैविक विविधताक दृष्टिसँ सेहो अन्यन्त धनीक अछि। एकरा सुनगाभाक प्राकृतिक सङ्ग्रहालयक रूपमे सेहो जानल जाऽ सकैत अछि। छोट दूरी तथा छोट भूभागमे सेहो पैग वातावरणीय विविधताक श्रृङ्खला रहल भैसेसँ सिमभन्ज्याङ्ग धरि उचाईमे ९० जातिक सुनगाभा (अर्किड) मे सँ ६२ जाति ई जिलामे पाबल जाइत अछि।

हावापानी

जिलाक धरातलीय विविधता संगसंगै अही ठाम हावापानीमे सेहो एकदमे विविधता पओल जाइत अछि। एतय मुख्यत: ३ किसिमक हावापानि पाओल जाइत अछि जाहिमे दक्षिणतर्फ चुरे श्रृङ्खलाक आसपास उष्ण, ओकर बाद क्रमशः उत्तरतर्फ समशीतोष्ण आ शीतोष्ण किसिमक हावापानि पवैत अछि। ई जिलामे वाषिर्क सरदर २५३५ मिलि लिटर वर्षा होएत अछि। ई अङ्क नेपालक चेरापुञ्जी कहिक पह्चानल जाइवाला कास्की जिलाक पोखरा बादके अङ्क छी। जाड महिनाक पुष माघमे न्यूनतम १६.६ डि.से. तापक्रम पवैत अछि ताए गर्मीयामक बैशाख जेठमे अधिकतम ३०.३ डि.से. तापक्रम पवैत अछि।

नदी नाला/ताल

ई जिलाक जलाधारक रूपमे चारि जलाधार क्षेत्र आ १२५ उप-जलाधार क्षेत्रमे विभाजन कऽ सकैत छी। चारि जलाधार क्षेत्रमे बाग्मती, बकैया, राप्ती आ त्रिशुली छी। ई जिलाक ३.२७ प्रतिशत भू-भाग नदी, खलिहान तथा तालसँ झाँपल अछि। जिलाक पूर्वी सीमा नदीक रूपमे रहल बाग्मती नदी, पूर्व मध्य भागसँ शुरु भऽ दक्षिणतर्फ बहैवाला बकैया नदी, जिलाक मध्य भागसँ बहैवाला राप्ती, पश्चिमी दिससँ बहैवाला मनहरी आ पश्चिमी सीमा नदी लोथर ई जिलाक प्रमुख नदीसभ छी।

भू-उपयोग

ई जिलाक कूल क्षेत्रफल २,४४,४५७ हेक्टर मे सँ कृषियोग्य जमीन ६१४८९ हे. -२५.१५%), झांडी, घांसे मैदान ४९६८ हे. -२.०३%), खोलानाला तथा बगर १६७१० हे. -६.८३%), वन क्षेत्र १४४५५८ हे. -५९.१४५), औद्योगिक क्षेत्र १६०७ हे. (०.६६%), निकुञ्ज क्षेत्र १५१२५ हे. (६.१९%) अछि। जिलाक ७५ प्रतिशत भू-भाग पहाड र २५ प्रतिशत भू-भाग समथर रहल अछि।

मुख्य पर्वत श्रृंखला

चन्द्रागिरी :फाखेल गाविससँ टिष्टुङ्ग गाविसधरि महाभारत : बेतिनी गाविससँ खैराङ्ग गाविसधरि चुरे : राईगाउँ गाविससँ मनहरी गाविसधरि

मुख्य पेशा

मकवानपुर जिला औद्योगिक जिल्लाक नामक पहिचान होइतो अही ठामक लोगसभक मुख्य पेशा कृषि छी। अही ठामक कूल जनसंख्या मे सँ ८२.७% कृषिमे आ १७.३५ गैर कृषिमे संलग्न अछि। आर्थिक रूपसँ सक्रिय जनसंख्याक ५३.६% कृषिमे आ ४६.९४% जनसंख्या गैर कृषि पेशामे संलग्न अछि।

जातिसभ

मकवानपुर जिला बहुजातीय आ बहुभाषिक जात-जातिक एकटा फूलबारी अछि। ई जिला तामाङ्ग जातिक बाहुल्य भेल जिला छी। अही ठाम ४७.३% तामाङ्ग अछि। ७०% सँ बेसी जनजाती सभक बसोबास रहल अछि। तामाङ्ग जातिक बाद दोसर स्थानमे ब्राम्हण(१४.९%), तेसरमे क्षेत्री (१०.६%), चारिममे नेवार (६.८%), पाँचम् मे मगर (५.०१%) आ छठम् मे चेपाङ्ग (३.८%) आ विभिन्न जातिसभक प्रमुख रूपमे रहल अछि। दलित जातिसभक करिब ७% अछि। जातीय विविधताक धनी ई जिलामे अन्य जिलामे ही भेल आ लोपोन्मुख अवस्थामे पहुँचल वनकरिया जातिक सेहो बसोबास अछि।

धर्म

ई जिलामे विविध धर्म आ सम्प्रदायक लोग्सभ बसोबास करैत अछि। तामाङ जातिक वाहुल्य रहल होएत अछि। हिन्दू धर्म मानेवाला अधिक देखल जाइत अछि कहिक क्रिश्चियन आ इस्लाम धर्म मानेवालासभ न्यून रहल जाईत अछि। ई जिलामे हिन्दूधर्मावलम्वीसभ ४९.३६% अछि आ बौद्ध धर्म मानेवालासभ ४७.६३% अछि। क्रिश्चियन आ इश्लाम धर्मावलम्वीसभ क्रमशः २.०७ र ०.३२ प्रतिशत रहल तथ्याङ्कसँ देखलजाईत अछि।

धार्मिक स्थल

मकवानपुर जिलाक धार्मिक मठ मन्दिरसभ उल्लेख्य रूपमे रहल अछि। हेटौंडा उपमहानगरपालिका क्षेत्रमे भूटनदेवी, भुवनेश्वर महादेव, पुण्य क्षेत्र रहल अछि तँ मकवानपुरगढी गाविसमे मनकामना मन्दिर आ वंशगोपालक मन्दिर रहल अछि। चुरियामाई गाविसमे चुरियामाईक आ भैंसे गाविसमे त्रिखण्डी महादेवक मन्दिर प्रसिद्ध अछि। अहीना दामन गाविसमे ऋषेश्वर आ इन्द्रायणी माईक मन्दिर अछि आ बज्रबाराही गाविसमे बज्रबाराही, नामटार गाविसमे स्यार्सेकालिका, चित्लाङ्ग गाविसमे शिवालय,हेटौंडा -९, चौधघरेमे शीर्षक लिंङ्क रहल कुष्माण्ड सरोबर त्रिवेणीधाम (मुक्तीनाथ पहिनेक १०८ धारा रहल नेपाल क एक प्रसिद्ध धार्मिक एंव पर्यटकिय स्थल) ओहिना चिसापानी गडि मे बटुक भैरव क प्रसिद्ध मन्दिर रहल अछि । एकर अलावा तामाङ बाहुल्य क्षेत्रमे गुम्बा बौद्ध घ्याङ आदि प्रख्यात मठ मन्दिर तहीना देवालयसभ अछि।

प्रमुख बजार केन्द्रसभ

समाज आ जनसंख्याक विकासक क्रमसंगे ग्रामीण क्षेत्रहरूमे ग्रामीण जनताक आवश्यकताक वस्तु तथा सेवासँ आ स्थानीय स्तरमे उत्पादन भेल वस्तु तथा सेवासँ खरीद विक्री करैवाला उद्देश्यसँ विभिन्न ग्रामीण क्षेत्रसभमे बजार केन्द्रसभ स्थापना आ विकास होएत गेल पवैत अछि। एहीना स्थापना आ विकास भेल बजारसभ हेटौंडा, भीमफेदी, मनहरी, लोथर, छतिवन, फापरवारी, चौघडा, पालुङ्ग (ओखरेबजार), अछि। ओहिना भैंसे, दामन (शिखरकोट), हटिया (चिसापानी), बसामाडी (बस्तीपुर), बज्रबाराही (सरस्वती बजार), मार्खु, कुलेखानी, नामटार, हर्नामाडी आदि सेहो क्रमशः बजार उन्मुख गाविससभ अछि।

स्वास्थ्य

ई जिलाक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक सदरमुकामक रूपमे विकास करैक लेल कार्य संग-संगे क्षेत्रीय अस्पताल निर्माण करैक लेल नीतिगत निर्णय भऽ चुकल अछि। हाल ई जिलामे ५० शैयाक एक जिला अस्पताल, प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र ४, स्वास्थ्य चौकी १ आ उपस्वास्थ्य चौकी ३१ रहल अछि। आयुर्वेदिक औषधालय दुईटा अछि। ई जिलामे शिशु मृत्युदर प्रति हजार ६४ जना आ बालमृत्युदर ९१ गोटे रहल पवैत अछि। कुल प्रजनन् दर प्रति महिला ५.१ अछि तँ परिवार नियोजनक सेवा लै वाला व्यक्ति ३९% मात्र रहल अछि।

शिक्षा

२०४८ सालक तथ्याङ्क अनुसार ई जिलाक साक्षरता प्रतिशत ३८.४% रहल अछि तँ २०५८ सालक जनगणना अनुसार ई दर बढिक ६३.४% पहुँच गेल अछि। महिला साक्षरता प्रतिशत ५३.९% अछि तँ पुरुष साक्षरता ७२.६% रहल अछि। ई जिलाक बेसी साक्षर भेल गाविस हर्नामाडी (६१.२८%) अछि। तँ सबसँ कम साक्षर भेल गाविस भार्ता (१४.७६%) अछि।

कृषि तथा पशु

कृषि पेशामे ८२.७% जनता संलग्न रहल ई जिलामे २५.१५% भू-भाग कृषि क्षेत्रसँ मात्र छोपल अछि। कृषि भूमिक ३७.२८%मे बर्षसो आ मौसम सिंचाई सुविधा पुगल अछि। भूबनोटक आधारमे ई जिलाक मध्य पहाड आ भित्र मधेशक रूपमे वर्गीकरण करैकलेल सकैत अछि। महाभारत पर्वत श्रृंखलाक उत्तरी भेगमे पर्ने उच्च भू-भागसँ वेशी फा“टधरि चिसो भागमे खासकैर बेमौसमी तरकारी, आलु, हिउंदे फलफूल, सुन्तला जातक फलफूलक लेल उपयुक्त हावापानी छी कहीबाला भित्री पहाड भेगमे अगौटे तरकारी, आलु तथा खाद्यान्न उत्पादनक लेल उपयुक्त कहलजाईतँ अछि। अहीना चुरर्ेपर्वत आ महाभारत पर्वत श्रृंखला बीचक एक चौथाइ समथर भू-भागमे गरम हावापानी भएल कारण अगौटे तरकारी, आलु तथा खाद्यान्न उत्पादनक दृष्टिसँ उपयुक्त मानल जाईत् अछि। ई जिलामे उन्नत जातक गाई, भैंसी आ बाख्रा पालन व्यवसाय क्रमिक रूपसँ बेसी होएत पवैत अछि कहेवला वंगुर, भेडा र कुखुरा पालन कार्य कहेवाला क्रमशः घटल अछि। पशुजन्य उत्पादनमध्ये दुध वाषिर्क १३४१.३ मे.टन, मासु २९५.१ मे. टन र अण्डा ४१०७५९.१ गोटासँ बेसी अछि भने माछा उत्पादनमे खासै बढोत्तरी देखल गेल अछि। पशुजन्य उत्पादन आ जनसंख्याक तुलना मे एक वर्षा एकजनाक भागमे दुध १२३.९७ लिटर, मासु १९.०९ किलो, अण्टा १४.२६ गोटा र माछा ७७.६८ ग्राम सेहो होएतो अछि। जिला कृषि विकास कार्यालयक जिलाक ६ ता सेवा केन्द्र आ ७ ता उपसेवा केन्द्र मार्फ सेवा पहुचलअछि भने जिल्ला पशुसेवा कार्यालयले ६ वटा सेवाकेन्द्र र १० वटा उपसेवा केन्द्र मार्फ सेवा पहुचाबल गेल अछि।

राष्ट्रिय राजमार्ग

त्रिभुवन राजपथ -चुरे-सोप्याङ खण्ड) ११० कि.मि. महेन्द्र राजमार्ग -चुरे-लोथर खण्ड) ४७ कि.मि. जिल्ला सडक अवस्थाक) हेटौंडा-भीमफेदी २३ कि.मि. ख) हटिया-राईगाउँ ६५ कि.मि. ग) कुन्छाल-कुलेखानी १८ कि.मि. घ) भीमफेदी-कुलेखानी-फाखेल-काठमाडौंं ५३ कि.मि. ङ) चुनिया-नामटार २० कि.मि. -८ कि.मि. मोटर चल्ने) च) दामन-डांडावास १० कि.मि. छ) सामरी-आमभञ्ज्याङ्ग ६ कि.मि. ज) कान्तिराजपथ -हेटौंडा-ठिंगन) ४२ कि.मि. -३० कि.मि. मोटर चलैवाला) झ) पशुपतिनगर-मकरी भुन्द्रुङ्ग टा“डी-सान्नानीटार १८ कि.मि. -१० कि.मि. मोटर चलैवाला) ञ) कुलेखानी-सिस्नेरी-छैमले ३० कि.मि. ट) चुच्चेखोला-फुर्केचौर १३ कि.मि. ठ) पिप्ले-कुर्ले १२ कि.मि. (६ कि.मि. मोटर चलैवाला ड) टौखेल-चित्लाङ्ग-चन्द्रागिरी १५ कि.मि. ढ) घट्टेदोभान-चखेल-देउराली-मातातिर्थ १० कि.मि.(५ कि.मि. मोटर चलैवाला)

नगर सडक

पक्की सडक ५६.६२ किमि -राजमार्ग सहित) ग्राभेल सडक ४८.४५ किमि कच्ची सडक ७० किमि गोरेटो सडक २९ किमि कंक्रिट सडक १२.५५ किमि सडक पहुँचल नपा/गाविस संख्या - ३४टा सडक नै पहुँचल गाविस संख्या - १०टा

रोप-वे

हेटौंडा - टेकु - ४२ कि.मि. -हाल बन्द)

विद्युत् उत्पादन

कुलेखानी प्रथम ६०,००० कि.वा. कुलेखानी दोसर ३२,००० कि.वा. कुलेखानी तेसर १५,००० कि.वा. -निर्माणाधिन) पूर्ण विद्युतीकरण भेल गाविस/नपा संख्या ३४.१० प्रतिशत, १५ गाविस) आंशिक विद्युतीकरण भेल गाविस संख्या ३४.१० प्रतिशत, १५ गाविस) विद्युतीकरण होमएल बाँकी गाविस संख्या ३१.८० प्रतिशत, १४ गाविस)

सञ्चार

सञ्चारक हिसाबसँ एतय खास परिवर्तन नै देखल जाइत अछि । टेलीफोन सेवा नगरक्षेत्रमे मात्र सिमित होमइक लेल ग्रामिण आ शहरोन्मुख क्षेत्रमे ईन्टरनेट सेवा अछि। आ हाल तार-रहित ईन्टरनेट आ मोबाइल फोन सुविधा जिलाक क्षेत्रमे उपलब्ध अछि आ रेडियो हरेक जेहन स्थानमे सुन्न जाइत अछि आ टेलिभिजन सेहो स्याटेलाइट प्रविधिसँ हरेक स्थानमे सेहो देखल जाइत अछि ।

रेडियो

ई जिलामे उपत्यका बाहरक पहिल व्यावसायिक रेडियो मनकामना एफएम खुलल होएतो, खुललाक छ बर्षक बाद २०६२ सालमे बन्द भेल आ हाल रेडियो सरोबर ९२.५ मेगाहर्ज,पलुंग एफएम, हेटौडा एफएम ,प्रतिध्वनि एफएम,थाहा एफएम,मकवानपुर एफएम,शक्ति एफएम,निकाश एफएम,आकाश गंगा एफएम आदि अछि।

रेडियो सरोबर ९२.५ मेगाहर्ज

रेडियो सरोबर ९२.५ मेगाहर्ज मकवानपुरक २४सौं घण्टा प्रशारण होएवाला प्रतिष्ठित एफएम छी। गगन मिडिया प्रा.लि कऽ सञ्चालन कलक ई रेडियोक अध्यक्ष चर्चित साहित्यकार आ पत्रकार श्री आनन्दराम पौडेल अछि। मकवानपुर जिलाक प्रतिष्ठित महानुभावसभ संचालनमे आनलक आ ई रेडियो सरोबर फरक शैलीमे प्रशारण होइत अछि।

सुरुवातमे रेडियोक स्टेशन म्यानेजर आ प्रधान सम्पादकक जिम्मेवार श्री गिरिजा अधिकारी सम्हालने अछि रेडियोमे अखन चन्द्र घलान स्टेशन को-अर्डिनेरक रुपमे अछि । २०७१ साल भाद्र १ गतेसँ परीक्षण प्रशारण आरम्भ भेल ई एफएमक नेपाल सरकारक प्रवक्ता, सूचना आ सञ्चारमन्त्री डा. मिनेन्द्र रिजाल २०७१ फागुन २ गते विधिवत रुपसँ उद्घाटन केने अछि। मकवानपुरक एकमात्र हास्यब्यङ्यात्मक आ समाचारमूलक एफएमक रुपमे परिचित रेडियो सरोबर, हेटौैंडा-४ मे रहेल नारायणी मल(बिजनेस कम्प्लेक्स)क सबसँ उपर घरमे अवस्थित अछि । मकवानपुरक अधिकांश क्षेत्रसँ आसपासक जिलामे ई रेडियो सुनल जाईत अछि।

पत्रपत्रिका

ई जिलामे कुराकानी साप्ताहिक ,प्रयास साप्ताहिक आ सुरुमे चर्चित भेल । पहिल हेटौडा सन्देश दैनिक ,नारायणी दैनिक,हेटौडा टुडे ,अभ्याश ,प्रदेश,सझाकुरा,आ सन्देश,शान्ति आब्हान ,समृद्ध समाज आ दैनिकसभ संचालनमे अछि। ओहीना उपत्यक बाहरक पहिल सभसँ पैग रंगिन पत्रिका सबथोक साप्ताहिक सेहो एही जिलासँ संचालनमे अछि। विगत १० वर्षसँ मकवानपुरक सक्रिय पत्रकार आ नेपाल पत्रकार महासंघ मकवानपुरक उपाध्यक्ष गिरिजा अधिकारीक प्रकाशन-सम्पादनमे साम साप्ताहिक सेहो प्रकाशन होएत अछि।

पत्रकार

ई जिलाक पहिल पत्रकार न्हुच्छेमान श्रेष्ठ छि .कृष्णराम परियार,कौशल पाण्डे ,नवराज शर्मा ,प्रताप बिस्टआदि पुराना पत्रकार छी आ राममणि दाहाल ,महेन्द्र श्रेष्ठ ,गिरिजा अधिकारी,देवराज रिमाल पहिल पुराना पत्रकार अछि ओहिना भानुभक्त आचार्य,रामकुमार एलन,रामशरण पुडाशैनी,देवराज पन्त,राजन दाहाल पहिल पुराना आ सन्तोष न्यौपाने ,सम्झना कार्की ,खेम बोलखे ,उज्ज्वल चौलागाईं,रिपेश ऋद्धि दाहाल ,पुर्णिमा गोले ,सबिन न्यौपाने,,प्रकाश दाहाल ,रुपेश दुलाल,नरेन्द्र सापकोटा,सुनिल खड्का ,प्रेम दाहाल,कृष्ण सरु ,सरिता दाहाल, अशोक सुजन श्रेष्ठ, चन्द्र घलान ,जिबराज बख्रेल, धर्मेन्द्र दाहाल,सुरेश श्रेष्ठ ,आ पत्रकारसभ सक्रिय अछि।

दूरसञ्चार

मोवाईल हेनपा आ २२ गाविस -प्रिपेड ९५००, पोस्टपेड ६५०) सिडिएमए ३७ गाविस/नपा -प्रिपेड ९८६, पोस्टपेड १०७६) टेलिफोन सेवा उपलब्ध गाविस/नपा संख्या ४० टेलिफोन सेवा उपलब्ध नै भेल गाविस संख्या ४ -ठिंगन, बेतिनी, मंथलि, इपा)

हुलाक

जिला हुलाक १टा इलाका हुलाक ११टा अतिरिक्त हुलाक ३४टा काउण्टर हुलाक १टा

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. General Bureau of Statistics, Kathmandu, Nepal, Nov. 2012
  2. "मकवानपुर नामाकरणको ऐतिहासिक तथ्य" (नेपालीमे)। हेटौडा अनलाइन। २३ पुष २०७३। अन्तिम पहुँच २३ पुष २०७३ {{cite news}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help)[permanent dead link]
  3. "जिलाको सामान्य परिचय" (नेपालीमे)। मकवानपुर वन कार्यालय। १२ बैशाख २०७०। मूलसँ 2017-10-23 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच १२ बैशाख २०७० {{cite news}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. "मकवानपुरक इतिहास" (PDF) (नेपालीमे)। हिमालय (युके)। १२ जेठ २०६३। {{cite web}}: Check date values in: |date= (help)
  5. "गाउँपालिका र नगरपालिका कुन जिल्लामा कति? (सूची)" (नेपालीमे)। लोकान्तर। २३ पौष २०७३। अन्तिम पहुँच २३ पौष २०७३ {{cite news}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help); External link in |ref= (help)
  6. "हेर्नुहोस्, तपाईं कुन गाउँपालिका वा नगरपालिकामा पर्नुभयो?" (नेपालीमे)। सेतोपाटीमूलसँ 2017-03-12 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच फाल्गुन २०७३ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); External link in |ref= (help)
  7. "सबै गाविस र जिविस खारेज" (नेपालीमे)। अन्नपूर्ण पोष्ट। २०७३ फागुन २७। अन्तिम पहुँच २०७३ फागुन २७ {{cite news}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help)
  8. "गाउँ र नगरपालिका (सूची)" (नेपालीमे)। नयाँ पत्रिका दैनिक। पुष २३, २०७३। अन्तिम पहुँच १४ जेठ २०७४ {{cite news}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help); External link in |ref= (help)
  9. "गाउँपालिका र नगरपालिकाहरुको नाम, संख्या, सीमाना, केन्द्र र वडाको सीमाना सहितको विवरण"सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालय (नेपालीमे)। नेपाल सरकार। अन्तिम पहुँच २०७३ फाल्गुण २७ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  10. "सम्पूर्ण स्थानीय तह (सूची)" (PDF) (नेपालीमे)। नेपाल सरकार। अन्तिम पहुँच २०७४ जेठ १४ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  11. "जिल्ला समन्वय समितिहरूको आधिकारिक वेबसाइट"सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालय (नेपालीमे)। नेपाल सरकार। अन्तिम पहुँच २०७४ जेठ १४ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); External link in |ref= (help)

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी