महेन्द्र राजमार्ग

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

महेन्द्र राजमार्ग
राजमार्गक विवरण
AH2क भाग
लम्बाई:१,०२४ km (६३६ mi)
प्रमुख चोकसभ
सँ:काँकडभिट्टा/मेचीनगर
 त्रिभुवन राजपथ हेटौडामे
पृथ्वी राजमार्ग भरतपुरमे
सिद्दार्थ राजमार्ग बुटवलमे
गन्तव्य:भिम दत्त
स्थान
प्राथमिक
गन्तव्यसभ:
इटहरी, हेटौंडा, भरतपुर, बुटवल, कोहलपुर
राजमार्ग प्रणाली
नेपालक राजमार्गसभ

महेन्द्र राजमार्ग (अङ्ग्रेजी: Mahendra Highway) पूर्व पश्चिम राजमार्ग (अङ्ग्रेजी: East West Highway) के नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि । ई राजमार्ग नेपालक तराईक भौगोलिक क्षेत्रके काटैत नेपालक पूर्वमे रहल मेचीनगर सँ पश्चिममे रहल भीमदत्त धरि जाइत अछि । ई देशक पूर्ण चौडा भू-भाग समेटैत अछि । ई नेपालक सभसँ लम्बा राजमार्ग छी जे भारतीय इन्जिनियर आ विभिन्न कामदारसभद्वारा निर्माण कएल गेल अछि ।[१] ई राजमार्ग एगार सय किलोमिटर सँ बेसी नमहर अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

चितवन उपत्यकाक नवलपरासी जिला खण्डमे रहल गैडाकोटमे राजा महेन्द्रद्वारा ई राजमार्गक वि.स. २०२२ सालमे उद्घाटन कएल गेल छल।

पृष्ठभूमि[सम्पादन करी]

हाल पूर्व सँ पश्चिममे रहल नेपालीके एकशुत्रमे बानहैक लेल ई राजमार्गक अतुलनीय योगदान रहल अछि । ई राजमार्गक विकास संगे देशमे व्यापार वाणिज्यमे अतुलनीय विकास भेल अछि आ राजमार्गक पूर्वसँ पश्चिमधरि विभिन्न द्रुत गतिके विभिन्न वाणिज्य केन्द्रसभक विकास सम्भव भेल अछि । तीव्र गतीमे विकास भऽ रहल प्रमुख नेपाली शहरसभ मेचीनगर, दमक, इटहरी, हेटौंडा, भरतपुर, बुटवल,महेन्द्रनगर, बिर्तामोड, लहान, वर्दिवास, चन्द्रनिगाहपुर, निजगढ,पथलैया, रत्ननगर, कावासोती, बर्दघाट, लमही, कोहलपुर, अतरिया लगायतक विकास याह राजमार्गमे भेल गतिविधीसँ बसाबैमे सम्भव भेल अछि । याह राजमार्गके आधार बनाए बिर्तामोड, इटहरी, लहान, बर्दिबास, हेटौंडा, भरतपुर, बुटवल, गोरूसिङगे, भालुवाङ, लमही, कोहलपुर तथा अतरियासँ प्रमुख उत्तर दक्षिण मार्गसभ गेल अछि ।

मुख्या नाकासभ[सम्पादन करी]

महेन्द्र राजमार्गक मुख्य नाकासभ निम्न अछि : [२]

  • इटहरी – दक्षिणमे बिराटनगर आ उत्तरमे धरान आ धनकुटा
  • बर्दिबास - बिपी राजमार्गक प्रारम्भिक विन्दु, काठमाडौं जाइक लेल अतिरिक्त मार्ग
  • हेटौंडा – दक्षिणमे त्रिभुवन राजमार्ग अन्तर्गतक वीरगनञ्ज जोडैवला विन्दु आ उत्तरमे पृथ्वी राजमार्ग आ काठमाडौं जोडैवला विन्दु
  • भारतपुर – पृथ्वी राजमार्गके मुगलिङ जोडैवला मिलनविन्दु
  • बुटवल – सिद्दार्थ राजमार्गक मिलनविन्दु (दक्षिणमे सुनौली आ लुम्बिनी आ उत्तरमे तानसेन आ पोखरा)

नेपालक अन्य प्रमुख राजमार्गसभ[सम्पादन करी]

अन्य प्रमुख सडकमार्गसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Highways in Nepal"। Adarsha Nepal Adventure। मूलसँ 2013-07-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2010-05-18 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. Woodhatch, Tom. Nepal handbook. Google books. https://books.google.com/books?id=E2MxdOkoyCQC&pg=PA450&lpg=PA450&dq=Mahendra+Highway&source=bl&ots=ssPTZPBdBV&sig=U9UoIaXxny1jUOlmofHJQYnQox0&hl=en&ei=n3P0S-2ABoytrAfY_KitDQ&sa=X&oi=book_result&ct=result&resnum=8&ved=0CDUQ6AEwBzgK#v=onepage&q=Mahendra%20Highway&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 2010-05-18. 

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]