पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष
![]() |
ई लेख अखन अपूर्ण अछि । अहाँ एकरा पैग बना विकिपिडियाक सहायता कऽ सकैत छी । |
पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष Parsa Wildlife Reserve |
|
---|---|
आइयुसिएन श्रेणी II (राष्ट्रिय निकुञ्ज)
|
|
![]() नेपालक नक्सामे पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष अवस्थित क्षेत्र
|
|
रहल स्थान | नेपाल |
नजदिकक सहर | नारायणगण |
निर्देशाङ्क | २७°२८′ उत्तर ८४°२०′ पूर्व / २७.४६७° उत्तर ८४.३३३° पूर्वनिर्देशाङ्क: २७°२८′ उत्तर ८४°२०′ पूर्व / २७.४६७° उत्तर ८४.३३३° पूर्व |
क्षेत्रफल | ४९९ किमी२ (१९३ वर्ग माइल) |
स्थापना | सन् १९९४ |
सरकारी संस्था | राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय |
पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष (English: Parsa Wildlife Reserve) नारायणी अञ्चलक चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जसँ जोड़ल वन्यजन्तु आरक्ष क्षेत्र छी, जे चितवन जिलाक पुबारी भागमे, मकवानपुर जिलाक दछिनबारी भागमे, आ पर्सा आओर बारा जिलाक उतरबारी भागसभमे पसरल अछि । एहि आरक्षक क्षेत्रफल ४९९ बर्ग कि.मी. अछि । बि.सं.१९८४मे जंगली हाथीक बासस्थान संरक्षण करबाक उद्देश्यसँ एहि आरक्ष केर स्थापना कएल गेल छल । ई ७५० मीटर सँ ९५० मीटर धरिक चुरे पहाड़ क्षेत्र अगुटने अछि । एकर हावापानि (जलवायु) उष्ण प्रदेशीय श्रेणीक अछि।
वनस्पति आ वन्यजन्तुसभ[सम्पादन करी]
एतए चुरे पहाड़क उपरुका भागमे सखुआ आओर निचलुका भागमे खैर, सिसो, साल आदिक जंगलसभ अछि । चुरे पहाड़क दच्छिन दिस टोलमे घासक मैदान अछि । एत हाथी, बाघ, चितुवा, भालु, गौर, निलगाए, चित्तल, मृग, लंगूर, बानर, हुड़ार, बन बिलाड़ि आदि जंगली जनावरसभ भेटैत अछि । ओकर साथे एत करीब ३०० प्रजातिक चिरइसभ भेटैत अछि । ताहिमे मयुर, धनेश, मएना आदि आबैत अछि । बहुत रास रेंगि कऽ चलएबाला / घुसकएबाला जानवरसभ जेना गहुमन, करैत, अजगर / अजेगर आदि सहो भेटैत अछि ।
सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]
बाह्य जड़ीसभ[सम्पादन करी]
- वन्यजन्तु आरक्षक जानकारी
- पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष नेपाल सरकार वन तथा भु-संरक्षण मन्त्रालय, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग