शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज
शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज के प्रवेश द्वार
रहल स्थाननेपाल
नजदिकक सहरकाठमाडौं
निर्देशाङ्क२७°४७′४२″N ८५°२३′२४″E / २७.७९५°N ८५.३९°E / 27.795; 85.39निर्देशाङ्क: २७°४७′४२″N ८५°२३′२४″E / २७.७९५°N ८५.३९°E / 27.795; 85.39
क्षेत्रफल१५९ किमी (६१ वर्ग माइल)
स्थापनाबि.सं. २०५८ (सन् २००२)
सरकारी संस्थाराष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय
नेपालक नक्सामे शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज अवस्थित क्षेत्र
सुन्दरीजलमे अवस्थित शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जक एक मनोरम दृष्य

शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जक स्थापना बि.सं. २०५८ (सन् २००२) सालमे कएल गेल अछि । एहि निकुञ्ज नेपालक मध्य पहाडी क्षेत्र काठमाडौंक उत्तरी किनारमे परैत अछि । एकर क्षेत्रफल १५९ वर्ग कि.मि अछि (शिवपुरी १४४ व.कि.मी, नागार्जुन १५ व.कि.मी) । ई निकुञ्ज काठमाडौं, नुवाकोट आर सिन्धुपाल्चोकक भुभाग ओगटने अछि । नेपालक मध्यपहाडी क्षेत्रमे अवस्थित पारिस्थितिकीय प्रणालीक प्रतिनिधित्व करएवाला एकमात्र राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । काठमाडौंक रत्नपार्कसँ निकुञ्ज मुख्यालय बुढानीलकण्ठ पानिमुहान धरिक दुरी १२ कि.मि. अछि ।


निकुञ्ज व्यवस्थापनक उद्देश्य[सम्पादन करी]

  • नेपालक मध्यपहाडी क्षेत्रमे रहल पारिस्थितिकीय प्रणालीक जैविक विविधताक संरक्षण करवाक हेतु ।
  • निकुञ्जक जलाधार क्षेत्रक संरक्षणक काठमाण्डौ उपत्यकाक बासिन्दासभक सबल रुपमे पियएवाला पानि उपलब्ध करवाक हेतु ।
  • निकुञ्जक जैविक विविधता संरक्षण शिक्षा केन्द्रक नमुनाक रुपमे विकास करवाक हेतु ।
  • पर्यटन व्यवसाय प्रवर्द्धन करवाक हेतु ।
  • मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन प्रणलीसँ स्थानीय बासिन्दासभक सामुदायिक विकास आर जैविक विविधता संरक्षण कार्यमे सहभागिता करवाक हेतु ।

इतिहास[सम्पादन करी]

ई क्षेत्रक संरक्षणक इतिहासक देखलाक बाद सन १९७६ मे जलाधार संरक्षण क्षेत्रक रुपमे शिवपुरी जलाधार संरक्षण वोर्डद्वारा संरक्षण सुरु सन् १९७८ मे शिवपुरी संरक्षित जलाधार क्षेत्र कायम भेल पावल जाएत अछि । अहिना सन १९८४ मे शिवपुरी जलाधार तथा वन्यजन्तु आरक्ष घोषणा भेल छल । एहि नामानुसार ई क्षेत्रक आवस्यक संरक्षण तथा व्यवस्थापनक कार्यसभ होएत जाएत ई क्षेत्रक महत्वक आ मूल्याङ्कन करि सन २००२ मे नेपाल सरकारद्वारा शिवपुरी राष्ट्रिय निकुञ्जक रुपमे राजपत्रमे सूचना प्रकाशित भेल छल । नागार्जुन वनक्षेत्र तत्कालिन राजा विरेन्द्रक निजि वनक रुपमे रहल आर राजा विरेन्द्रक वंशनास भेलाक परिवेशमे देशक राजनैतिक परिवर्तन संगे उ वनक्षेत्रक राष्ट्रियकरण करावक हेतु राजनैतिक निर्णयानुसार सन २००९ मे १५ व.कि.मि. क्षेत्रफल ओगटल नागार्जुन वन क्षेत्रक समेत शिवपुरी राष्ट्रिय निकुञजमे गाभि शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज नामाकरण कएल गेल छल ।

बहुत पहिलेसँ काठमाण्डौ उपत्यकामे ई निकुञ्जक बडका महत्व रहल आएल अछि । काठमाण्डौ उपत्यकामे दैनिक खपत हुए वाला हजार लिटर पियए वाला पानिक मूल स्रोत भेलाक कारणसँ ई निकुञ्जक महत्व इतिहास कालसँ रहल आएल अछि । वि.सं. २०५८ मे काठमाण्डौ, नुवाकोट आ सिन्धुपाल्चोक जिलाक १४४ व.कि.मी भुभाग ओगटल शिवपुरी राष्ट्रिय निकुञ्जक रुपमे ई निकुञ्जक स्थापना कएल गेल छल । तै पश्चात ई निकुञ्जक पुनः वि.सं. २०६५ मे नागार्जुन वन संरक्षण क्षेत्रक काठमाण्डौ आ धादिङमे परएवाला १५ व.कि.मी भूभाग समेट कुल १५९ व.कि.मी मे पसारल गेल छल ।

धरातलिय अवस्थिति[सम्पादन करी]

ई निकुञ्ज समुन्द्र सतहसँ १३५०–२७३२ मिटरक उचाईमे अवस्थित अछि । भौगोलिक रुपमे शिवपुरी क्षेत्र २७°४५' सँ २७° ५२' उत्तरी अक्षांस तथा ८५° १६' सँ ८५° ४५' पूर्वी देशान्तर आर नागार्जुन क्षेत्र २७° ४३' सँ २७°४६' उत्तरी अक्षांस तथा ८५°१३' सँ ८५° १८' पूर्वी देशान्तर तक पसरल रहल नेपालक मध्य पहाडक प्रतिनिधित्व करवाला ई एक मात्र निकुञ्ज अछि ।

राजनीतिक अवस्थिति[सम्पादन करी]

ई निकुञ्जक शिवपुरी क्षेत्र अंर्तगत काठमाण्डौ जिलाक ९५ व. कि. मि. भुभाग, नुवाकोट जिलाक ३६ व. कि. मि. भुभाग आर सिन्धुपाल्चोक जिलाक १३ व. कि. मि. भुभाग समेत कुल १४४ व. कि. मि. भुभाग ओगटने अछि । तहिना ई निकुञ्जक नागार्जुन क्षेत्र अंर्तगत काठमाण्डौ जिलाक ७.७ व. कि. मि. भुभाग आर धादिङ जिलाक ७.३ व. कि. मि. भुभाग समेत कुल १५ व. कि. मि. भुभाग ओगटने अछि । अहिना दुनु क्षेत्र समेत ई निकुञ्जक कुल १५९ व. कि. मि भुभाग ओगटने अछि ।

भौगोलीक अवस्थिति[सम्पादन करी]

  • ई निकुञ्जक धरातलीय उचाई १३५० मिटरसं २७३२ मिटरतक रहल अछी । ई निकुञ्ज क्षेत्रक शिवपुरी, विष्णुद्वार आर अल्लेक लेकमे पौष माघ महिनामे छोट समयक लेल हिमपात होएत अछी ।
  • ई निकुञ्जक शिवपुरी क्षेत्रक सरदर लम्बाई २० कि.मि अछी आर सरदर चौडाई ५ कि.मि अछी । तहिना नागार्जुन क्षेत्रक सरदर लम्बाई ६ कि.मि अछी आर सरदर चौडाई ५ कि.मि अछी ।

वनक किसिम आर वनस्पति[सम्पादन करी]

निकुञ्जमे पावबला सिल्कक गाछ
  • वनक किसिम धरातलिय अवस्थ्तिक कारण ई निकुञ्ज क्षेत्रमे ४ किसिमक वनसभ अछि ।
  • ई निकुञ्जक निचला मिश्रित चौडापाते वन १३५० मि. सँ १५०० मि.को उचाईमे अवश्तित अछि । जेहिमे पावबला मुख्य प्रजातिक गाछक रुपमे कबछुवा,ढालेकट्टुस,उत्तिसकाफल,महुवा,टुनी,शिरीष आदि परैत अछि ।
  • ई निकुञ्जक १३५० मि. सँ १६०० मि. तकक उचाईमे खोटेसल्लो वन अवश्तित अछि । जहिमे पबवाला मुख्य प्रजातिक रुपमे खोटे\रानी सल्लो, मयल,मुसुरेकट्टुस, काफल आदि अछी ।
  • ई निकुञ्जक उपरक मिश्रित चौडापाते वन १५०० मि. सँ २७०० मि.क उचाईमे अवश्तित अछि । जहिमे पाबवाला मुख्य प्रजातिक रुपमे पांगर, फिरफिरे, ओखर, लांकुरी, उत्तिस,वैस, खसु्र, अर्खौलो आदि परैत अछि ।
  • ई निकुञ्जक २३०० मि. सँ २५०० मि. तकक उचाईमे खस्रु वनक्षेत्र अवश्तित अछी । जहिमे पाबवाला मुख्य प्रजातिक गाछमे खस्रु, झिंगाने, बांझ, लिसो आ १२५० प्रजातिका वनस्पति

पावल जाएत अछि जहिमध्मे ५० प्रजातिक रैथाने वनस्पति पावल जाएत अछी । अहिना करि ई वनक्षेत्रमे १२९ प्रजातिक ढुसी (च्याउ) सेहो पावल जाएत अछी ।

वनक किसिम उचाई (मि.) वनस्पति
निचला मिश्रित चौडापाते १३५० मि. सँ १५०० मि. कबछुवा, ढालेकट्टुस, उत्तिस, काफल, महुवा, टुनी, शिरीष आदि
खोटेसल्लो १३५० मि. सँ १६०० मि. खोटे/रानी सल्लो, मयल, मुसुरेकट्टुस, काफल आदि
खस्रु २३०० मि. सँ २५०० मि. खस्रु, झिङ्गाने, बांझ, लिसो आर १२५० प्रजातिक वनस्पति पावल जाएत अछि,जहिमेसँ ५० प्रजातिक रैथाने वनस्पति पावल जाएत अछि । तहिना करि ई वनक्षेत्र १२९ प्रजातिक ढुसी (च्याउ) सेहो पावल जाएत अछि ।

वन्यजन्तु तथा पंक्षी[सम्पादन करी]

शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जमे पावबाला चिरई चुनमुन
शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जमे पावबाला चिरई चुनमुन
निकुञ्जमे पावबाला हिमाली करिया भालुक बच्चा

ई निकुञ्जमे २२ टासँ बेसी जाएतक स्तनधारी जानवरसभक वसोबास रहल आएल अछि । जहिमध्य संरक्षित ध्वाँसे चितुवा, चरीबाघ, आसामी बाँदर, सालक जेहन वन्यजन्तु एत पावल जाएत अछि । ई निकुञ्जमे करिब ३११ प्रजातिक चिरई चुनमुन तथा पंक्षी पावल जाएत अछि । जहिमध्य १७७ प्रजातिक बसाई सराई करैवाला पंक्षी एत पावल जाएत अछि । अहिना करि ई निकुञ्जमे करिब १०२ प्रजाति तितली\पतङ्गसभ सेहो पावल जाएत अछि ।

निकुञ्जक विशेषता[सम्पादन करी]

  • राजधानीसँ सबसँ कम दुरीमे(१२ कि.मी.) रहल राष्ट्रिय निकुञ्ज ।
  • काठमाण्डौ उपत्यकाक प्रसिद्ध नदीसभ वागमती आ विष्णुमतीक उद्गम स्थल ।
  • ठण्डापनि क्षेत्रसँ हिम श्रृङ्गखलाक अवलोकन करि सकैवाला दृश्यमवलोकन बिन्दु ।
  • काठमाण्डौक बासिन्दाक पियवाला पनि उपलब्ध कराववाला जलाधार क्षेत्र ।
  • संरक्षण शिक्षा, अध्यन अनुसन्धान एवम पर्या– पर्यटन प्रवद्र्धनक लेल प्रचुर संभावना रहल क्षेत्र ।
  • स्थानीय वातावरण शुद्धीकरण काठमाण्डौ उपत्यकासँ निःसृत कार्वनडाईअक्साइडलाई शोषण करैवाला क्षेत्र ।
  • नेपालक मानव निर्मित लम्बा दिवाल शिवपुरी १११ कि.मि. ,नागार्जुन २९ कि.मी.
  • लाङ्गटाङ्ग राष्ट्रिय निकुञ्ज जाएवाला प्रवेशद्धार ।
  • दुटा वन क्षेत्र मिलाएल राष्ट्रिय निकुञ्ज ।
  • चट्टान आरोहणक अभ्यास क्षेत्र ।

भ्रमणक लेल आकर्षण आ महत्वपूर्ण क्षेत्र[सम्पादन करी]

धार्मिक सम्पदा[सम्पादन करी]

ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्जमे विभिन्न प्रकारक धार्मिक आकर्षण आ महत्वक क्षेत्रसभ अछि । बागद्वार, कागेश्वरी, मणिचूड, तारकेश्वर, सुन्दरीमाई, विष्णुपादुका, नागीगुम्बा, पचलीभैरव शान्तिगुफा, नागदेवता, जामाचो गुम्वा गणेश मन्दिर आदि एतके प्रसिद्ध धार्मिक सम्पदामे परैत अछि ।

सांस्कृतिक सम्पदा[सम्पादन करी]

ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज हिन्दु आ बौद्ध धर्मालम्बीसभक सांस्कृतिक संगमस्थल सेहो रहल आएल अछि ।

पद यात्रा मार्गसभ[सम्पादन करी]

क्र.सं स्थान दूरी (कि.मि.)
पानिमुहान–सित्रे १२
गुर्जे–बागद्वार
पानिमुहान–नागीगुम्बा–बागद्वार
नागीगुम्बा–बागद्वार–चिसोपानी १८
झूले–ठण्डापनि
पानिमुहान–शिवपुरी चुचुरो १२
ककनी–शिवपुरी चुचुरो १८
नागीगुम्बा–शिवपुरी चुचुरा
सुन्दरीजल–चिसोपानी २२
१० नागार्जुन फुलवारी–जामाचो १६

राष्ट्रिय निकुञ्जभितर निषेधित कार्यसभ[सम्पादन करी]

अधिकार प्राप्त अधिकारीसँ लिखित अनुमति नैल कोनो आदमी राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर देहायक काम करि नै पाएब सकैत अछि ।

  • ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर वन्यजन्तु आ पंक्षीक शिकार नै करि सकै छी ।
  • कोनो किसिमक पदार्थक घर, छप्पर,आश्रम आ आकार बनाब या भोग नै करि सकै छी ।
  • ई राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर कोनो भू–भाग कब्जा करि, सफा करि, आवादी करि, खेती करि या कोनो बाली उब्जाउब या काट नै पाएब सकैछी ।
  • ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर घर पोसल जीवजन्तु या पंक्षी चराब या पानि पिया नै सकै छी ।
  • गाछ, गाछ, झाखुर या अन्य कोनो वन पैदावार काटि, उखारि, हटाए, छेक या वन पैदावार सुकाबएवाला कोनो काम करि, आइग लगाए या आर कोनो प्रकारक हानी नोक्सानी पहुचाबक लेल मनाहि अछि ।
  • ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर खानी खुनि, पत्थर खुनि या कोनो खनिज पदार्थ, पत्थर, माइट, कङ्कड या अन्य एहन पदार्थ हटाब नैसकै छी ।
  • ई राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर वन, पैदावार, वन्यजन्तु, पंक्षी या जमिनक क्षति नै पहुचा सकै छी ।
  • ई राष्ट्रिय निकुञ्ज भितरहात हतियार, खर खजाना या विषसाथमे लजएला या प्रयोग करि नैपाएब सकै छी ।
  • ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर काजमे खटल सरकारी कर्मचारी या राष्ट्रिय निकुञ्जभितरक प्रचालित रास्ताक यात्रुसभ बाहेक औरक घरपोसल या अन्य किसिमक जीवजन्तु लजाएला नै सकै छी ।
  • ई राष्ट्रिय निकुञ्जभितर बहैबला नदी, नाला या पानिक कोनो स्रोत रोक, फिराब या वहिमे कोनो हानीकारक या विस्फोटक पदार्थसभ प्रयोग करि नैसकै छी ।

दण्ड सजाँय[सम्पादन करी]

ई शिवपुरी नागार्जुन राष्ट्रिय निकुञ्ज क्षेत्र भितर गैर कानुनी तरिकासँ वन्यजन्तु मारि, घायल बनाब, खरिद–बिक्री करए वा अन्य संरक्षित वन्यजन्तुक ओसारपोसार आ, खरिद–बिक्री करल पाबल गेलापर निजक रु. ५०,००० (पचास हजार) सँ रु. १००,०००(एक लाख) तकक जरिवाना वा पाँचसँ पन्ध्र वर्षधरि कैद वा दुनो सजाय होएत ।

सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाहिरी लिङ्कसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखु[सम्पादन करी]