चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज Chitwan National Park | |
---|---|
आइयुसिएन श्रेणी II (राष्ट्रिय निकुञ्ज) | |
![]() चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज भीतर रहल बीसहजारी ताल | |
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक नक्सा | |
रहल स्थान | नेपाल |
नजदिकक सहर | भरतपुर |
निर्देशाङ्क | २७°३०′०″उ॰ ८४°२०′०″पू॰ / २७.५००००°N ८४.३३३३३°Eनिर्देशाङ्क: २७°३०′०″उ॰ ८४°२०′०″पू॰ / २७.५००००°N ८४.३३३३३°E |
क्षेत्रफल | ९३२ वर्ग किमी |
स्थापना | सन् १९७३ |
प्रकार | प्राकृतिक |
मापदण्ड | vii, ix, x |
नामाङ्कित | १९८४ (८म बैसार / बैसकी) |
सन्दर्भ क्रम. | २८४ |
राज्य | ![]() |
क्षेत्र | एसिया |
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज (अङ्ग्रेजी: Chitwan National Park; पहिने शाही चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज) (चि.रा.नि.) नेपालक सबसँ पहिल तथा सबसँ पुरान राष्ट्रिय निकुञ्ज छी । एकर स्थापना सन् १९७३ मे कएल गेल छल । एहि निकुञ्जकें सन् १९८४ मे विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीबद्ध कएल गेल ।[१] एकर क्षेत्रफल ९३२ किमी२ (३६० वर्ग माइल) अछि । एकर अवस्थिति उचाई निचुलका नदी उपत्यकामे १०० मी (३३० फिट) सँ चुरे पहाड क्षेत्रमे ८१५ मी (२,६७४ फिट) धरि रहल अछि ।[२] चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज नेपालक मध्य तराईमे अवस्थित अछि जे जैविक विविधताक दृष्टिसँ धनिक अछि । एहि निकुञ्जक मुख्य कार्यालय कसरामे अछि । सब प्रकारक प्रशासनिक काजसभ कसरासँ होइत अछि ।
सन् १९५१ धरि चितवन उपत्यकाक तत्कालीन शासकसभ एक आपसमे शिकार खेलैत छल जकर कारण ई खुबे प्रचलित छल । जे बादमे जाए चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक रूप लेलक । चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जक मुख्यद्वार नजदिकक शहर भरतपुरसँ १० किलोमिटरक दुरीमे रहल अछि । ई निकुञ्ज भ्रमण करवाक लेल सडकमार्ग होइत भरतपुर भऽ टाँडीसँ भितर होइत जा सकैत अछि तँ भरतपुर विमानस्थलमे दैनिक उड़ान उपलब्ध अछि ।
इतिहास[सम्पादन करी]
१९हम शताब्दीधरि जङ्गलक हृदयक रूपमे रहल चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जमे जाड़क समयमे नेपालक शासक वर्गसभक मोनपोसन्द शिकार स्थान रहल छल । सन् १९५० धरि नेपालक दक्षिणी क्षेत्रसँ काठमाडौंधरि यात्रा बहुतेक कठिन छल जहि कारण जङ्गलक बाट प्रयोग कएनिहार बटोहीसभ एतय महिनौ शिविर लगाए बाघ, भालु, गैंडा, चितवासभक शिकार करैत छल ।[३] सन् १९५० मे, चितवनक वन आ घाँसक मैदान २,६०० किमी२ (१,००० वर्ग माइल)मे विस्तार भेल जाहिमे लगभग ८०० टा गैंडाक वासस्थानक रूपमे एकर परिणत कएल गेल । जखन मध्य-पहाडी क्षेत्रसँ गरीब किसान कृषि योग्य भूमिक खोजमे चितवन उपत्यका आएल तखन वनजङ्गल विनास करि ओसभ एतय बस्ती बनौलक आ वन्यजन्तुक चोरी शिकारी व्यापक भेल । सन् १९५७ मे, देशक पहिल संरक्षण व्यवस्था कानूनद्वारा गैंडा आ एकर वासस्थान संरक्षण कारबामे जोड़ देनए छल । सन् १९५९ मे, एडवर्ड प्रिचर्ड जीद्वारा एकटा सर्वेक्षण कएल गेल जहिमे ओ ई क्षेत्रमे रहल उत्तर राप्ती नदी आ दक्षिणमे वन्यजीव बचेबाक दश वर्षक लेल परीक्षण अवधिक लेल सिफारिस केलक ।[४] चितवनमे भेल सर्वेक्षणक बाद सन् १९६३ मे ओ जीवजन्तुसभक संरक्षण समाज आ प्रकृति संरक्षणक लेल अन्तर्राष्ट्रिय सङ्घ दुनूकें दक्षिण क्षेत्रकें विस्तार करवाक लेल सिफारिस केलक ।[५]
सन् १९६० कऽ अन्तधरि, ७०% जङ्गलसभकें डिडिटिक प्रयोगसँ खाली बनाए हजारो हजार लोकसभ बसोबास आरम्भ केलक जकर असर निकुञ्जभितर रहि रहल गैंडाक सङ्ख्यामे प्रत्यक्ष रूपसँ देखल गेल आ गैंडाक कूल सङ्ख्या ९५ पहुँचि गेल । गैंडाक सङ्ख्यामे आएल नाटकीय ह्रास आ बृहत चोरी शिकारीक देखैत सरकारद्वारा एक गैंडा पुनरीक्षक समूहक स्थापना कएल गेल जहिमे १३० सशस्त्र जवानसभ आ सुरक्षा केन्द्र सञ्जाल रहल छल जकरा चितवनक सम्पूर्ण स्थानमे गस्ती करै लेल लगाएल गेल छल । गैंडाक शिकार रोकथाम करवाक निमित्त सन् १९७० मे चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जके अनङ्कित कएल गेल आ सन् १९७३ मे एकर सुरूवाती रूपमे ५४४ किमी२ (२१० वर्ग माइल)क क्षेत्र सामिल कएल गेल ।[६]
सन् १९७७ मे, निकुञ्जकें एकर वर्तमान क्षेत्र ९३२ किमी२ (३६० वर्ग माइल)मे फैलाए कायम कएल गेल । सन् १९९७ मे नारायणी-राप्ती नदी प्रणालीक उत्तर आ पश्चिम तथा निकुञ्जक दक्षिण-पूर्वी सीमाविचमे आ साथे अन्तर्राष्ट्रिय सिमाना भारतबीच एकटा ७६६.१ किमी२ (२९५.८ वर्ग माइल)क मध्यवर्ती क्षेत्र जोड़ल गेल छल ।[२]
जलवायु[सम्पादन करी]
चितवनमे वर्ष भरि उष्ण प्रदेशीय मनसुन जलवायुसंगे उच्च वर्षा होमए वला ठाम छी ।[३] ई क्षेत्र केन्द्रीय हिमाली जलवायुमे अवस्थित भेलाक कारण ई क्षेत्रमे मनसुन मध्य जुन सँ सुरु होइत अछि आ सितम्बरक अन्तमे जाए वर्षामे कमी आबैत अछि । याह १४-१५ सप्ताहक अवधिमे एतय वार्षिक २५०० मिमीसँ बेसी वर्षा होइत अछि ।
पशुपंक्षी तथा जानवरसभ[सम्पादन करी]
ई निकुञ्जमे विशेष करि एक सिङ्घा गैंडा आ बाघक लेल प्रख्यात अछि । ई निकुञ्जमे ४३ प्रजातिक स्तनधारी प्राणी, ४५० प्रजातिक पंक्षी आ ४५ प्रजातिक जलथलचर पाबल जाइत अछि । एतय रहल प्रमुख स्तनधारी प्राणीसभमे मृग, चित्तल, बानर तथा लङ्गुर बानर आदि छी ।
साहित्य[सम्पादन करी]
- पंक्षी संरक्षण नेपाल (२००६) चितवनका पंक्षीहरू (नेपाली भाषामे) ५४३ प्रजाति उल्लिखित । राष्ट्रिय निकुञ्ज विभाग तथा वन्यजन्तु संरक्षण तथा सहभागिता संरक्षण कार्यक्रम II, काठमाडौंमे प्रकाशित
मिडिया[सम्पादन करी]
ई निकुञ्जक एक सिङ्घा गैंडाकें द जेफ कोर्विन एक्सपेरिएन्सक दोस्रो संस्करणक ११हम भागमे प्रसारित कएल गेल छल ।
चित्रदीर्घा[सम्पादन करी]
-
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज- हात्ती संग मज्जा करैत बालक
-
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज- सुर्यास्त दृश्य
-
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज- एक सिङ्घा गैंडा
-
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज- जानवरसभ
-
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज- हात्ती सफारी
-
चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज- एक सिङ्घा गैंडा
सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ name=unesco
- ↑ २.० २.१ Bhuju, U. R., Shakya, P. R., Basnet, T. B., Shrestha, S. (2007). Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites. Archived 2012-03-01 at the Wayback Machine.[[]] International Centre for Integrated Mountain Development, Ministry of Environment, Science and Technology, in cooperation with United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. Kathmandu, ISBN 978-92-9115-033-5
- ↑ ३.० ३.१ Gurung, K. K. (1983). Heart of the Jungle: the Wildlife of Chitwan, Nepal. André Deutsch, London.
- ↑ Gee, E. P. (1959). Report on a survey of the rhinoceros area of Nepal. Oryx 5: 67–76.
- ↑ Gee, E. P. (1963). Report on a brief survey of the wildlife resources of Nepal, including rhinoceros. Oryx 7: 67–76.
- ↑ Adhikari, T. R. (2002). The curse of success. Habitat Himalaya - A Resources Himalaya Factfile, Volume IX, Number 3.
बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]
- युनेस्को - चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज
- विश्व संरक्षण अनुगमन केन्द्र Archived 2001-08-03 at the Wayback Machine.[[]]
- युनेस्को सूचीमे
- जानकारी
- किछु चित्रसभ
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |