कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search

कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष
Koshi Tappu Wildlife Reserve
आइयुसिएन श्रेणी आइभी (आदत/प्रजाति प्रबन्धन क्षेत्र)
Koshi Tappu.JPG
कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष
{{{base_caption}}}
नेपालक नक्सामे कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष अवस्थित क्षेत्र
रहल स्थान कोशी अञ्चल, पूर्वाञ्चल
नजदिकक सहर इनरूवा
निर्देशाङ्क २६°३९′ उत्तर ८७°०′ पूर्व / २६.६५०° उत्तर ८७.०००° पूर्व / 26.650; 87.000निर्देशाङ्क: २६°३९′ उत्तर ८७°०′ पूर्व / २६.६५०° उत्तर ८७.०००° पूर्व / 26.650; 87.000
क्षेत्रफल १७५ किमी (६८ वर्ग माइल)
स्थापना वि.स. २०३२ (सन् १९७६)
सरकारी संस्था राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय
आधिकारिक नाम कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष
नामाङ्कित १७ दिसम्बर १९८७[१]
कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्षमे रहल अर्ना

कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष (English:  Koshi Tappu Wildlife Reserve) कोशी नदीक तटमे रहल संरक्षित क्षेत्र छी । कोशी टप्पुक स्थापना वि.स. २०३२ (सन् १९७६) सालमे भेल अछि । कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष १७५ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । ई आरक्ष सुनसरी, सप्तरीउदयपुर करि तीनटा जिलामे पसरल अछि । सन् १९८७ मे रामसार सूचीमे सूचीकृत भेल नेपालक पहिल बडका रामसार क्षेत्रक रूपमे परिचित ई आरक्षमे विभिन्न ४८९ प्रजातीक चिरइसभ, २१९ दुर्लभ अर्ना आ ११/१२ टा दुर्लभ डल्फिन एतय संरक्षित करि राखल गेल अछि ।[२]


नेपाल सरकारक जनसहभागितामे संरक्षण कार्य अगाडि बढाबक लक्ष्यसँ मध्यवर्ती क्षेत्रक घोषणा करि, ई मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन समितिक गठन २०६१ भादो ३१ मे कएल गेल अछि ।[३] मध्यवर्ती क्षेत्रक क्षेत्रफल १७३ वर्ग किलोमिटर रहल ३ जिलाक (सुनसरी, सप्तरी, उदयपुर) १६ टा गाउँ विकास समितिसभ समेटने अछि । मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन समितिमे ९ टा समिति सदस्य, १ टा समिति अध्यक्ष तथा १ सदस्य सचिव संरक्षण अधिकृत सहित १३ सदस्यीय व्यवस्थापन समिति रहल अछि । मध्यवर्ती क्षेत्र व्यवस्थापन समिति विशेष करि आरक्ष अगलबगल रहल प्राकृतिक श्रोतक संरक्षण आ सदुपयोग, स्थानीय सामुदायिक विकास सहित आरक्ष संरक्षणमे सहयोग आ सल्लाहकारक भूमिका निर्वाह करैत अछि ।[४]

एतय प्रत्येक वर्ष विश्व सिमसार दिवस तथा राष्ट्रिय चिरई महोत्सव मनाएल जाइत अछि । कोशी टप्पु वन्य जन्तु आरक्षण दक्षिण पूर्वी तराईक सुनसरी जिलामे सप्तकोशीक तटमे अवस्थित अछि । ई आरक्ष वि.सं. २०३२ साल (सन् १९७६) मे लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अर्ना (जङ्गली भैँस)सभक संरक्षित बासस्थानक रूपमे स्थापना भेल छल । कुल क्षेत्रफल १७५ वर्ग किलोमिटर भेल ई आरक्षण नेपालक सबसँ छोट आरक्षण छी । एकर दक्षिणी सीमामे सप्तकोशी नदीक बाँध रहल अछि । बढिया आ पैग सिमसार क्षेत्र भेल कारण ई आरक्षमे साइवेरियासँ चिरईसभ आवत जावत करैत अछि, एतबी मात्र नै भऽ ई आरक्ष दुर्लभ गिद्धक लेल सेहो प्रसिद्ध मानल जाइत अछि ।

हावापानी

ई कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्षमे तीन अलग मौसम अनुभव कएल जा सकैत अछि । गर्मीक मौसम (फागुनसँ जेठधरि)मे तीव्रता न्यूनतम वर्षा संगे तीव्र गर्मी होइत अछि । ई समय एतय तापक्रम ४० डिग्री सेन्टीग्रेट पहुँच जाइत अछि । मनसुन जेठक अन्त्य तथा आषाढक शुरूमे शुरू होइत अछि आ भादोधरि लगातार भारी वर्षा होइत अछि । सबसँ भारी वर्षा साउन दिस होइत अछि मुदा ओई समय मौसममे उच्च आर्द्रता आ तापक्रमक अनुभव सेहो होइत अछि । शिषिर ऋतुमे साफ आकाश आ सयमी तापक्रम भेलाक बाद एतय एकदम ठण्डा मौसम रहैत अछि ।[५]

वनस्पति तथा वन्यजन्तुसभ

कोशी टप्पु वन्य जन्तु आरक्षण मुख्यत: घाँसक मैदानसँ भरल अछि । एतय खयर, साल तथा सिसौ लगायत वनस्पतिसभ पाबल जाइत अछि । मुख्यत: लोपोन्मुख अवस्थामे रहल अर्ना (जङ्गली भैँस)सभ पाबल जाइवला ई आरक्षमे अन्य २० प्रकारक छोट पैग जानावरसभ जेना: हरिण, रतुवा, नीलगाई, बाँदर, अजिङ्गर आदि जानवरसभ रहैत अछि ।[६]

विश्वमे दुर्लभ मानल गेल चिरई चुनमुनसभ सहित ४४१ प्रजातिक चिरई चुनमुनसभ पाबल जाइवला ई आरक्षणमे हाँस प्रजातिक २० टा, जलचिरई प्रजातिक ११४ टा लगायतक पंक्षीसभ पाबल जाइत अछि । जहिमे सँ लोसार, पैग धनेश, स्वाम्प प्याराडाइज, फिसिङ इगल, टफटेड सोभलरडक ब्रेस्टेट, ब्रान्डेट रेल किङ फिसर आदि संसारमे दुर्लभ चिरईसभ अन्तर्गत आबैत अछि ।

अर्नाक राजधानी आ चिरईसभक स्वर्ग

बिराटनगरसँ करिब ५० किमी उत्तर-पश्चिम आ धरानसँ करिब ४० किमी पश्चिम दक्षिणमे अवस्थित कोशीक कोशीटप्पु सिमसार भूमि आ दलदल क्षेत्रक लेल विश्वमे प्रसिद्ध अछि । सिसौ, खयरसिमलक गाछ आ अनेकन छोट गाछवृक्षसँ भरल ई टप्पु सिमसार भूमि आ दलदल क्षेत्र वाहेक चिरईसभक वासस्थानक लेल प्रसिद्ध अछि । एतय ४२० प्रजातिका स्थायी चिरई अछि, हरेक वर्ष साइबेरियासँ हिमाल नाघि अस्थायी चिरईसभ सेहो किछ महिनाक लेल डेरा खोजैत एतय आबि जाइत अछि । समुच्चा नेपालमे अर्ना एतय पाबल जाइत अछि । यहिलेल कोशीटप्पुके अर्नाक राजधानी आ चिरईसभक स्वर्ग कहल जाइत अछि ।

कोशी नदीक किछ भाग समेत समेट १७५ वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे फैलल ई आरक्ष क्षेत्रमे अर्ना आ दुर्लभ चिरईको अवलोकन करवाक लेल बिदेशी पर्यटकसभ आबैत अछि । विश्वमे कतौ आनठाम नै पाबल जाइवला स्वाम प्यास्ट्रिज नामक चिरई एतय पाबल जाइत अछि । कात्तिकसँ फागुन महिनाधरि रूस, श्रीलङ्का, भारत, तिब्बत आदि देशसभसँ हुल बनाए चिरईसभक बथान एतय आबैत अछि । किछ समय एतय बास बैसलाबाद चिरईसभ पाकिस्तान, अफगानिस्तान होइत अफ्रिका, युरोप दिस चलि जाइत अछि । कोशी नदीक धुमिल पानिमे क्रेन प्रजातिक लम्बा गर्दन भेल चिरईसभक संगे कुर्रा, सारस, हाँससभक हुल देख सकैत छी । डल्फिनघड़ियाल गोहि सेहो कोशी टप्पुक मुख्य आकर्षण छी।

कात्तिकसँ फागुन महिनाधरि अर्ना आ चिरईसभक संसार घुमघाम आ दृश्यावलोकनक लेल बेसी उपयुक्त मानल जाइत अछि । ई अवधिमे चिरईसभक भीडसँ कोशीटप्पुक रौनक बढि जाइत अछि ।

यातायात

बिराटनगरसँ करिब ५० किमी उत्तर-पश्चिम आ धरानसँ करिब ४० किलोमिटर पश्चिम दक्षिणमे अवस्थित कोशीटप्पुधरि पहुँचक लेल यातायातक साधन उपलब्ध अछि । पूर्व-पश्चिम राजमार्गक लौकही नजदिक कटान क्षेत्रसँ ५ किलोमिटर पश्चिममे कोशी टप्पु वन्यजन्तु आरक्ष अवस्थित अछि ।

वन्य-जीवनक संरक्षण अतिरिक्त ई संरक्षित क्षेत्रमे सप्तकोशी नदीक किछ महत्वपूर्ण भाग सेहो संरक्षित रहनाए आवश्यक भेल एक अध्ययन बतौने अछि । सन् १९८७ मे ई ठामके रामसर क्षेत्र घोषित कएल गेल छल ।[७][८]

चित्र दिर्घा

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. GoN/MoFSC (2014). Nepal Biodiversity Strategy and Action Plan 2014-2020. Government of Nepal, Ministry of Forests and Soil Conservation, Kathmandu, Nepal
  2. Bhuju, U. R., Shakya, P. R., Basnet, T. B., Shrestha, S. (2007). Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites International Centre for Integrated Mountain Development, Ministry of Environment, Science and Technology, in cooperation with United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. Kathmandu, Nepal
  3. Limbu, K. P., Karki, T. B. (2003). Park–people Conflict in Koshi Tappu Wildlife Reserve. Our Nature (2003) 1: 15–18.
  4. Baral, H. S. and C. Inskipp (2005). Important Bird Areas in Nepal: Key Sites for Conservation. Bird Conservation Nepal, Kathmandu and BirdLife International, Cambridge
  5. Karki, J. B. (2008). Koshi Tappu Ramsar Site: Updates on Ramsar Information Sheet on Wetlands. The Initiation 2 (1): 10–16.
  6. "KTWR to shift 30 ‘Arnas’ to Chitwan", kathmandupost.ekantipur.com, अभिगमन तिथि २०१६-०५-०४ 
  7. Park–people Conflict in Koshi Tappu Wildlife Reserve, 2003 PDF
  8. The Ramsar Wetlands of International Importance Official List p.26 of PDF (under Nepal listing)

बाह्य जडीसभ


एहो सभ देखी